Saturday, July 30, 2011

प्रधानमन्त्रीक बागलुङ भ्रमण रद्ध


१४ साउन, काठमाडौँ । मौशममे आएल खराबीके कारण हेलिकोप्टर उडय नहि सकलाबाद प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल अपन बागलुङ भ्रमण रद्ध कएलनि अछि ।

खनालके अपने भूमिगत कालमे २०२६ सालदिस अध्यापन करौने बागलुङके हटियास्थित गलकोट बहुमूखी क्याम्पसके सातम वाषिर्कोत्सव कार्यक्रममे सहभागी होबय आइ भिन्सर ओइठाम जेबाक कार्यक्रम छल । प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार सूर्य थापा मौशमके खराबीमे सुधार नहि औलाबाद चारि घण्टा अर्न्तराष्ट्रिय विमानस्थलमे रुकि क प्रधानमन्त्री बालुवाटार घुरल जानकारी देलनि ।

Wednesday, July 27, 2011

१ लाख ७५ हजार चिनियाँ युआनसहित एक गिरफ्तार


११ साउन, सुर्खेत । पुलिस १ लाख ७५ हजार अवैध चिनियाँ युआनसहित एक गोटेके आइ भिन्सर सुर्खेत विमानस्थलसँ गिरफ्तार केलक अछि ।

गिरफ्तार होबयबलामे जुम्लाके ४१ वर्षक सोनाम लामा रहल सुर्खेत प्रहरीके प्रमुख प्रहरी उपरीक्षक गोविन्दराम परियार जानकारी देलनि । सुर्खेतसँ तारा एयरके विमानमार्फत जुम्ला जाए लागल लामाके चेकजाँचक क्रममे पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि । ओ काल्हि मात्रे नेपालगञ्जसँ सुर्खेत पहुँचल बताओल जारहल अछि ।

Tuesday, July 26, 2011

माओवादी आ एमालेबीच उच्चस्तरीय वार्ता भ रहल



१० साउन, काठमाडौं । दु प्रमुख सत्तारुढ दल एकीकृत नेकपा माओवादी आ नेकपा एमालेक शीर्ष नेतासबबीच उच्चस्तरिय वार्ता भ रहल अछि ।

प्रधानमन्त्री कार्यालय सिंहदरबारमे भ रहल वार्तामे पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयन तथा मन्त्रिपरिषद पुनर्गठनबारे बिमर्श भ रहल अछि । पाँचबुँदे सहमतिके मर्म आ भावना अनुसार राष्ट्रिय सहमतिके सरकार बनाबयके एमाले स्थायी समितिके निर्णय अनुसार वार्ता होबय लागल प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार सूर्य थापा जानकारी देलनि ।

बैसारमे माओवादी प्रस्ताव केने नयाँ मन्त्रीके नाम आ एमाले स्थायी समिति बैसारके निर्णयबारे बातचित हाएत थापा बतौलनि ।
आइ भिन्सर बैसल एमाले स्थायी समितिक बैसारसँ मन्त्रिपरिषद पुनर्गठन करयके माओवादी प्रस्ताव पाँचबुँदे सहमति विपरित भेल कहैत अस्वीकार केने छल ।

पाँचबुँदे सहमति अनुसार राष्ट्रिय सहमतिके सरकार गठन करय लेल एमालेके जोड अछि ।

काँग्रेस आइयो संसद अवरुद्ध करत


१० साउन, काठमाडौं । प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेस प्रधानमन्त्रीके राजीनामा नहि देबयधरि सदन चलय नहि देत जनौलक अछि ।

पार्टी कार्यालय सानेपामे आइ बैसल कांग्रेस केन्द्रीय समितिके बैसारसँ पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयन नहि होबयधरि सदन चलय नहि देबयके निर्णय केलक अछि ।

बैसारसँ सदन अवरुद्ध सहितक केहनो तरिका अपनाइयो क प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देबय बाध्य पारय संसदीय दलके निर्देशन देलगेल  अछि । बैसारकबाद केन्द्रीय सदस्य आनन्दप्रसाद ढुङ्गाना कहलनि जे-पाँचबुँदे सहमति अनुसार प्रधानमन्त्रीके राजीनामा आ शान्ति प्रक्रिया आगु नहि बढयधरि सदन अवरुद्ध करयके निर्णय भेल अछि ।

कांग्रेस मन्त्रिपरिषद पुनर्गठन करयके माओवादी प्रस्ताव पाँचबुँदे सहमति विपरित आ शान्ति प्रक्रियाके अलमलमे पारयके षड्यन्त्र भेल ठहर केलक अछि ।

बैसारमे सभापति सुशील कोइराला, वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा, संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल सहितक नेतासब पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयनके लेल प्रधानमन्त्री स्वयंम गम्भीर नहि भेल आरोप लगौने छलथि ।

केन्द्रीय समितिक बैसारमे सभापति कोइराला हालेमे भेल अपन अमेरिका, युरोप, भारत सहितक देशके भ्रमणबारे जानकारी करौने छलथि ।

चरेश सहित गिरफ्तार


धादिङ, श्रावण १० । बिक्रिके लेल चरश ल जारहल  अवस्थामे नौविसे पुलिस धादिङके नौविसे ८ सँ एक गोटेके चरश सहित गिरफ्तार केलक अछि ।

मकवानपुरसँ त्रिभुवन राजपथके रास्ता भ काठमाडांदिस चरश ल क जारहल अवस्थामे मकवानपुर जिल्ला आग्रा - २ महादेवखर्कके २५ बर्षक थि्रजन थिङ तामाङके ८ किलो चरश सहित गिरफ्तार कएलगेल पुलिस जनौलक अछि । गिरफ्तार भेल थिङके जिल्ला प्रहरी कार्यालय धादिङ आवश्यक अनुसन्धानक लेल रखने धादिङके प्रहरी निरीक्षक प्रेमसागर केसी बतौलनि ।

बिरोधक केहन केहन तरिका ?


रेलवे कार्ययोजना पेश करय लेखा समितिके निर्देशन


काठमाडौ, श्रावण १० । संसदके सार्वजनिक लेखा समिति रेलवे कर्पोरेसनके संचालन आ मर्मत संभार सम्बन्धी कार्ययोजना बना क १५ दिन भितर पेश करय श्रम तथा यातायात, भौतिक योजना तथा निर्माण आ अर्थ मन्त्रालयके निर्देशन देलक अछि ।

अहिसँ आगु श्रम मन्त्रालयके कर्पोरेशनके मर्मत संभार आ संचालनके लेल बेर बेर  देने निर्देशन कार्यान्यवन नहि भेलासँ प्रभावकारी सेवा संचालनके लेल ओ मन्त्रालयके फेउर निर्देशन देलगेल समिति सभापति रामकृष्ण यादव जानकारी देलनि ।

आइ सिंहदरबारमे बैसल बैसारसँ आगामी २६ गते श्रम मन्त्री भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्री, अर्थ मन्त्री तथा सम्वद्ध मन्त्रालयके सचिवके समिति बजाबयके निर्णय समेत केलक अछि । आजुक बिमर्शमे श्रम तथा यातायात  मन्त्री महम्मद स्तियाक राई, श्रम सचिव दिनेशहरी अधिकारी आ कर्पोरेसनके महाप्रबन्धक अनिल गुरुङ सहभागी छलथि ।

अहिना, मन्त्री राईके कर्पोरेसनके मर्मत संभार आ संचारके लेल ४ बेरधरि निर्देशन दैतो कार्यान्यवन नहि भेलाबाद समिति रेलवेके संचालन, लगानी, खर्च, लेखापरिक्षण, वेरुजु सहितक पछिला समयमे देने कार्यान्यवनके विषयमे बिमर्श करय श्रम मन्त्रीके बजौने अछि ।

मंडल हत्यामे संलग्न १ गोटे आरोपीके जिप्रका धनुषा कएलक सार्बजनिक


साउन १०, जनकपुरधाम । धनुषाक झटियाहि ४ मे गोलि चला क हत्या केने आरोपमे आइ जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा १ गोटेके सार्बजनिक कएलक अछि।

बिगत साउन ६ गते धनुषा जिल्लाक झटियाहि गाबिस वार्ड नम्बर -४ स्थित श्री मिथिला तिलक नन्द कुमारी कार्कि माबिमे ब्यबस्थापन समिति आ अभिभावक बिचक बैसारक क्रममे भेल बिबादमे गोलि चला क ४५ बर्षक राम ईकबाल मंडलके हत्या केने १ गोटेके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

एहि घटनामे संलग्न रहल आरोपमे पुलिस धनुषाक मखनाहा वार्ड नम्बर -९ लबटोलि रहनिहार २२ बर्षक सुनिल कुमार यादबके गिरफ्तार कऽ आई पत्रकार सम्मेलन मार्फत सार्बजनिक कएलक अछि।  

गिरफ्तार अभियुक्त यादबक अनुसन्धानके क्रममे यादब १५ बर्षक उमेरमे- गोईत समुहमे प्रबेश कएने ,३-४ बर्ष पहिने खरियानी स्थित एकटा ईन्जिनियरके ८ लाख रुपैया फिरौति लऽ कऽ छोडने सहितक लुटपाट चन्दा असुलि , अपहरण जेहन काजसभमे संलग्न रहल जिप्रका धनुषा जनओलक अछि।

तहिना एहि घटनामे संलग्न रहल दोसर अभियुक्त सुशिल कुमार साह फरार रहल आ ओकर खोज तलास भऽ रहल पुलिस जनओलक अछि।

फरार अभियुक्त साहके घरसँ पुलिस बरामद कएने हाथ हथियार कटुवा पेस्तोल २ थान , १२ बोरके गोलि २४ राउन्ड, ३०३ राईफलके गोलि ३ राउन्ड , एसएलआरके गोलि ४ राउन्ड , ईन्सासके गोलि एक राउन्ड, छोटका पेस्तोलमे लागएबल म्याग्जिन १ थान आ ५ राउन्ड गोलि , खोका १ थान , बम २ थान, थ्रि फिफ्टिनके खोका १ थान आ दबिया २ थान पुलिस पत्रकार सम्मेलनमे सार्बजनिक कएलक अछि।

गिरफ्तार भेल यादबके जान मारक आरोपमे जन्म कैद आ हाथ हथियार खरखजाना अन्तर्गत ३ सँ ५ बर्षधरीके जेल सजाय आ ६० हजारसँ डेढ लाख धरि जरिबाना होबए सकबाक जिप्रका धनुषा जनओलक अछि।

एहिबिच बिद्यालय ब्यबस्थापन समितिक बैसारमे पुलिसके उपस्थितिमे ई घटना भेल कहि प्रहरी सहायक निरीक्षक कामेश्वर पाण्डे, प्रहरी जबान प्रमोद साह आ चन्द्र तमाङके निलम्बन कएलगेल अछि।

मन्त्रिपरिषद पुनर्गठनके प्रस्ताव एमालेद्वारा अस्विकार


काठमाडौ, श्रावण १० । नेकपा एमाले मन्त्रिपरिषद पुनर्गठनके माओवादीके प्रस्ताव अस्विकार केलक अछि । एमालेके ओ  निर्णयसँ माओवादी प्रस्ताव केने नयाँ मन्त्रीसबहक सपथ अनिश्चित बनल अछि ।

आइ बैसल स्थायी समितिक बैसारसँ पाँच बुँदे सहमतिके भावना अनुसार राजनीतिक सहमति क क आगु बढयके सहमति केलक अछि । किछुएकाल बैसल बैसारसँ औपचारिक निर्णय नहि केलाबादो मन्त्रिपरिषद पुनर्गठन तत्काल उपयुक्त नहि हाएत निष्कर्ष निकाल्ने छल । वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल मन्त्रिपरिषद पुनर्गठनके बातसँ पाँच बुँदे सहमति गडबडाय सकयके भेलासँ ओइदिस थप बिमर्शके  आवश्यकता रहल बतौलनि । ओ सब बात राजनीतिक दलसबबीच सहमति क क प्याकेजमे सम्बोधन करय परत बैसारक जोड रहल संचारकर्मीके बतौलनि ।

माओवादी पार्टी भितरके विवाद मिलाबय किछ पूरानके यथावत रखैत १२ गोटे मन्त्री आ १२ गोटे राज्य मन्त्रीके नयाँ नाम प्रधानमन्त्रीके देलक अछि । संविधानसभाके म्याद बढाबयके समय बितल जेठ १४ गते प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल राजीनामा देबयके सहमति जना चुकलासँ राजीनामा देताह कि मन्त्रिपरिषद पुनर्गठन करबमे अन्यौलता बढल अछि ।
माओवादीके प्रस्ताव उपर बिमर्श करय एमाले मुख्यालयमे बजाओलगेल स्थायी समितिक बैसारके ल कांग्रेस प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देबयके बदला पुनर्गठनके बात एलासँ ओकर बिरोध सुरु केलक अछि । मन्त्रिपरिषद पुनर्गठनके प्रस्तावके ल कांग्रेस काल्हि संसदक बैसार अवरुद्ध केने छल ।

जिल्ला न्यायाधीशसबहक सरुवा


काठमाडौ, श्रावण १० । प्रधानन्यायाधीश खिलराज रेग्मी न्यायपरिषद्क सिफारिसमे  १ सय २७ जिल्ला न्यायाधीशके सरुवा केलनि अछि ।
प्रधानन्यायाधीश रेग्मीके अध्यक्षतामे बैसल न्यायपरिषदक बैसारसँ न्यायाधीशसबहक सरुवा केलक अछि । परिषद्क सचिव जीवनहरि अधिकारीके अनुसार दुर्गममे कार्यरत न्यायाधीशके सुगम जिल्लामे अतिरिक्त जिल्ला न्यायाधीश बना क पठाओलगेल अछि । सुगममे कार्यरत अतिरिक्त न्यायाधीशके दुर्गममे जिल्ला न्यायाधीश बना क पठाओलगेल अछि ।

Monday, July 25, 2011

पाँचबुँदे कार्यान्वयनबारे तीन दलबीच बिमर्श जारी


९ साउन, काठमाडौं । पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयनबारे बिमर्श करय प्रमुख तीन दलक बैसार अखन बैसल अछि ।
कांग्रेस सभापति सुशील कोइरालाक निवास महराजगञ्जमे जारी बैसारमे संविधानसभाके म्याद थपयके क्रममे भेल पाचँबुदे सहमति कार्यान्वयन तथा मन्त्रीसब परिर्वतन करयके माओवादी प्रस्तावमे बिमर्श भ रहल श्रोत जनौलक अछि ।
माओवादी पार्टी भितरके आन्तरिक विवाद मिलाबय वर्तमान सरकारमे रहल मन्त्रीसबके फिर्ता बजाक नयाँ टिम पठाबयके निर्णय केने अछि । कांग्रेस माओवादीके ओ निर्णयके एमाले-माओवादी फेराफेरी सरकारक नेतृत्व करयके षड्यन्त्र आ पाँचबुँदे सहमति विपरित भेल अछि त प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल प्रमुख तीन दलबीच सहमति बिना भेने मन्त्रिपरिषद् पुनर्गठन करय अस्वीकार केलनि अछि ।
तीन दलक बैसार आगु भिन्सर माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँ भेट क माओवादीके नयाँ मन्त्रीसबहक नामावली बुझबैत मन्त्रिपरिषद् पुनर्गठन करय आग्रह केने छलथि । मुदा, प्रधानमन्त्री खनाल प्रमुख तीन दलबीच सहमति होबय परत कहैत कांग्रेस सभापति सुशील कोइरालासँग बिमर्श केने छलथि ।

प्रचण्ड पक्षधरक चुनौतिबाद बहुमत सदस्यके हस्ताक्षर बुझाओलगेल


९ साउन, काठमाडौं । अध्यक्षविरुद्ध मोर्चाबन्दी केने उपाध्यक्षत्रय आ महासचिव पक्ष कार्यविभाजनके माँग करैत संकलन केने बहुमत केन्द्रीय सदस्यसबहक केन्द्रीय समितिमे हस्ताक्षर बुझौलक अछि ।
पार्टी कार्यालय पेरिसडाँडामे आइ बैसारमे अध्यक्ष प्रचण्ड पक्षधर बहुमत केन्द्रीय सदस्यसबहक हस्ताक्षर देखाबय चुनौति देलाबाद महासचिव रामबहादुर थापा बादल ७५ गोटेके हस्ताक्षर बुझौलनि अछि ।
उपाध्यक्षत्रय आ महासचिव पक्ष उचित कार्यविभाजनके माँग करैत संकलन केने हस्ताक्षर पार्टीमे नहि बुझाएब बतौने छल । मुदा, अध्यक्ष प्रचण्ड पक्षधर चुनौति देखौलाबाद बुझाबय परल नेतासब बतौलनि अछि ।
ओइके बाद प्रचण्ड पक्षधरके वर्षमान पुन अनन्त सहितक नेतासब पार्टी नीति उल्लंघन भेल कहैत हस्ताक्षर संकलन क अध्यक्षके बुझौने छल ।
बैसारके समापन करैत अध्यक्ष प्रचण्ड  हस्ताक्षर पार्टी एकताके लेल कहैत ओइके पार्टीके सम्पतिके रुपमे राखब बतौने श्रोत जनौलक अछि ।
उचित कार्यविभाजनके माँग करैत उपाध्यक्षत्रय आ महासचिव पक्ष मोर्चाबन्दी करैत हस्ताक्षर संकलन केलाबाद प्रचण्ड कार्यविभाजन करय सहमत भेल छलथि । सहमति अनुसार उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरणके संगठन आ अनुशासन विभाग प्रमुख, दोसर उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराईके संसदीय विभाग प्रमुख आ भावी प्रधानमन्त्रीके उम्मोदवार तथा नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाशके वर्तमान सरकरमे पार्टीके नेतृत्व देलगेल अछि त महासचिव रामबहादुर थापा बादलके सैन्य विभाग प्रमुख बनाओलगेल अछि ।
केन्द्रयि समितिके बैसारसँ स्थायी समिति आ पोलिटव्युरो सदस्यसबहक कार्यविभाजनके जिम्मा स्थायी समितिके देलगेल अछि त अध्यक्ष प्रचण्डक प्रतिवेदन पारित केलक अछि ।

भावी रणनीति तय करय देउवा पक्षधरके जमघट भ रहल



९ साउन, काठमाडौं । पार्टीके केन्द्रीय समितिके बैसारमे संसदीय दलके नेता परिवर्तनके एजेण्डा उठाबयके रणनीति तय करय नेपाली कांग्रेसक वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्षधरके जमघट  आइ भ रहल अछि ।
बिमर्शके लेल नेता देउवा अपना निकटके नेतासबके अखन अपने निवास बुढानिलकण्ठमे बजौने छथि । जमघटमे काल्हिसँ सुरु होबयबला केन्द्रीय समितिक बैसारमे संसदीय दलक नेता परिवर्तनके एजेण्डा उठाबयबारे बिमर्श हाएत ।
पदाधिकारी मनोनयनके क्रममे सभापति सुशील कोइराला आ वरिष्ठ नेता देउवाबीच देउवाके संसदीय दलक नेता बनाबय गोप्य समझदारी भेल बताओलगेल अछि ।
पछिला समय कांग्रेस प्रधानमन्त्रीके राजीनामाके माँग उठौलाबाद देउवा पक्ष उत्साहित भेल अछि ।

मोडलसभ




पाँचबुँदे कार्यान्वयनके माँग, कांग्रेसद्धारा संसदक बैसार अवरुद्ध


९ साउन, काठमाडौं । पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयनके माँग करैत प्रमुख प्रतिपक्षी नेपाली कांग्रेस व्यवस्थापिका संसदके बैसार अवरुद्ध केलक अछि ।
आजुक बैसार सुरु होइते कांग्रेस प्रमुख सचेतक लक्ष्मण घिमिरे पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयन नहि होबयधरि संसद चलय नहि देब बतौलनि ।
राष्ट्रिय सहमतिके सरकारके लेल प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देबयके सहमति भ गेल अवस्थामे दु दर्जनमन्त्री थपय लागल कहैत ओ एहन अवस्थामे सहमति कार्यान्वयन होबय  नहि सकत बतौलनि ।
घिमिरे बजलाबाद कांग्रेसक सभासदसब अपना अपना सिटसँ उठल छल । बेर बेर आग्रह करितो कांग्रेस सभासदसब ठार भेलाबाद सभामुख सुवासचन्द्र नेम्वाङ बैसार मंगलधरिके लेल स्थगित कएलनि अछि ।
आजुक बैसारमे विनियोजन विधेयक २०६८/६९ उपर सैद्धान्तिक बिमर्श करबाक कार्यसूची छल ।

ट्रकक ठक्करसँ एक मजदुरके मृत्यु


बारा, श्रावण ९ । बिरगन्ज-पथलैया औद्योगिक करिडोर अन्तर्गत पिपरा सिमरा गाविस स्थित बाबा पेट्रोल पम्प आगुके सडकमे ट्रकक ठक्करसँ आइ भिन्सर करीब ११ बजे एक मजदुरके मृत्यु भेल अछि ।
मृत्यु होबयबलामे भारतक बिहार राज्य अन्तर्गत इस्लामपुर घर भ हाल सीमरा स्थित हामा आईरन स्टिल उद्योगमे कार्यरत २८ वर्षक रञ्जित यादव रहल ईलाका प्रहरी कार्यालय सिमरा जनौलक अछि ।
सीमरा स्थित बाबा पेट्रोल पम्प कातमे पार्किङ करय जा रहल ना ४ ख २८६२ नम्बरक ट्रक साइकल यात्री यादवके ठक्कर देलासँ ओकर घटना स्थलमे मृत्यु भेल अछि । ट्रक सहित चालकके इलाका प्रहरी कार्यालय सीमरा नियन्त्रणमे लेने प्रहरी जवान राजकुमार खडका जनौलक अछि ।

चारि पहिया सवारीके राजस्व घटल



९ साउन, वीरगन्ज । वीरगन्ज भन्सार कार्यालय चारि पहिया सवारी साधनके आयातमे लगैत आएल राजस्वके दरमे कटौती केलक अछि ।
४ पहिया गाडी आयातमे आएल ह्रासके कारण राजस्व असुलीमे असर पहुँचल कहैत भन्सार कार्यालय राजस्व घटौने जनाओलगेल अछि । नेपालक प्रमुख प्रवेशद्वार कहलगेल वीरगन्ज भन्सार नाकासँ ९० प्रतिशतसँ सवारी साधन आयात होइत आबि रहल अछि । प्रमुख भन्सार अधिकृत लावण्य कुमार ढकाल वीरगन्ज भन्सार कार्यालयके मुख्य आय स्रोतके रूपमे रहल चारि पहिया सवारी आयातमे आएल गिरावटके कारण वीरगन्ज भन्सार कार्यालय अहि वर्ष लक्ष्य अनुरूपके राजस्व सङ्कलन करय नहि सकल बतौलनि ।

देहरादुनमे मृत्यु भेल नेपालीसबहक शव लाओलगेल


९ साउन, कञ्चनपुर । भारतक देहरादुनमे काल्हि बसमे यात्रा क रहल समय करेन्ट लागि क मृत्यु भेल पाँच नेपालीके शव भारतीय पुलिस नेपाल पुलिसक जिम्मा लगौलक अछि ।
देहरादुन पुलिस आइ भिन्सर ओकरसबहक शव कञ्चनपुरके गड्डाचौकीस्थित नेपाल पुलिसक जिम्मा लगौलक अछि । धान रोपनी समाप्त क क दशैं खर्चके जोगार करय रोजगारीके खोजीमे कैलालीसँ भारत जाए लेल बसके छतमे यात्रा क रहल ओकरासबके देहरादुन लगेके विद्युत हाइटेन्सन प्रसारण लाइनमे सटलास मृत्यु भेल छल ।
इलाका प्रहरी कार्यालय गड्डाचौकीके इन्चार्ज सइ नेत्र प्रसाद भटृक अनुसार दुर्घटनामे परि मृत्यु होबयबलासबमे कैलाली फुलवारी गाविस -३ के २३ बर्षक सुखराम चौधरी , कैलाली के हसुलिया गाविस -१ के ३० बर्षक बमबहादुर चौधरी, सल्यानके कालिमाटी काल्चे - ३ के २३ वर्षक धनबहादुर खत्री, कैलाली मसुरिया गाविस -७ शंकरपुरके १७ वर्षक मनोज चौधरी आ जाजरकोट पुन्म गाविस -२ के २२ वर्षक शेरबहादुर अधिकारी रहल अछि ।
अहिना,  दुर्घटनामे घाइल भेल १२ नेपालीके देहरादुनस्थित विभिन्न अस्पतालमे इलाज भ रहल अछि ।

प्रधानमन्त्री आ कांग्रेस सभापतिबिच भेट


काठमाडौ, श्रावण ९ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल कांग्रेस सभापति सुशील कोइरालासंग आइ भिन्सर भेटवार्ता केलनि अछि । भिन्सर १० बजे खनाल कोइराला निवास महाराजगंज पहुँचल छलथि ।
माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालसंग भिन्सर बालुवाटारमे भेट केलाबाद खनाल कोइरालासंग भेट करय पहुँचल छलथि । दाहाल मन्त्रिपरिषद् पुर्नगठनके विषयमे केने प्रस्तावके सेहो दलसबबीच सहमतिके आधारमे ल जाएके कहने खनाल ओकरबाद कोइरालासँ भेट केलनि अछि । पाँच बुँदे सहमति अनुसार प्रधानमन्त्री राजीनामा द क राष्ट्रिय सहमतिके सरकार बनाबयके समयमे मन्त्रिपरिषद् पुर्नगठनके कांग्रेस बिरोध केलक अछि । माओवादी केने प्रस्तावके विषयमे प्रधानमन्त्री कांग्रेस सभापतिके जानकारी करौने छलथि ।
कोइरालासंगके भेटमे पाँच बुँदे सहमति कार्यान्वयन,शान्ति आ संविधान प्रक्रियाके विषयमे प्रधानमन्त्री उत्सुकता रखने छलथि । खनाल विभिन्न राजनीतिक विषयमे कोइरालासंग परामर्श केने प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार सूर्य थापा जानकारी देलनि । कोइरालाके स्वास्थ्य आ विदेश भ्रमण बारे सेहो प्रधानमन्त्री भेटमे जानकारी लेने छलथि ।

Sunday, July 24, 2011

चीन में ट्रेन दुर्घटना, 35 गोटेके मृत्यु


८ साउन, एजेन्सी । पूर्वी चीनमें २ टा ट्रेनबिच एक आपसमे भेल टक्करमें कम स कम 35 गोटेके मृत्यु भेल अछि त २०० सँ बेसी गोटे घाइल भ गेल अछि ।

चिनके हांगजू़ आ वेनज़ू के बीच इ घटना भेल चिनके सँचार माध्मसब जनौलक अछि ।

एकटा ट्रेन पर ठनका खसलासँ ओ ट्रेन रुकल छल आ पाछुसँ वायह समय आएल दोसर  ट्रेन ठक्कर मारने बताओल जा रहल अछि ।

इ टक्कर एक पुल पर भेल छल जाहिके बाद ट्रेनके २ टा डिब्बा नदीमें खसल अछि ।

राहत कार्य चलि रहल अछि मुदा अखनधरि इ पता नहि चलल अछि जे घटनाके समय दुनु ट्रेनमें कतेक लोग छल ।

सरकार मुकेशके जिवित सहिद मानलक अछि


काभ्रे, श्रावण ८ । जनआन्दोलन-२ के घाइल मुकेश कायस्थके जिवित सहिद घोषणा करयके हुनक परिवार सरकारसमक्ष अपन माँग राखिरहल समय प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल हुनका सरकार जिवित सहिद मानने बतौलनि अछि ।

 मुकेशके स्वास्थ्य अवस्था बुझयलेल आइ भिन्सर हुकर घर पहुँचल खनाल मुकेश जिवित सहिद आ आन्दोलनके प्रेरणाके स्रोत रहल बतबैत सरकार हुनका लेल किछ करत आश्वासन समेत परिवारके देलनि ।

ओ अपन सरकार मुकेशके योगदानके कदर करैत परिवार लेने ऋण मिनाह,, हुनक देखभाल करय लेल एक गोटेके ब्यबस्था आ इलाजमे लागल दबाई खर्च सरकार  देत बतौलनि ।

 मुकेशके परिवार खनालसँग हुनका जिवित सहिद घोषणा क देबाक लेल माँग रखने अछि ।
 जनआन्दोलन-२ के क्रममे २०६२ चैत्र २७ गते बनेपा तीनदोबाटोमे पुलिसक गोली माथमे लागि क  घाइल भेलाबाद हुनका इलाजक लेल ११ महिना वीर अस्पताल आ सात महिना काठमाडौंके बाँसबारीस्थित न्यूरो सर्जरी अस्पतालमे इलाज कएलगेल छल ।

आइलभयू कहयबलासभ बहुत अछि सँगम राई




बेलिण्डा स्टेवार्ट विल्सन मोडेल


पूर्वआइजीपी राणा बयानक लेल विशेष अदालत जा रहल


८ साउन , काठमाडौँ । सुडान घोटालाके आरोपी पूर्वप्रहरी महानिरीक्षक ओमविक्रम राणा आइ बयानक लेल विशेष अदालतमे उपश्थित होबय लागल छथि ।

अदालत म्याद तामेलीके पत्र बुझौने २९ दिनबाद राणा बयानक लेल जाय लागल छथि । विशेष अदालत बितल १२ असारमे म्याद तामेलीके पत्र दैतो हुनका नहि भेटलाबाद अदालत कर्मचारी ललितपुरके कुसुन्तीस्थित राणा निवासमे पत्र सटने छल । राणासँग बयान लेलाबाद आइए थुनछेकसम्बन्धी बहस हाएत विशेष अदालत स्रोत जनौलक अछि । बहस समाप्त भेलाबाद आइए विशेष अदालतके अध्यक्ष गौरीबहादुर कार्कीके संयुक्त इजलास घोटालामे ठकुरीके सफाई देबयके,, थुनामे राखि क छानविन आगु बढाबयके या धरौटी ल  तारेखमे रिहा करयके विषयमे फैसला सुनाओत ।

ठकुरीउपर हुनक कार्यकालमे सुडानमे खटल नेपाल प्रहरीके लेल बख्तरबन्द गाडी खरिद करबाक क्रममे प्रहरी कल्याणकारी कोषसँ किस्ता बुझाबयमे घोटाला केने अभियोग लगाओलगेल अछि ।


बजेट बादक पहिल संसद्क बैसार आइ


८ साउन, काठमाडौँ । बितल ३१ असारमे उपप्रधान तथा अर्थमन्त्री भरतमोहन अधिकारी आर्थिक वर्ष ०६८/०६९ के अनुमानित आय तथा व्ययके विवरण प्रस्तुत केलाबाद पहिल बेर व्यवस्थापिका संसद्के बैसार आइ बैसय जा रहल अछि ।

विनियोजन विधेकयके विषयमे बिमर्श करय बेरियामे ३ बजेके लेल दशम अधिवेशन अन्तर्गतके संसद बैसार बजाओलगेल अछि । अर्थमन्त्री अधिकारी बैसारमे विनियोजन विधेयक २०६८ उपर विचार कएल जाए कहि प्रस्ताव प्रस्तुत करयके कार्यक्रम अछि । मुदा विभिन्न मन्त्रालयके बजेट पुस्तिका तयार नहि भेलास आइ ओ बिमर्श प्रभावित होयबाक सँकेत क रहल अछि । संसद सचिवालय स्रोतक अनुसार मन्त्रालयसबके बजेट पुस्तिका तयार नहि भेलासँ आइ सेहो बजेटक सैद्धान्तिक पक्षमउपर मात्र बिमर्श हाएत जनाओलगेल अछि ।

अहिबीच, प्रतिपक्षी नेपाली कांग्रेस पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयन नहि भेल विषयमे सभामुखके ध्यानाकर्षण कराबय आजुक संसद्क बैसार अबरुद्ध कराबाक चेतावनी देने अछि ।

राजन समूहद्वारा शिक्षकउपर गोली प्रहार


८ साउन, महोतरी । तराइमे भूमिगत सशस्त्र गतिविध क रहल जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा राजन मुक्ति मोर्चाके कार्यकर्ता महोतरीमे एक शिक्षकके गोली मारि क घाइल बनौलक अछि ।

जिल्लाके सहसौला गाविस-३ के स्थानीय जनता दलित विद्यलायके शिक्षक विजय मण्डल उपर बितलराति हुनके घरमे सुतल समय तीन गोटेके संख्यामे आएल ओ समूहक कार्यकर्ता गोली मारने अछि । दहिना जाँघमे गोली लागल मण्डलके बर्दिवास अस्पतालमे इलाज भ रहल अछि । राजन मुक्ति समूहक केन्द्रीय सदस्य भाष्कर मुक्ति अज्ञात स्थलसँ सञ्चारकर्मीके टेलिफोन क मण्डल उपर अपन कार्यकर्ता आक्रमण केने जिम्मा लेलक अछि । ओ मण्डलके बाबु एकीकृत माओवादी गाविस प्रतिनिधि रामसागर मण्डलके निशाना बनाओलगेल होइतो अन्हारके कारण गल्तिसँ हुनका गोली लागल बतौलक अछि ।

Saturday, July 23, 2011

एम्बुलेन्स दुर्घटनामे ४ घाइल


उदयपुर, श्रावण ७ - सिरहाक लहान बजारसँ बेमारी लेबए जाऽ रहल एकटा एम्बुलेन्स आई भोरे उदयपुरके भलायडाडाँ -३ अंधेरी नदीमे दुर्घटना भेलासँ ४ गोटे घाहिल भेल अछि।

नेपाल रेडक्रस सोसाईटी लाहान शाखाके बा ५ प ७८७० नम्बरक एम्बुलेन्स दुर्घटना भेलासँ एम्बुलेन्समे सबार ४ गोटे घाहिल भेल पुलिस जनओलक अछि। घाहिल मध्ये लहानके ३२ बर्षिय निर्मला दहाल आ चालक हरीनारायण यादबके अबस्था गम्भिर अछि। दहालके दहिना पायर टुटिगेल आ चालक यादबके शरीरमे चोट लागल जनाओलगेल अछि। अन्य दु गोटेके नाम खुजए नई सकल अछि।

घाहिल दहालके ईलाजकलेल काठमाण्डौ पठाओलगेल अछि तऽ चालक यादबके लहान नर्सिङहोममे ईलाज भऽ रहल अछि।

माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसार सुरु


७ साउन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीके केन्द्रीय समितिक बैसार अखन बैसल अछि । ओइसँ आगु स्थायी समितिके बैसार बैसल छल ।

पार्टी कार्यालय पेरिसडाँडामे जारी केन्द्रीय समितिके बैसारसँ कार्यविभाजनबारे पदाधिकारीसबबीच भेल सैद्धान्तिक सहमतिके अन्तिम रुप देल जाएत बताओलगेल अछि ।

पदाधिकारीसबबीच तत्कालके लेल संसदीय दलक नेता प्रचण्ड  कायम राखयके, उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराईके संसदीय वोर्ड, मोहन बैद्य किरणके संगठन तथा अनुशासन विभाग आ महासचिव रामबहादुर थापा बादलके सैन्य विभागके जिम्मा देबयके सहमति भेल अछि । सहमतिसँगै माओवादीभितरके विवाद तत्कालके लेल अन्त्य हाएत बताओलगेल अछि ।

अहिना, आजुक केन्द्रीय समितिके बैसारमे उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाशक नेतृत्वमे नयाँ टिमके वर्तमान सरकारमे पठाबयबारे निर्णय करत श्रोत जनौलक अछि ।

बैसारमे शान्ति आ संविधानबारे अध्यक्ष प्रचण्डक तत्कालिन कार्ययोजनासम्वन्धी राजनीतिक प्रस्ताव उपर सेहो बिमर्श होयबाक एक नेता जानकारी देलक अछि ।

जनविरोधी शक्तिके जनता साफ क देत : राष्ट्रपति

सुन्दरीजल(काठमाडौ), श्रावण ७ - राष्ट्रपति डा. रामबरणयादब राष्ट्रके समबृद्धि, एकता आ जनचाहना बिपरीत जाएबला कोनो शक्तिके जनता साफ कऽ देत दाबा कएलनि। 

बिपि संग्रहालयके भ्रमणमे सुन्दरीजल पंहुचल राष्ट्रपति यादब जनताक बलमे २-४ दिन शक्तिमे देखाइ देलाकबादो जे राष्ट्र आ जनताक ईच्छा अनुसार मिल कऽ जाऽ नई सकल ओकरा जनता ठिक करत ई ईतिहांस प्रमाणीत कएने बात अछि बतओलनि।

बिपि २०३३ सालमे मेलमिलापके निति आगा घुसका कऽ तत्कालिन राजा महेन्द्र शाह संग राष्ट्र आ जनताक ईच्छा अनुसार सम्झौता कएने कहि राष्ट्रपति यादब राजनितिक दलके नेतासभसंग समयमे देशक समस्याके सम्बोधन करक सुझाब देलनि।

पार्टीसभके मिल कऽ जाए पडत , आपसि सहमति आ सहकार्य कऽ कऽ मात्रे राष्ट्रके आर्थिक तथा समाजिक रुपान्तरण हाएत ओ कहलनि। ३० म् बिपि स्मृति दिबसके अबसर मे अचानक राष्ट्रपति ओतह पंहचल छलथि।

ओलम्पिक कमिटीके गतिविधिमे रोक लगाओल जाएत खेलकुद मन्त्रीक चेतावनी


काठमाडौं, श्रावण ७ । यूवा तथा खेलकुद मन्त्री हितबहादुर तामाङ विवादित दु ओलम्पिक कमिटी मिल क नहि आओत त गतिविधिमे रोक लगा देबयके चेतावनी देलनि अछि ।

रिपोर्टर्स क्लबके साक्षात्कारमे आइ मन्त्री तामाङ  विवादित दु ओलम्पिक कमिटीके मिल क सहमतिके प्रस्ताव लाबय निर्देशन देने छी निर्देशनके अबहेलना हाएत त ओलम्पिक कमिटिके गतिविधिमे रोक लगाबय जका मन्त्रिपरिषदमे प्रस्ताव ल जाक निर्णय कराएब ।

मन्त्री तामाङ राष्ट्रके बेइज्जत होबयजका ओलम्पिक कमिटीके गतिविधि भ रहल दाबी करैत राष्ट्रके कानून अनुसार समाधान नहि खोजि क कानून उल्लंघन करत त कारबाही करब स्पष्ट केलनि ।

साक्षात्कारमे राष्ट्रिय खेलकुद परिषदके सदस्य सचिव यूवराज लामा सेहो विवादित दु ओलम्पिक कमिटीके विवाद समाधान करयके संयुक्त उपाय लाबय सुझाव द चुकल कहैत विवाद नहि मिलाओत त हस्तक्षेप क क खेलकुद ऐन अनुसार कारवाही करयके चेतावनी देलनि । ओलम्पिक कमिटीके विवादसँ नेपालके अन्तर्राष्ट्रिय रुपमे बेइज्जत केने कहैत अपन भूमिका निक सँ निर्वाह नहि करत त नहि छोडब स्पष्ट केलनि ।

माओवादी कलहके प्रभाव शान्तिप्रक्रियामे प्रधानमन्त्री


७ साउन, काठमाडौँ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल एकीकृत नेकपा माओवादी भितरके आन्तरिक कलहके कारण शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणक काज ओझराहटमे परल दाबी कएलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल एकीकृत नेकपा माओवादी भितरके आन्तरिक कलहके कारण शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणक काज ओझराहटमे परल दाबी कएलनि अछि । नेपाल कम्युनिष्ट पार्टीक संस्थापक महासचिव पुष्पलाल श्रेष्ठक ३४ हम् स्मृति दिवसक अवसरमे किर्तिपुरके चम्पादेवीमे रहल श्रेष्ठक पूर्णकदके प्रतिमामे माल्यार्पण केलाबाद बजैत कलह जल्दिए समाप्त करय शीर्ष माओवादी नेतृत्वके सुझाव देलनि । देशके आगु उपश्थित जटिलतासबके समाधानक लेल राष्ट्रिय सहमतिके विकल्प नहि रहल दोहरबैत खनाल सहमति हाएत त अपने कोनो समय पद छोडय तयार रहल स्पष्ट केलनि ।

वायह कार्यक्रममे एमालेक वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल कमयुनिष्ट आ नेपाली कांग्रेसके नहि मिलयधरि राष्ट्र गति लेबय नहि सकत बतौलनि । देशमे उग्रवाम्पन्थी तत्व हावी भेलासँ राजनीति दिशाहीन भेल नेपालक दाबी छल ।

गिरिजाबाबु आहाँके पार्टी भितरे कनाओत कहैत रहथिन दाहाल


काठमाडौं, श्रावण ७ - माओवादी अध्यक्ष पुष्पमल दाहाल पार्टीभितर अपनाके मुश्किलमे पारने स्वीकार केलनि अछि । ओ केहनो समस्यामा आओत तैयो अन्ततः पार्टी  एकजुट रहत बतौलनि ।

गिरिजाबाबु हमरा बेर बेर कहैत रहथिन जे आहाँ जेना बाजि रहल छी अहि कारणसँ कि आहाँके भौतिक रुपमे समाप्त क देत नहि त आहाँके  पार्टीभितर कना क छोडत दाहाल आइ भिन्सर राजधानीमे ओ बात याद करैत कहलनि ।

प्रगतिशील नागरिक समाज आयोजना केने कार्यक्रममे अध्यक्ष दाहाल माआवादीभितर अखन गाईजात्रा हाएत तैयो अन्ततः मिले क आगु  बढ्ब  बतौलनि ।

दाहाल अखनो देशी विदेशी शक्तिसब माओवादीके फुटाबय चाहने बतौलनि ।

प्रधानमन्त्री कार्यालय आ युथ क्याम्पमे गोली चललासँ ८७ गोटेके मृत्यु


काठमाडौं, श्रावण ७ -।नर्बेके राजधानि ओस्लो स्थित प्रधानमन्त्रि कार्यालयमे आई भिन्सर भेल बिष्फोटमे ७ गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ राजधनी बाहर युथ क्याम्पमे बन्दुकधारीके आक्रमणमे ८० गोटेके मृत्यु भेल अछि।

बिस्फोटके समयमे प्रधानमन्त्रि जेन्स स्टोल टेनबर्ग कार्यालयमे उपस्थित नई छलथि । प्रधानमन्त्रि कार्यालयके बाहर एकटा कारमे बम राखलगेल अनुमान कएलगेल अछि।

संदिग्ध आक्रमणकारी बेहरीङ ब्रिविकके पुलिस नियन्त्रणमे लेने अछि। बिष्फोट कराओलगेल क्षेत्रमे प्रधानमन्त्रि कार्यालयके संगहि अर्थ मन्त्रालय आ एकटा पत्रिकाके कार्यालय छल । पुलिस पोशाकमे रहल ब्यक्ति राजधानि बाहर रहल लेबर पार्टीके युथ क्याम्पमे  अन्दाधुन फायरीङ कएने अन्तराष्ट्रिय संचार माध्यम जनओलक अछि।

Thursday, July 21, 2011

पाँच प्रतिशत आर्थिक वृद्धिदर लक्ष्य


काठमाडौं, श्रावण ५ । राष्ट्र बैंक चालु आर्थिक वर्षमे पाँच प्रतिशतके आर्थिक वृद्धिदर हासिल करबाक लक्ष्य लेने अछि ।

विनियोजित पूँजीके खर्च समयमै परिचालन होबय सकत त आर्थिक गतिविधिमे अपेक्षित सुधार भ आर्थिक वृद्धि दर सहजे हासिल होबय सकत राष्ट्र बैंकके अनुमान अछि । आर्थिक वृद्धिदरके लक्ष्य हासिल करय मुद्रा प्रदायक वृद्धि दर १२. ५ प्रतिशत रहत बैक जनौलक अछि ।

राष्ट्र बैंक काल्हि मौद्रिक नीति सार्वजनिक करैत आर्थिक वृद्धि दर सात प्रतिशत कायम राखयके जनौलक अछि । इ  बितल आर्थिक वर्षक तुलनामे करिब ४ प्रतिशत कम अछि ।

राष्ट्र बैंक पछिल्ला समयमे राष्ट्रिय वाणिज्य बैंकमे देखलगेल तरलता अभावके न्यूनीकरण करय बैंक दर सामान्य पुर्नकर्जा सुविधा, अन्तिम ऋण दाता सुविधा, स्थायी तरलता सुविधा आ विशेष पुर्नकर्जा सुविधा यथावत राखि तरलता व्यवस्थापनके लेल प्रदान कयल जाएबला पुर्नकर्जा सुविधाके परिमार्जन करैत ल जाएके जनौलक अछि ।

अहिना, राष्ट्र बैंक तथा बित्तिय संस्थाके मर्जरके उच्च प्राथमिकतामे रखने अछि । विदेशी विनिमय संचिति क पाँच अर्ब रुपैयाँके हाराहारीमे सोधनान्तर बचत हासिल करयके लक्ष्य केन्द्रीय बैक लेने अछि । 

संसद अवरुद्ध करबाक कांग्रेसक चेतावनी


५ साउन, काठमाडौं । प्रमुख प्रतिपक्षी नेपाली कांग्रेस पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयनमे सरकार उदासीन रहल कहैत आपत्ति जनौलक अछि ।

सभापति सुशील कोइरालाक निवास महारागञ्जमे आइ बैसल शीर्ष नेतासबहक बैसरसँ सहमति कार्यान्वयनमे आलटाल केने कहैत आपत्ति जनौलक अछि ।

सत्तापक्ष पाँच बुँदे सहमति कार्यान्वयनमे उत्सुकता नहि देखौने कहैत काँग्रेस संसद् अवरुद्ध सहितक आन्दोलन करबाक  चेतावनी देलक अछि ।

बैसारमे साउन १० गतेस बैसयबला केन्द्रीय समितिक बैसारमे एजेण्डाबारे सेहो बिमर्श भेल कांग्रेस नेता विमलेन्द्र निधि जानकारी देलनि । हुनका अनुसार माओवादीसँगके बिमर्शके समिक्षा भेल छल ।

नेपालमे कोनो अधिनायकवाद स्वीकार्य नहि हाएत महत


चितवन (रत्ननगर), श्रावण ५ । कांग्रेसक नेता तथा पूर्वमन्त्री प्रकाश शरण महत लोकतन्त्र संस्थागत करय कांग्रेस लडैत रहत बतौलनि अछि ।
 लोकतन्त्र खतरामे परलासँ पार्टी कार्यकर्ता प्रशिक्षण सुरु केने बतबैत ओ पार्टीके योजना अनुसार दृढ भ  लागय समेत कार्यकर्ताके निर्देशन देलनि अछि ।

आइ चितवनके पूर्वी क्षेत्रके कार्यकर्ता भेटघाटक क्रममे ओ नेपालमे कोनो प्रकारके अधिनायकवाद स्वीकार्य नहि हाएत  बतौलनि ।

भादव १४ गतेबाद नेपालमे शून्यताके अवस्था नहि आबे कहिक कांग्रेस लागि परल बतबैत नेता महत संविधान जारी नहि क देशके एहने अस्थिरतामे फँसाबयके षड्यन्त्र भ रहलासँ चिन्ता व्यक्त केलनि । पार्टीके केन्द्रीय कार्यक्रम अन्तर्गत कार्यकर्ता प्रशिक्षणके लेल महत चितवन पहुँचल छथि ।

सोनक दाम फेउर बढल

५ साउन, काठमाण्डौं । लगातार बढि क बुधदिन किछ घटल सोनाके भाऊ आइ फेउर बढल अछि । काल्हि तोलाके ४४ हजार रहल सोनाके आइ ४४ हजार दु सय रुपैंयामे कारोबार भ रहल अछि ।

मंगलदिन सोनके भाउ ४४ हजार तीन सय रुपैंया छल । इ सोनके अखनधरिके सबसँ  बेसी  मोल अछि । युरोपियन युनियनमे देखलगेल आर्थिक संकटसँ सोनके भाऊ अस्थिर भेलनेपाल सुनचाँदी व्यवसायी महासंघक अध्यक्ष तेजरत्न शाक्य बतौलनि – ‘अखनो किछदिन एहने अवस्था रहत ओ कहलथि ।


पोखराके पर्यटन विकासमे चीन सहयोग करत


पोखरा, श्रावण ५ । नेपालक लेल चीनके राजदुत याङ होलन पोखराके पर्यटन विकासमे आवस्यक सहयोग करब बतौलनि अछि ।
राजदूत याङ पोखरा पर्यटकीय आकर्षणके केन्द्र भेलासँ एक बैकल्पिक विमानस्थल आवश्यक रहल कहैत ओ अहितर्फ अपने चीन सरकारसंग बात करब बतौलनि । अफ सिजनमे सेहो अपने पोखरामे बहुत चिनियाँ पर्यटक देखने आ अन्तराष्ट्रिय विमानस्थल हाएत त आरो संख्या बढ्यके विश्वास लेने बतौलनि ।

ओ पोखराके नेपालमे चीनियाँ लगानी कर्ता लगानी करय चाहने आ अइके लेल राजनैतिक स्थिरता, संक्रमणकालके अन्त्य, शान्ति आ संविधान बनय सकत त आओर वातावरण बनत बतौलनि ।

आइ भिन्सर पोखरेली पर्यटन ब्यवसायीसंगके बिमर्शमे राजदुत याङ नेपाल आ चीनबीचक पुरान सम्बन्धके आओर प्रगाढ बनाबय परत कहैत ओइके लेल नेपालके सब क्षेत्रमे सहयोग करय ईच्छुक रहलमे जोड देलनि ।


सँगम राई मोडेल

जननिर्वाचित संस्थाके विकल्प नहि अछि नेम्वाङ


५ साउन, काठमाडौँ । संविधानसभा अध्यक्ष सुवासचन्द्र नेम्वाङ जननिर्वाचित संस्थासँ शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणक काजके निश्कर्शमे पहुँचाबय परत बतौलनि अछि ।

कान्तिपुर डेन्टल कलेज आयोजना केने तेसर दन्त स्वास्थ्य विज्ञान प्रदर्शनीके आइ राजधानीमे उद्घाटन करैत नेम्वाङ दलसब बीचक विवादसँ शान्ति आ संविधान असमन्जसमे परल चिन्ता व्यक्त केलनि । माओवादी सेनाके लडाकूसबहक रेखदेख, समायोजन तथा पुर्नस्थापना विशेष समितिके बैसार औपचारिकतामे मात्रे सीमित रहैत एलासँ समायोजनके काम गति लेबय नहि सकल बतौलनि ।

शान्ति प्रक्रिया आगु बढ्य नहि सक्ला सँ संविधान निर्माणके काज सेहो प्रभावित भेल नेम्वाङक कहब छलनि । राष्ट्रिय अभिभारा पूरा करय दलसबके एके ठाममे ठार भेनाइके विकल्प नहि रहलमे जोड दैत ओ दलसबके सकारात्मक दबाब देबय सबसँग आग्रह कयलनि ।

अमरीका सोमालियाके अकालग्रस्त इलाक़ामें सहायता पठाबय लेल तयार


५ साउन, एजेन्सी । अमरीका इस्लामी ग्रुप अल शबाब के नियंत्रण वाला सोमालियाके अकालग्रस्त इलाक़ामें सहायता पठाबय लेल तयार अछि मुदा अमेरिका चाहैत अछि जे विद्रोही, सहायता सामग्रीके वितरणमें दखल नहीं दौक ।

अमरीकी अल शबाबके आतंकवादी ग्रुप मानैत अछि कियाक त बितल साल ओ सोमालियाके ओइ पैघ इलाक़ामें सहायता रोकि देने छल जतय ओकर नियंत्रण छल ।

संयुक्त राष्ट्र  दक्षिणी सोमालियाके २ टा इलाक़ाके अकालग्रस्त घोषित केने अछि । अइ दुनु इलाक़ामें 50 सालसँ बेसी समयके बाद ऐहन सूखा पड़ल अछि ।

यूएस एजेंसी फ़ॉर इंटरनेशनल डेवलपमेंट के एक वरिष्ठ अधिकारी डोनाल्ड स्टीनबर्ग  कहलनि जे सहायता स अल शबाबके  लाभ नहि भेटबाक चाही ।

सुडान घोटालाके आरोपी खड्का विशेष अदालतमे


५ साउन, काठमाडौँ । सुडान घोटालाके आरोपी नेपाल पुलिसके पूर्वअतिरिक्त नावय महानिरीक्षक मदनबहादुर खड्का बयानक लेल आइ विशेष अदालतमे उपश्थित भेल छथि ।

खड्कासँग बयान लेलाबाद आइए थुनछेकसम्बन्धी बहस हाएत विशेष अदालत स्रोत जनौलक अछि । थुनछेक बहसके बाद विशेषके अध्यक्ष गौरीबहादुर कार्कीके संयुक्त इजलाससँ घोटाला प्रकरणसँ अधिकारीके सफाई देबयके, थुनामे राखि क छानबिन आगु  बढाबयके या धरौटी ल क तारेखमे रिहा करयके विषयमे फैसला सुनाओल जाएत  बताओलगेल अछि । बयानके लेल खड्का भिन्सर साढे १० बजे विशेष अदालतमे उपश्थित भेल छथि । बितल  १३ अखारमे खड्काके नहि भेटलाबाद विशेष अदालतके कर्मचारी हुनकर घरमे म्याद तामेलीके पत्र साटि क आएल छल ।

संयुक्त राष्ट्र संघक आहृवानमे सुडानके डार्फरमे शान्ति स्थापना कार्यमे खटल नेपाल प्रहरीके युनिटके लेल आवस्यक बख्तरबन्द गाडी खरिद करयके क्रममे करिब २९ करोड रकम भ्रष्टाचार भेल ठहरसहित अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग बितल २४ जेठमे विशेष अदालतमे तीन पूर्वप्रहरी महानिरीक्षक सहित ३६ गोटे विरुद्ध मुद्धा दायर केने छल ।
अहिस आगु विशेष अदालत वायह प्रकरणमे फँसल पूर्वप्रहरी महानिरीक्षकद्वय रमेशचन्द ठकुरीके ७ आ हेमबहादुर गुरुङके ५ करोड, पूर्वअतिरिक्त महानिरीक्षक दीपेन्द्रबहादुर बिष्टके १ करोड, प्रहरी वरिष्ठ उपरीक्षक श्यामबहादुर खड्काके ७० लाख आ नायव उपरीक्षकद्वय दिनेश केसीके ३५ लाख आ प्रकाश अधिकारीके सात लाख धरौटी बुझाक  तारेखमे रिहा करय निर्देशन द चुकल अछि ।

गृहमन्त्री थिम्पु नहि जेताह


काठमाडौ, श्रावण ५ । गृहमन्त्री कृष्णबहादुर महरा अपन थिम्पु जेबाक कार्यक्रम रद्द केलनि अछि ।
सार्क गृहमन्त्री स्तरीय बैसारमे सहभागी होबय शुक्रदिन महराके ओइदिस जेबाक कार्यक्रम तय भेल छल । भुटानक राजधानी थिम्पुमे सार्क राष्ट्रक गृहमन्त्रीसब भेला भ रहल अछि ।

महराक प्रेस संयोजक मनोज मगर माओवादी अपन मन्त्रीसब हेरफेर करयके तयारी केलासँ गृहमन्त्री अपन विदेश यात्रा रद्द केने बतौलनि । कोनो समय पार्टी सरकारसँ फिर्ता बजाबय सकयके सम्भावना रहलासँ एहन अवस्थामे विदेश भ्रमणमे जेनाइ उचित नहि भेलासँ महरा एहन निर्णय लेने बताओलगेल अछि ।

Wednesday, July 20, 2011

निलम्बित डीएसपी अधिकारी बयानक लेल विशेष अदालतमे

४ साउन, काठमाडौँ । विशेष अदालत सुडान घोटाला प्रकरणके आरोपी निलम्बित प्रहरी नायव उपरीक्षक प्रकाश अधिकारीसँग बयान ल रहल अछि ।

अधिकारीसँग बयान लेलाबाद आइए थुनछेकसम्बन्धी बहस हाएत बताओलगेल अछि । बहस सम्पन्न भेलाबाद विशेष अदालतके अध्यक्ष गौरीबहादुर कार्कीके संयुक्त इजलाससँ घोटाला प्रकरणसँ अधिकारीके सफाई देवयके, थुनामे राखि क छानविन आगु बढावयके या धरौटी ल तारेखमे रिहा करयके विषयमे फैसला सुनाओल जाएत बताओलगेल अछि ।

बितल ९ असारमे म्याद तामेलीके पत्र बुझ्ने ठकुरी करिब दु सप्ताह अबेर क अदालतमे हाजिर भेल छथि । तामेली पत्र बुझ्ने १५ दिनमे अदालतमे उपश्थित होबयके कानुनी व्यवस्था अछि ।

संयुक्त राष्ट्र संघके आहृवानमे सुडानके डार्फरमे शान्ति स्थापना कार्यमे खटल नेपाल प्रहरीके युनिटके लेल आवस्यक बख्तरबन्द गाडी खरिद करयके क्रममे करिब २९ करोड रकम भ्रष्टाचार भेल ठहरसहित अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग बितल २४ जेठमे विशेष अदालतमे तीन पूर्वप्रहरी महानिरीक्षक सहित ३६ गोटे विरुद्ध मुद्धा दायर केने छल । अहिस आगु विशेष अदालत वायह प्रकरणमे फँसल पूर्वप्रहरी महानिरीक्षकद्वय रमेशचन्द ठकुरीके ७ आ हेमबहादुर गुरुङके ५ करोड,,  पूर्वअतिरिक्त महानिरीक्षक दीपेन्द्रबहादुर बिष्टके १ करोड,, प्रहरी वरिष्ठ उपरीक्षक श्यामबहादुर खड्काके ७० लाख आ नायव उपरीक्षक दिनेश केसीके ३५ लाख धरौटी बुझा क तारेखमे रिहा करय निर्देशन देल जा चुकल अछि ।

खड्का, बिष्ट आ केसी घरजग्गा धरौटीमे राखि क रिहा भ चुकल छथि त  गुरुङ  धरौटी रकम बुझावय नहि सकलाबाद गुरुङ बितल ब्रिहस्पतिदिन आ ठकुरी मंगलदिनसँ कारागारमे छथि ।

५० सँ बेसी कर्मचारी नियन्त्रणमे

विराटनगर, श्रावण ४ । मोरङ जिल्ला प्रशासनमे धर्ना द काज अवरोध करय चाहने ५० स बेसी गोटे  कर्मचारीके आइ पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।
 सरकार बजेटमार्फत वृद्धि केने तलबप्रति असन्तुष्टि जनबैत आन्दोलनमे उतरल कर्मचारीसब प्रशासन कार्यालयके मूलद्वारमे बसि क सेवाग्राहीके प्रवेश करय नहि द कार्यालयके काममे अवरोध पहुँचाबय चाहला पर पुलिस  नियन्त्रणमा लेने अछि । कर्मचारीसब जुलुससहित प्रशासन कार्यालय पहुँचल छल । पुलिस हुनकासबके गिरफतार क  खेलकुदके कभर्ड हलमे रखने अछि ।

मुसलाधार बर्षाके कारणे रौतहटमे एकटा महिलाके मृत्यु

साउन ४, रौतहट । काल्हिसँ परिरहल मुसलाधार बर्षाके कारणे घर खसलासँ रौतहटमे एकटा महिलाके मृत्यु भेल अछि।

रौतहटके ब्रम्हपुरी गाबिस-७ रहनिहारि जयकलि देबिके मृत्यु भेल पुलिस जनओलक अछि। आई भोरमे टुटल अबस्थामे रहल दु तल्लाक खपराके घर खसलासँ हुनक घटना स्थलेपर मृत्यु भेल अछि।

शबके पोष्टमार्टमकेलेल गौर अस्पताल आनलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनओलक अछि।

नेपाल देखयवला साउदी राजुदत काठमाडौँ आबिरहल

४ साउन, काठमाडौँ । बंगलादेशके ढाकासँ नेपाल मामिला देखैत आएल साउदी अरबके राजदुत डा. अब्दुल्लाह अल यान मुसायरी आई नेपाल आबए लागल छथि।

राजदूत मुसायरी नेपालमे साउदी अरबके दुतावास खोलय लेल पूर्वाधार अवलोकन करय आवय लागल परराष्ट्र मन्त्रालय स्रोत जनौलक अछि । नेपालमे साउदी अरबके दुतावास नहि भेलासँ बंगलादेशसँ नेपाल मामिला सेहो देखैत आएल मुसायरी नेपाल रहयके क्रममे प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल, उपप्रधान एवम् गृहमन्त्री कृष्णबहादुर महरा, उपप्रधान एवम परराष्ट्रमन्त्री, उपेन्द्र यादव आ श्रम तथा यातायातमन्त्री मोहम्मद इस्तियाक राई सहित सँ भेट्यके कार्यक्रम तय कयलगेल मन्त्रालय जनौलक अछि ।

मुसायरीके नेपाल भ्रमणके त्रममे साउदी अरबमे रहल नेपाली कामदारके समस्या, तलब सुविधा आ सुरक्षा सहितक विषयमे सेहो बिमर्श होयबाक मन्त्रालयके शिष्टचार महापाल मुक्तिनाथ भट्ट जानकारी देलनि । मुसायरीसँग नेपालमे दुतावास खोलयके विषयके प्राथमिकताके सँग उठावयके तयारी रहल महापाल भट्ट जानकारी देलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन