Thursday, March 03, 2011

गद्दाफी देलनि 'खूनी युद्ध' क चेतावनी


एजेन्सी, फागुन १९ । लीबियाई नेता मुअम्मर गद्दाफी देशके सत्ता छोडयस अस्विकार करैत चेतावनी देलनि जे जँ कोनो विदेशी हस्तक्षेप कएलगेल त अईके नतीजा 'खूनी युद्ध' के रूपमें निकलत । जाहिमे हजारों लीबियाई नागरिक मारल जाएत ।

गद्दाफी दु हफ्ता पहिने अपना बिरुध्दमे शुरू भेल विद्रोहके बाद पहिल बेर एकटा जनसभाके संबोधित करैत कहलनि जे हम अमेरिकाके हस्तक्षेप बर्दाश्त नहि करब । एकर नतिजा खूनी युद्धके रूपमें निकलत आ अमेरिका तथा नाटोके लीबियामें प्रवेश करय पऽ हजारों लीबियाई मारल जाएत । अहि संबोधनके सरकारी टेलीविजन पर सीधा प्रसारण करैत गद्दाफी दावा केलनि जे सत्ता विरोधी प्रदर्शन लीबियाके तेल संसाधन प कब्जा जमाबयके षड्यंत्रके लेल भ रहल अछि ।

एक घंटाधरि चलल सँबोधनमे गद्दाफी कहलनि जे ईश्वरके कृपास हम अंत तक अंतिम पुरुष आ अंतिम महिलाके जीवित रहय तक लड़ब । लीबियाके लाखों गोटे हमर समर्थनमे अछि आ ओ हमरा लेल मरयलेल तयार अछि।

अपन संबोधनमें गद्दाफी बेर बेर दावा केलनि जे हुनक 41 वर्ष पुरान शासनके बिरुध्द विद्रोह भड़काबयमे अलकायदाके हाथ अछि ।

गद्दाफी 41 साल पहिने सैन्य विद्रोह क सत्ता प कब्जा केने छल । ओ २ मार्च 1977 के अइके 'पीपुल्स पॉवर' घोषित केलनि ।

शान्ति प्रक्रिया पुरा भेलाबाद मात्रे संविधानः कांग्रेस

काठमाडौं, फागुन १९ । नेपाली कांग्रेस शान्ति प्रक्रिया पुरा नै होबयधरि नयाँ संविधान जारी होबय नै सकत निष्कर्ष निकाललक अछि । पार्टी कार्यालय सानेपामे आइस सुरु भेल कांग्रेस केन्द्रीय कार्यसमितिके बैसारस शान्ति प्रक्रिया पुरा नै होबयधरि जारी कएल जाएबला संविधान स्थापित होबय नै सकत निष्कर्ष निकाललक अछि ।

बैसारस माओवादी शान्ति प्रक्रियाके वेवास्ता करैत आगामी चैत्र मसान्तधरिमे शान्ति प्रक्रिया पुरा करय लेल जोड देलक अछि । माओवादी अपन लडाकूसबके कायम रखैत नयाँ संविधान निर्माण जारी करय चाहने कहैत बैसारस शान्ति प्रक्रियाके आगु बढाबयके निर्णय केने केन्द्रीय सदस्य महेन्द्र यादव जानकारी देलनि ।

बैसारस द्धन्द्धकालमे कव्जा कएलगेल सम्पक्ति फिर्ता करयके, वाइसीएल भङ्ग करयके आ द्धन्द्ध पिडितसबके तत्काल राहत देबयके माँग केलक अछि ।

बैसारमे बाजयबला अधिकाशं नेतासब माओवादी जनस्वयंम सेवकके नाममे दोसर वाइसीएल गठन करय चाहिरहल कहैत माओवादीक आलोचना केलक अछि । केन्द्रीय कार्यसमितिके दोसर बैसार काल्हि शुक्रदिन बैसत ।

खेल समाचारक लेल

I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत भारतक चन्डीगढ स्थित मोहालीमे भ रहल साउथ अफ्रिका आ नेदरल्याण्ड बिचक खेलमे साउथ अफ्रिका नेदरल्याण्ड समक्ष जितयके लेल ३५२ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।

प्रतिउत्तरमे उतरल नेदरल्याण्ड टिम समाचार तयार करयधरि ओभर खेलैत बिकेटक क्षतिमे रन बनाक खेल रहल अछि ।
अहिना , आजुक दोसर

I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत कोलम्बोमे भ रहल पाकिस्तान आ क्यानाडा बिचक खेलमे पाकिस्तान टस जित क पहिल ब्याटिड क रहल अछि ।
पाकिस्तान समाचार तयार करयधरि ओभर खेलैत बिकेटक क्षतिमे रन बनाक खेल रहल अछि ।

पारसकेँ चैत २ गतेकेँ पेशी मुद्दा खारेज करय नारावाजी


चितवन, फागुन १९ ।
पूर्व युवराज पारस शाहकेँ चितवन जिल्ला प्रशासन अगामी चैत २ गतेक पेशी तोकने अछि । ओहि दिन मुद्दाकेँ निर्णय लगेवाकलेल पेशी तोकलगेल अछि । सरकारी फौजदारी मुद्दा लागलाक कारण वारेस देवय नहि मिललाक कारण पारस अपने उपस्थित भेल छलथि ।
अगहन २६ गते ओ चितवन निकुञ्ज भितर रहल टाइगर टप्स होटमे रुवेल सँ भेल विवादकवाद गोली चलौने छल । ओहिके बाद मेघौलीक प्रहरी सहायक निरीक्षक गंगावहादुर क्षेत्री हुनका विरुद्ध मुद्दा दायर कएने छलथि । टाइगरक टप्सक कर्मचारी सहित आठ गोटे पेशिके क्रममे आइ साक्षी वयान देलक अछि ।

अहिविच, राजावादीसभ हुनका विरुद्ध लागल मुद्दा खारेज करय दवाव दैत जिल्ला प्रशासन कार्यालय वाहर नारावाजी कएलक अछि । काँग्रेस नेतृ सुजाता कोइरालाक जमाय बंगलादेशी नागरिक रुवेल चौधरी उपर गोली चलौने आरोपमे अगहन २८ गते पोखरामे पकरायल हुनका चितवन प्रशासन १० हजार धरौटीमे आइ उपस्थित होवय परवाक तारेख पर रिहा कएने छल ।
तारेख लेवय चितवन पहुँचल पारस शाहकेँ ओहि ठाम भव्य स्वागत करवाक तयारी कएने छल ।

साउथ अफ्रिकाद्वारा नेदरलैण्ड समक्ष ३५२ रनक लक्ष्य प्रस्तुत पाकिस्तानक बढिया शुरुवात


ऐजेन्सी, फागुन १९ ।
आइसीसी त्रिmकेट विश्वकप प्रतियोगिता अन्र्तगत आइ दुटा खेल भऽ रहल अछि । मोहालीमे भऽ रहल साउथ अप्रिmका आ नेदरल्याण्डविचक खेलमे साउथ अप्रिmका नेदर ल्याण्ड समक्ष ३ सय ५२ रनक लक्ष्य प्रस्तुत कएलक अछि । नेदरलैण्ड टस जित कऽ पहिने क्षेत्र रक्षण करवाक निर्णय कएलाकवाद व्याटिङ्ग करय आएल साउथ अप्रिmका निर्धारित ओभर खेलैत ५ विकेटकेँ नोक्सानमे ३ सय ५१ रन बनौलक अछि । साउथ अप्रिmकाकलेल एवी डेविलियर्स सर्वाधिक १ सय ३४ रनक पारी खेलने छथि तऽ हासिफ अमला सेहो एक सय १३ रनक पारी खेललन्हि । तहिना डेामिनी ४० रनक योगदान देने छलथि । नेदरलैण्ड दिस सँ डोएसचेट तीन तथा लोटस १ विकेटलेवयमे सफल भेल छल । इमहर, अखन नेदरलैण्ड १४ ओभर खेलैत २ विकेटक नोक्सानमे ५३ रन बना खेल रहल अछि । नेदरलैण्डक लेल केरभेजी १० , कुपर ९ रनक योगदान देलन्हि अछि तऽ अखन पिच व्रेसी ३० आ जुइडेरनेट १ रन बनौलक अछि ।
तहिना भऽ रहल पाकिस्तान आ क्यानाडा बिचक दोसर खेलमे पाकिस्तान टस जित कऽ पहिने व्याटिङ्ग करयकेँ निर्णय कएलक अछि । पाकिस्तान ५ ओभर खेलैत १ विकेटकेँ नोक्सानम २० रन बनौलक अछि । पाकिस्तानकलेल माहोम्मद हाफिज ११ रन बना आउट भेल अछि तऽ एखन पिच पर अहेमद सेहजाद आ कमरान अकमल ७ आ ० रन बना कऽ व्याटिङ्ग कऽ रहल अछि ।
क्यानाडाकलेल ओसिन्डे एक विकेट लेवयमे सफल भेल अछि ।

महरा वरिष्ठ उपप्रधान सहित सञ्चारमन्त्री

काठमाण्डू, फागुन १९ ।
माओवादीक नेतृत्व करैत सरकारमे सहभागी होवय लागल स्थायी समिति सदस्य कृष्णवहादुर महरा वरिष्ठ उपप्रधानमन्त्री सहित सूचना तथा सञ्चारमन्त्री देवाक निर्णय कएलगेल अछि ।
परिसडाँडामे आइ बैसल स्थायी समितिक वैसारकवाद प्रवक्ता दीनानाथ शर्मा इ जानकारी देलन्हि अछि । सञ्चार मन्त्रालय बाहेक माओवादी १० टा मन्त्रालय लेत आ अन्य मन्त्रालय आ मन्त्रीसभकेँ नाम ४ बजेक पुनः बैसयवला स्थायी समिति वैसार सँ अन्त लगाओल जायत ओ जानकारी देलन्हि अछि ।
अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल गुल्मी महोत्सव उदघाटनमे जायकेँ कार्यत्रmम रहलाक कारण बैसार ४ बजेधरिकेँ लेल स्थगित कएलगेल अछि ।

आतंकी हमलामे चारिकेँ मृत्यु ३३ घाइल

ऐजेन्सी, फागुन १९ ।
आतंकवादीसभ पुलिसकेँ एकटा सवारीपर पश्चिमोत्तर पाकिस्तानके हंगू शहरमे बम आक्रमण कएलक अछि ।
बम आक्रमणमे परि चारि गोटेकेँ मृत्यु भेल अछि तऽ ३३ गोटे अन्य घाइल भेल अछि । पुलिसक अनुसार विस्फोटमे गस्तीक सवारीक निसाना बना आत्रmमण कएलगेल अछि । बिस्फोटमे परि थप चारिटा सवारीसाधन आ घर सेहो नष्ट भेल अछि । चारि पुलिस कर्मी आ अनेक महिला सभ तथा वच्चासभ घाइल भेल अछि । घटनाक सम्वन्धमे अनुसन्धान भऽ रहल पुलिस जनौलक अछि ।

भट्टराईके स्वास्थ्यप्रति खनालक चिन्ता


काठमाडौँ , फागुन १९ । नेपाली कांग्रेसक एक मात्र संस्थापक नेता एवम् पूर्वप्रधानमन्त्री कृष्णप्रसाद भट्टराईके स्वास्थ्यस्थितिके बारेमे प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल जानकारी लेलनि अछि ।

भट्टराईके स्वास्थ्यस्थिति अखन अत्यन्त गम्भीर रहल हुनक इलाजमे संलग्न चिकित्सकसब बतौलक अछि । भट्टराईस भेट क बहराएल प्रधानमन्त्री खनाल अपनाके चिकित्सकसब भट्टराईके स्वास्थ्यस्थितिमे सुधार होबय सकत जानकारी देने बतौलनि ।

भौजीके हत्या करयबला देउर गिरफ्तार

सिराहा, फागुन १९ । सिरहा जिल्लाके महनौर गाविस अन्तर्गत बुढियाचाप निबासी रामप्रित महतोके कनिया मन्तोरिया देवी महतोके हत्यामे संलग्न रहल आरोपमे ओकर देउर जलेश्वर महतोके गिरफ्तार कक पुलिसके बुझाओलगेल अछि ।

रामप्रितके भाइ जलेश्वर सहित पाँच गोटे रामप्रितक कनिया मन्तोरियाके पिटपाट क हत्या केलाबाद आमक गाछ कर लटका देने छल । हत्याके बाद फरार रहल मे स जलेश्वरके मृतक मन्तोरियाके काका कुसुम महतो आ बाबु शौडीलाल महतो गागन खोलास गिरफ्तार कक पुलिसके बुझौलक अछि । पुलिस आरो दोषीके खोजी भरहल जनौलक अछि ।

तारेख लेबय पारस चितवन प्रशासनमे

चितवन, फागुन १९ । पूर्व परराष्ट्रमन्त्री सुजाता कोइरालाके जमाए रुवेल चौधरी उपर गोली चलाबय चाहने आरोपमे गिरफ्तार भ तारेखमे रिहा भेल पूर्व युवराज पारस साह अपन पहिल तारेख लेबय आइ जिल्ला प्रशासन कार्यालय चितवन पहुँचल छथि ।

पारस अपन सहयोगीसबहक साथमे स्थालमार्गस भिन्सर जिल्ला प्रशासन कार्यालय चितवन पहुँचल छथि ।

बितल अगहनमे चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज भितर रहल होटल टाईगर टप्समे तात्कालिन उपप्रधानमन्त्रि सुजाता कोईरालाके जमाए वंगलादेशी नागरिक रुवेल चौधरी उपर गोली प्रहार केने अभियोगमे पोखरास गिरफ्तार भेल शाह धरौटीमे रिहा भेल छलथि । पुर्ब युवराज शाह बिरुद्ध सरकारबादी होबयबला फौजदारी मुद्धा दर्ता भेलास वारेश या वकिलके पठाबय नै मिललास शाह अपने ओहिठाम पहुँचल हुनक निकटतम ब्यक्ति जानकारी देलक अछि ।

सार्बजनिक ऐन अन्र्तगतके मुद्धा प्रमुख जिल्ला अधिकारीके देखयके ब्यवस्था रहल अनुसार आइ चितवनके प्रमुख जिल्ला अधिकारी शाह आ सरकारी वकिलके दिसस साक्षी झिकाबय आदेश दैत दोसर तारिख तोकय सकयके कानुन ब्यवसायी जानकारी देलक अछि ।

भावी संविधानके नाम काल्हि राखल जाएत: पौडेल


काठमाडौँ , फागुन १९ । नयाँ संविधानके नाम कि राखल जाए विषयमे लम्बा समयस विवाद क रहल दलसब काल्हि भावी संविधानके नामके निश्कर्ष लगाबय लागल अछि ।

संवैधानिक समितिके सहयोग करय जका बनल विवाद समाधान उपसमितिके आइ भेल बैसारक बाद सञ्चारकर्मीसभसँग बातचित करैत नेपाली काँग्रेस संसदीय दलक नेता समेत रहल उपसमितिक सदस्य रामचन्द्र पौडेल भावी संविधानके नाम कि राखल जाए बिषयमे काल्हि निर्णय हाएत बतौलनि अछि । पौडेल आजुक बैसारमे दु सदनात्मक संसदके काम आ संविधानक नाम कि राखयके बारेमे बिमर्श भेल बतौलनि ।

अहिस आगु बैसल उपसमितिके बैसारस राष्ट्रियसभा आ प्रतिनिधिसभा सहित दु सदनके व्यवस्था करयके सहमति जुटौने छल । नेपालक संविधान, जनताके सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र या सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र जेहन नामसबहक बारेमे बैसारमे बिमर्श भेल पौडेल बतौलनि ।

आजुक बैसारमे माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड अनुपस्थित भेलाबाद सदस्य रामचन्द्र पौडेलक संयोजकत्वमे बिमर्श भेल छल ।

नयाँ संविधान लेखनमे शासकीय स्वरूप, राज्यके पुनसंरचना, न्यायीक प्रणाली सहितक विषयसबमे दलसबबीच अखनो सहमति जुटय नै सकल अछि ।

90 करोड़ लोगके अछि ख़तरा - बिज्ञान

इंटरनेट एक्सप्लोररमें एकटा भारी सुरक्षाके कमीके कारणस 90 करोड़ लोगके निजी जानकारी ख़तरामे रहल माइक्रोसॉफ़्ट जनौलक अछि ।

एक अत्यंत गंभीर श्रेणीके सुरक्षा चेतावनी जारी करैत माइक्रोसॉफ़्ट कहलक अछि जे अइ सुरक्षा कमीके कारणस विंडोज़के सभ ऑपरेटिंग सिस्टम्स ख़तरामे अछि ।

एहन सुरक्षा कमीके कारणस दुनिया भरिमे इंटरनेट प्रयोग क रहल ब्यक्तिके निजी गोपनीय जानकारी चोराएल जा सकैय आ ओकर कंप्यूटरके नियंत्रण सेहो ककरो हाथमें जा सकैय ।

अहिमे विंडोज़ XP, विंडोज़ विस्टा, विंडोज़ 7, विंडोज़ सर्वर 2003, आ विंडोज़ सर्वर 2008 सेहो अबैत अछि ।

माइक्रोसॉफ़्ट इहो बतौलक अछि जे दोसर वेब ब्राउज़र जेना फ़ायरफ़ॉक्स, गूगल कम आ सफ़ारी इ ख़तरा स सुरक्षित अछि ।

कंपनीके कहब अछि जे ओ अखनधरि अइ बग या सुरक्षा कमीके हटाबऽ नई सकल अछि मुदा ओ एकटा “फ़िक्स इट” सुरक्षा कवच जारी केलक अछि जे हैकिंगके कोशिशके रोकऽ सकत ।

सभ विंडोज़ प्रयोग करयबला, ख़ास क इंटरनेट एक्सप्लोररके प्रयोग करयबलास कंपनी स्थाई रूपस एकर तोड़ नहि खोजधरि ओ ओकर वेबसाइटस एहन सुरक्षा पैच या कवचके डाउनलोड कर अनुरोध केलक अछि ।

कंपनी अई सुरक्षा प गंभीर ख़तरा बतौलक अछि मुदा इहो कहलक अछि जे एखनधरि हैकर्स शायद अइ कमीके फ़ायदा नै उठाबय पौअने अछि ।

माइक्रोसॉफ़्टके एक प्रवक्ताके अनुसार अइ सुरक्षा कमीके कारणस इंटरनेट यूज़र्सके असली जेहन देखयमे आबयबला नकली वेबसाइट्स प पठाओल जा सकैय आ ओकर ईमेल आ पासवर्ड चोरी भ सकैय ।

बैतडी क्षेत्र नम्बर ६ पराजित

जनकपुर, फागुन १९ । बिरगंजमे भऽ रहल एमजि ट्रफिक टि ट्वाईन्टि टुर्नामेन्टक आजुक खेलमे जनकपुर क्षेत्र नम्बर ७, बैतडी क्षेत्र नम्बर ६ के पराजित कएलक अछि।

टस जित कऽ पहिने बल्लेबाजि करैत क्षेत्र नम्बर -६ बैतडी १५.५ ओभरमे सम्पुर्ण बिकेटक क्षतिमे ७६ रन बनओने छल। जनकपुरक राज मोहम्मद १२ रन खर्चा करैत ४ बिकेट लेने छल । तहिना, अनिल मण्डल ३ आ कुमार प्रशुन्न २ बिकेट लेने छलथि ।
प्रतिउत्तरमे ७७ रनक बिजयी लक्ष्य ल मैदानमे उतरल जनकपुर ३ बिकेटक क्षतिमे मात्र १३ ओभरमे जितयमे सफल भेल छल । जनकपुरक दिसस अनिल मण्डल ३६, शोभाकान्त पाण्डे १३ , हरी शँकर साह १० रन बनौने छलथि ।

महतो ग्रुपक आयोजनमे चलि रहल एमजि ट्रफिक टि ट्वाईन्टि टुर्नामेन्टक आजुक खेलमे जनकपुरक राज मोहम्मदके मैन अफ दि मैच देल गेल नेपाल क्रिकेट संघक केन्द्रिय सदस्य एबम क्षेत्र नम्बर -७ जनकपुरक उपाध्यक्ष गिरीजानन्दन मिश्र जानकारी देलनि अछि।

facebook Page Like

  • मनोरँजन