Friday, April 01, 2011

बाबुराम भट्टराईके बिष्फोट होबय नहि देब : गजुरेल


सिन्धुली , चैत १८ माओवादी सचिव सीपी गजुरेल माओवादीमे तीन टा धार प्रष्टरुपम देखयमे अबितो पार्टी कोनो हालतमे नहि फुटत दाबी कएलनि अछि ।
 क्रान्तिकारी पत्रकार संघ धुराबजारमे आइ साँझ आयोजना केने पत्रकार सम्मेलनमे सचिव गजुरेल माओवादी पार्टी फुट्यके हल्ला मात्रे भेल कहैत बाबुराम भट्टराई बिष्फोट होबय नहि देबयके वातावरण सिर्जना करब  बतौलनि ।
 बाबुराम भट्टराईमदिस इंगित करैत प्रेसर कुकरके ढक्कन  खोलय नहि देला स मात्रे बिष्फोट होयबाक  भेला स ढक्कन खोलयके वातावरण बनाबय नेतृत्व तह लागि परल सचिव गजुरेल बतौलनि ।
 भट्टराई किछ दिनआनग दोलखामे आयोजित कार्यक्रममे विचारके बहस रोकत त प्रेसर कुकर बन्द केलासँ  विष्फोट भेल जका पार्टी सेहो विष्फोट हाएत  बतौने छलथि ।

एमाले मन्त्री चुनय नहि सकल


काठमाडौ, चैत्र १८ । सरकारमे पठाबयके मन्त्रीसबहक नाम चयन करय आइ बैसल एमाले स्थायी कमिटीक बैसार स्थगित भेल अछि । बैसार रबिदिनधरिके लेल बजाओगेल अछि ।
 सरकार गठन भेल दु महिनाधरि सेहो सरकार पूर्णता नहि पौलाबाद आलोचित प्रधानमन्त्री एवं पार्टी अध्यक्ष झलनाथ खनाल मन्त्री चयनक लेल स्थायी कमिटीक बैसार बजौने छल । बैसारसँ मन्त्री चयन करयके सँगहि केन्द्रीय कमिटी बैसारके मिति तय करबाक  बताओगेल छल ।
 स्रोतक अनुसार प्रधानमन्त्री खनाल सुदुरपश्चिम सँ भानुभक्त जैसी, मधेसी सँ रघुवीर महासेठ तथा महिला सँ उर्मिला अर्याल आ राधा ज्ञवालीके सरकारमे पठाबयके प्रस्तावक तयारी केने अछि । पार्टीको आन्तरिक विवादक कारण एमाले एखनधरि तीन मन्त्री मात्रे सरकारमे पठौने अछि ।
 गठबन्धनके प्रमुख घटक एमाले आ माओवादीके पार्टी भितरके विवादक कारण सरकार पूर्णता पाबय नहि सकल अछि । माओवादी सेहो मन्त्री चुनय आइ बजौने स्थायी समितिक बैसार निष्कर्षविहीन भेल अछि ।
 प्रधानमन्त्री खनाल सोमदिनधरि सरकारके पूर्णता देबयके तयारी कएलनि अछि ।

संक्षिप्त संविधान लौनाइ उपयुक्त नहि हाएतः थापा


काठमाडौं, चैत १८ । राष्ट्रिय जनशक्ति पार्टीक अध्यक्ष सूर्यबहादुर थापा संक्षिप्त संविधान लौनाइ  उपयुक्त नहि हाएत बतौलनि अछि ।
धरफरिमे संक्षिप्त संविधान लौला सँ राज्यके धोका हाएत कहैत ओ निर्धारित तिथिमे सँबिधान बनय नहि सकल त जनता सामु बनाबय नहि सकलौ कहैत  म्याद थपल जाएत बतौलनि ।
आइ अपन निवास मालिगाउँमे सञ्चारकर्मीसबसँग बातचित करैत थापा संविधानके मूल विषयमे  प्रवेश नहि भरहल एखुनक सन्दर्भमे बाँकी रहल दु महिनाके अवधिमे संविधान जारी होबय सकत से अपनाके नहि लागि रहल बतौलनि ।
संविधानक आधारभूत विषयमे माओवादीके सिद्धान्त बहुत बेसी अलग रहल कहैत ओ सहमति कायम करय बेसी  कठिन हाएत बतौलनि ।
माओवादी आ एमालेके स्पष्ट बहुमत पहुँचरहल  अवस्थामे सरकार पूर्णता पाबय नहि सकनाइ शुभ संकेत नहि रहल कहैत  जनतामे सरकार प्रतिके विश्वास हेराइत गेल उल्लेख कएलनि ।

कांग्रसद्वारा सदनमे उपप्रधानमन्त्रीके जवाफ अस्वीकार, संसद अवरुद्ध


काठमाण्डू , चैत १८ । अर्थसचिव रामेश्वर खनाल राजीनामा प्रकरणमे प्रधानमन्त्रीके स्पष्टिकरण माँग करैत नेपाली कांगे्रस व्यवस्थापिका संसदके बैसार आइ लगातार दोसर बेर  अवरुद्ध भेल अछि ।
संसदके आजुक बैसारमे सुरुमे कागे्रस मुख्य सचेतक लक्ष्मण घिमिरे, गोपालमान श्रेष्ठ आ केन्द्रीय सदस्य डा रामशरण महत अर्थसचिव प्रकरणमे प्रधानमन्त्रीके उपस्थित भऽ जवाफ देबयके  माँग करैत सदन चलय  नहि देब बतौने छलथि । कांगे्रसक विरोधक बाद संसदके बैसार २१ गते सोमधरिके लेल  स्थगित भेल अछि । कागे्रस सभासदसब बजिते उपप्रधानमन्त्री भरत मोहन अधिकारी बाजयके लेल हात उठौलाबाद कागे्रस सभासद विरोध जनौने छल ।
 ओइस आगु डा महत संसदसँ पारित चालु बजेटके कार्यक्रम रोकि कऽ पूरक बजेट मार्फत राजनीतिक तवरमे बाँटय चाहने आरोप लगौलनि । नेपाली कागे्रसक डा रामशरण महत अर्थमन्त्री भरतमोहन अधिकारीके निर्देशनमे चैत्र १३ गते अर्थमन्त्रालय स अन्य मन्त्रालयमे कएलगेल गोप्य पत्र सँ संसद सँ पारित भेल बजेट रोकय निर्देशन देने बतौलनि अछि ।
एकटा पार्टीके निहित स्वार्थक लेल कथित पूरक बजेटके तयारीके लेल दवाब द रहल  आरोप लगबैत महत एहन अबस्था सहय नहि सकि कऽ सचिव राजीनामा देने  दावी कएलनि ।

नेविसंघक विवाद सहमति मार्फत मिलाबय कांग्रेस नेतासबहक जोड


काठमाण्डौ, चैत १८ । नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय समितिक आजुक बैसारमे बाजयबला अधिकांश केन्द्रीय सदस्यसब नेपाल विद्यार्थी संघक विषयमे बढल विवादमे सहमतिक प्रयास करय परत बतौलनि अछि ।
 पार्टी कार्यालय सानेपामे बैसल बैसारमे बाजयबला नेतासब पक्ष विपक्षमे करय स निक सहमतिमे जाए परत आ संक्रमणकालमे शान्ति आ संविधानके लेल पार्टीके ध्यान केन्द्रित करय परत बतौने केन्द्रिय सदस्य दिलबहादुर घर्ती जानकारी देलनि ।
कांग्रेस संस्थापन पक्ष नेविसंघ विघटनके महामन्त्री प्रकाशमान सिंहक प्रतिवेदनके पारित करय परत  धारणा रखने छलथि त देउवा पक्ष नेविसंघके विघठन केला सँ  अन्य भ्रातृ संगठनसबमे समेत खराब  सन्देश जाएत कहैत महामन्त्रीके प्रतिवेदन फिर्ता लेबयके अडान लेले नेता गोपालमान श्रेष्ठ बतौलनि ।
 महामन्त्री सिंहक प्रतिवेदनमे विघटनके विषय नहि रहल आ ओइके आसय नेविसंघके लम्बा समयसँ महाधिवेशन नहि भेलास महाधिवेशन तयारी समिति बनाबयमे प्रतिवेदन लक्षित रहल संस्थापन पक्षक नेतासब बतौने छलथि ।
 आजुक बैसारमे केन्द्रिय सदस्यसब अर्जुनप्रसाद जोशी, महालक्ष्मी उपाध्याय, कमला पन्त, अजय चौरसिया सहितक क १० गोटे अपन धारणा रखने छलथि । बैसार काल्हि भिन्सर ११ बजे फेउर बैसत कांग्रेस जनौलक अछि ।

स्वायत्त मधेश स्वीकारब त देश विभाजन हाएतः बिजुक्छे


भक्तपुर, चैत १८ । नेपाल मजदुर किसान पार्टीक अध्यक्ष नारायणमान बिजुक्छे मधेशवादी दल मँगने  जेहन स्वायत्त मधेश स्वीकार्य हाएत त देश विभाजन हाएत चेतावनी  देलनि अछि ।
 शारदा क्याम्पस भक्तपुरके २० हम् वाषिर्कोत्सवके आइ उद्घाटन करैत ओ देशमे जाति, भाषा आ धर्मके आधारमे संघीय राज्य बनाओल जाएत त आन्तरिक युद्ध सुरु हाएत बतौलनि । जातजाति आ भाषाके आधारमे राज्य विभाजन कएल जाएत त देश  हिन्दुस्तान आ पाकिस्तान जेहन हाएत हुनक कहब छलनि ।
माओवादी जातीयताके आधारमे संघीय राज्य होबयके माँग रखने आ मधेशवादी दल ५० प्रतिशत जनसङ्ख्या तराईमे रहल दाबी करैत वायह अनुसार अधिकार पाबयके माँग केलाबाद सवैधानिक समितिमे विवाद भडकल ओ बतौलनि ।
बेर बेर  संविधानसभाक म्याद थपनाइ ठीक नहि रहल कहैत अध्यक्ष विजुक्छे कहलनि जे-संविधानसभाक म्याद थप करयके बातमे जनता समेत स्विकारयबला नहि अछि ।
ओ सरकारक चाबी एकीकृत नेकपा माओवादीसँग मुदा नेतृत्व नेकपा एमाले क रहलाक  कारणे सरकार पूर्णता नहि पौअने बतौलनि ।

नेपाली युवा पैदल विश्व भ्रमण करत


काठमाण्डौ, चैत १८ । जलवायु परिवर्तनके असर सँ  विश्वके बचाबयके सन्देश सहित एक नेपाली युवक पैदल विश्व भ्रमण करय लागल अछि ।
 पर्वतको क्याङ्ग गाविस-१ के २८ वर्षक प्रेम पुन आगामि बैशाख १२ गते सँ पैदले विश्व भ्रमण करय  लागल अछि । वृक्षारोपण करैत जाउ, विश्वके विनास होबय सँ  जोगाउ  नारा सहित हरित क्रान्तिके लेल विश्वके एकताबद्ध करय आ अन्तर्राष्ट्रिय क्षेत्रमे आवाज बुलन्द बनाबयके उद्देश्यके सँग मनोक्रान्ति राष्ट्रिय अभियानके आयोजनामे यात्रा होबय लागल अछि । १२ वर्षभितरमे लक्ष्य पुरा कएल जाएत  आइ राजधानीमे आयोजित एक पत्रकार सम्मेलनमे जानकारी देलगेल अछि ।

रक्सौलमे गोली प्रहार सँ २ गोटेके मृत्यु


वीरगन्ज, चैत १८ । वीरगन्जके सीमावर्ती भारतीय बजार रक्सौलमे भुमिगत संगठनबीच एक आपसमे दुतर्फी चलौने गोली लागि शसस्त्र भुमिगत संगठनके दु गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
 रक्सौल बजारके कृष्ण टाँकीज सिनेमा हल लग रहल बैधनाथ शाहके होटलमे सशस्त्र समूहक कार्यकर्ताबीच एक आपसमे विवाद भऽ क दुनु पक्षबिच गोली चलला सँ  जनतान्त्रिक मधेश मुक्ति टाईगरके दु गोटे कार्यकर्ताके मृत्यु भेल अछि ।
 मृत्यु होबयबलामे पर्सा लिपनीमाल गाविस निवासी बादल सिँह उर्फ राजगुरु कहाएबला छोटेलाल पटेल आ बाराके भथौडा गाविसके सेखर सिँह रहल अछि । घटनास्थलमै  चौहान सिह कहाएबला रवीन पटेल  भागयमे सफल भेल अछि । एक गोटेके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल अछि त दोसर एक गोटेके इलाजक लेल अस्पताल ल जाईत काल बाटेमे मृत्यु भेल अछि । गोली चलाबयबला समुहक पहिचान होबय नहि सकल बिहार पुलिस जनौलक अछि ।

रक्षामन्त्री एके दिन आठ टा कार्यक्रममे / गोलाबारुद प्रदर्शन बन्द करः पौडेल


बुटवल, चैत १८ । रक्षा मन्त्री विष्णु पौडेल हतियार, बन्दुक आ गोलाबारुदके बलमे शक्ति प्रदर्शन करयके स्थितिके सभदिनक लेल बन्द करय वर्तमान सरकार प्रयत्नशील रहल बतौलनि अछि ।
 स्वतन्त्र विद्यार्थी युनियन लुम्बिनी वाणिज्य क्याम्पस बुटवल आयोजना केने कार्यक्रममे मन्त्री पौडेल हत्या हिंसा सँ नेपाली जनता घबरागेला सँ सभ नेपाली भयमुक्त भऽ क बाँचय आ अपन काम पुरा कराबय बन्दुक आ गोलाबारुदके बलमे शक्ति प्रदर्शन करयके स्थितिके सभदिनक लेल बन्द करय परत बतौलनि । ओ लोकतान्त्रिक संविधान लेखनमे वर्तमान सरकार प्रतिवद्ध रहल दाबी कएलनि ।
अटुट शान्ति आ संविधान लेखनमे रचनात्मक सुझाव आ दबाबके लेल युवा तथा विद्यार्थी वर्गके समेत पैघ भुमिका हाएत कहैत विकृती नहि फैला कऽ लक्ष्य पुरा करय  विद्यार्थीसभके सुझाव देलनि ।
आई रुपन्देहीके टिकुलीगढमे आयोजित दोसर एक कार्यक्रममे मन्त्री पौडेल तराईमे श्रृंखलावद्ध रुपमे भेल वम विष्फोटके घटना अपराधिक आ  निन्दनीय रहल बतौलनि । एहन घटना सँ नागरिकमे भय आ आतंक फैलत कहैत ओ एहन घटना दोहराए  नहि देबय, तराईमे सुरक्षा अवस्था मजवुद बनाबय आ अपराधीके दण्डीत करय राज्यके सब सुरक्षा अंगके प्रभावकारी रुपमे परिचालन कएलगेल जानकारी देलनि ।
 गृह जिल्लामे पहुँचल मन्त्री पौडेल आई आश्रीत स्मृति प्रतिष्ठान सहितक रुपन्देही तथा बुटवलके आठ टा कार्यक्रममे सहभागी भेलथि ।

सरकार असफल बनाबय चौतर्फी हमला भेलः प्रधानमन्त्री


सौराहा (चितवन), चैत १८ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल टिकाउ शान्ति कायम करय नयां संबिधान निर्माणक लेल अग्रसर भेल बर्तमान सरकारके असफल बनाबय चौतर्फी हमला शुरु भेल बतौलनि अछि  
 'अपराधीसभ आतंक फैला कऽ सरकार खसाबय चाहिरहल अछि, बिभिन्न किसिमक अराजक तत्वसभ  संबिधान निर्माणमे अबरोध सृजना करय चाहने अछि,' एमाले निकट पत्रकार संस्था प्रेस चौतारीके राष्ट्रिय भेलामे आई प्रधानमन्त्री कहलनि जे, 'बम बिस्फोट करा कऽ नागरिकके हत्या करय सँ शान्तिके बिध्न पहुँचाबयबलासभ सरकारके असफल सिद्ध करय चाहिरहल अछि ।'
मुदा बर्तमान सरकार एहन आपराधिक तत्व आ अराजक समुहके समाप्त कऽक छेडत ओ बतौलनि । प्रधानमन्त्री खनाल राजनितिक तहसँ  समेत सरकारके ब्यबधान पहुँचौने कहलनि ।
 'शान्ति भंग भेल त नयाँ संबिधान बनय  नै सक्लास अपराधीसभ सर्बसाधारणके बम फोरि कऽ आतंक फैलाबयके कुचेष्टा क रहल अछि ओ कहलथि ।
 प्रेस चौतारीके देशभरि स आएल प्रतिनिधिक बिच प्रधानमन्त्री खनाल पत्रकारके सुरक्षा, पारिश्रमिक, जिवन बिमा, बिज्ञापन सहितक आधारभुत आबश्यकताक लेल सरकार गम्भीर रहल बतौलनि । कार्यक्रममे एमाले पोलिटब्युरो सदस्य एवं प्रचार विभाग प्रमुख प्रदीप ज्ञवाली स्वतन्त्र प्रेसके स्थायित्व प्रदान करय आ ब्यावसायिकरण करय राज्यसँ ठोस कदम उठाबय परत बतौलनि ।

काल्हि भारत आ श्रीलंका बीच 2011 के विश्वकप फ़ाइनल खेल


ऐजेन्सी, चैत १८ । काल्हि भारत आ श्रीलंका बीच होबय जारहल 2011 के विश्वकप फ़ाइनल खेलके लेल मुंबईमें सुरक्षाके कड़ा ब्यबस्था कएल गेल अछि ।
तीस हज़ारस बेसीके सँख्यामे  वानखेड़े स्टेडियमके बाहर सुरक्षाकर्मीके खटाओगेल अछि । मुंबई पुलिसके अलावा राष्ट्रीय सुरक्षा गार्ड्स, महाराष्ट्र पुलिसके विशेष फ़ोर्स वन, रैपिड ऐक्शन फ़ोर्स सहित अन्य सुरक्षाकर्मीसभके खटाओगेल अछि ।
मुंबई पुलिस कमिश्नर अरूप पटनायक बतौलनि जे अहि खेलके लेल  करीब 5,000 सुरक्षाकर्मीके तैनाथ कएल गेल अछि । ‌ओ कहलनि जे ''सुरक्षाकर्मी आ स्टेडियमके स्टाफ़के बायोमेट्रिक कार्ड देल गेल अछि । पूरा स्टेडियमके आसपास तीन-सतही सुरक्षा व्यवस्था कएलगेल अछि ।

अर्जेटिनाके उजेली


आइवरी कोस्टमें भीषण लड़ाई जारी


ऐजेन्सी, चैत १८ ।अफ़्रीक़ी देश आइवरी कोस्टमें राष्ट्रपति लॉरेंट बाग्बोके समर्थक अंतरराष्ट्रीय मान्यता प्राप्त राष्ट्रपति अलासान ओताराके वफ़ादार सैनिकके बीच भीषण लड़ाई जारी अछि ।
लड़ाईक मुख्य केंद्र आइवरी कोस्टक सबस प्रमुख शहर आबिदजानके सभ महत्वपूर्ण भवनके आसपास लड़ाई चलिरहल अछि ।
आइवरी कोस्ट पर कब्ज़ाके लेल भरहल लड़ाई आब निर्णायक स्थितिमें पहुंच गेल बताओल जा रहल अछि । बितल किछ दिनमें ओताराके समर्थक देशके अधिक भागमे क़ब्ज़ा क लेने अछि आ आब ओ आबिदजानके भितर सेहो पैसयमे सफल भ गेल अछि ।
आबिदजानमें राष्ट्रीय टेलिविज़नके मुख्यालय पर क़ब्ज़के लेल भीषण लड़ाई चलि रहल अछि । एखन अहि पर राष्ट्रपति बाग्बोके समर्थकक़ब्ज़ा अछि मुदा ओताराके वफ़ादार सैनिक एकरा कड़ चुनौती द रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन