Tuesday, October 04, 2011

महाष्टमी पूजा में राशिनुसार आसन राखु


मेष राशि : लाल ऊनके आसन पर बैस कऽ लक्ष्मी पूजन करु ।

वृषभ राशि : सफेद चमकीला रंगके आसनके प्रयोग लक्ष्मी पूजन में करु ।

मिथुन राशि : हरियर रंगके आसन के प्रयोग करु ।

कर्क राशि : उजर ऊनके आसनके प्रयोग करु ।

सिंह राशि : हल्का गुलाबी रंगके आसनके प्रयोग करु ।

कन्या राशि : हल्का हरियर रंगके आसनके प्रयोग करु ।

तुला राशि : चमकीला सफेद रंगके आसनके प्रयोग करु ।

वृश्चिक राशि : हल्का लाल रंगके आसनके प्रयोग करु ।

धनु राशि : सुन्तला रंगके आसनके प्रयोग करु ।

मकर राशि : आसमानी रंगके आसनके प्रयोग करु ।

कुंभ राशि : फिरोजी रंगके आसनके प्रयोग करु ।

मीन राशि : पीयर रंगके आसनके प्रयोग करु ।

तालिबान पाकिस्तान सँ बातचीत नहि करत


१७ आसिन एजेन्सी । चरमपंथी गुट तहरीके तालिबान पाकिस्तान सँ बातचीत नहि करब बतबैत बातचीत करयके कोनो फ़ैसला नहि केने बतौलक अछि ।

तालिबानक वरिष्ठ नेता मौलवी फ़क़ीर मोहम्मद  बीबीसी सँ बातचीत करैत कहलनि जे क़बायली इलाक़ामे शांति स्थापित करय लेल ओ पाकिस्तानसँ बातचीत नहीं करत किया तऽ पाकिस्तान एक स्वतंत्र देश नहि अछि ।

ज्ञातब्य जे किछ दिन पहिने प्रधानमंत्री यूसुफ़ रज़ा गिलानी  एक उच्च स्तरीय बैसारमे घोषणा केने रहथि जे कि ओ क़बायली इलाक़ामे रहल चरमपंथीसँ बातचीत करताह ।

सोमालियामें बिष्फोट, ५० गोटेके मृत्यु


१७ आसिन सोमालिया । सोमालियाके राजधानी मोगादिशू में सरकारी भवनके बाहर भेल एक आत्मघाती बम बिष्फोटमे कम सँ कम ५० गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ ५० गोटे घाइल भेल अछि ।

श्रोतक अनुसार ज़मीन पर शव के पथार लागल अछि । घटनास्थल सँ घायल लोगसब मदतके लेल भागल छल । जखन कि सेनासब बिना कोनो  निशाना लगेनेही हवामें गोली चलौलक अछि ।

एकटा इस्लामी चरमपंथी संगठन अल-शबाबके एकटा प्रवक्ता अहि हमलाके ज़िम्मेदारी लेलक अछि ।

सोमालियाके एंबुलेंस सर्विसके संयोजक अली मूसे समाचार एजेंसीके बतौलनि जे, "हमसब बहुत शव निकाल्ने छलौ तयियो घटनास्थल पऽ बहुत घाइल अखनो अछि । घायल भेलसबहक देह झरिक गेल अछि ।

मृत्यु होबयबलासबमे छात्र, सैनिक आ आम नागरिक रहल अछि ।

जनविश्वास जितय माओवादीसँ कोइरालाके सुझाव


नेपालगन्ज, आश्विन १७ । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला माओवादीके शान्ति आ संविधानक पक्षमे जनबिश्वास होबय जका काज करय सुझाव देलनि अछि । ओ माओवादी शान्ति आ संविधानक पक्षमे छी कहि प्रतिवद्धता जनैबतो ‌ओ ब्यवहारमे नहि देखलगेल टिप्पणी कएलनि ।

नेपालगन्जमे आइ दशमी, शुकराती, छठि आ इदुल फित्रके अवसरमे आयोजित  चायपान समारोहमे बजैत कोइराला विश्वासके मत जितयके  काम नहि करयधरि माओवादीके बिश्वास कएल नहि जा सकैय बतौलनि   

माओवादी कब्जा केने  जमिन फिर्ता, वाइसियलके अर्धसैनिक बल विघटन, पिपुल्स भोलेन्टिएर आ क्रान्तिकारी परिषद विघटन केलाबादे विश्वासके मत जितय सकत हुनक कहब छलनि ।

ओ नेपाली कांग्रेसक लेल शान्ति आ संविधान पहिल प्राथमिकता भेलासँ ओइके लेल  हदैधरिके लचकता अपनौने दावी केलनि । चायपान कार्यक्रममे बांकेके प्रमुख जिल्ला अधिकारी, प्रहरी प्रमुख, विभिन्न राजनीतिक दलक नेता एवं संचारकर्मीके उपस्थिति छल । केन्द्रीय सदस्य शेरबहादुर देउवा राजीनामा देलाबाद उत्पन्न  बिवादके सम्बन्धमे कोईराला कोनो प्रतिकृया नहि देलथि । 

बिल पारित नहि भेल तऽ फेउरसँ अनशन करयके अन्नाके धम्की


१७ आसिन भारत । जनलोकपाल विधेयकके समर्थन में आंदोलन कऽ रहल अन्ना हज़ारे संसदके शीतकालीन सत्रमें प्रभावी लोकपाल विधेयक पारित नहि भेल तऽ फेउर सँ अनशन करयके चेतावनी देलनि अछि ।

ओ कहलनि जे जँ कांग्रेसके नेतृत्त्व बला केंद्र सरकार अहि बिषयमे कारबाही नहि केलक तऽ सब चुनावमें कांग्रेस उम्मेदवारके विरोध करयके अपील कएल जाएत ।

अन्ना हज़ारे बतौलनि जे ओ उत्तर प्रदेश चुनाव सँ तीन दिन पहिने ओतय अनशन पर बैसताह ।

क्वेटामें शिया मुसलमान पऽ हमला, १२ गोटेके मृत्यु


१७ आसिन पाकिस्तान । पाकिस्तानके दक्षिण पश्चिमी शहर क्वेटाके बाहरी इलाक़ामे आइ भेल एक हमलामें कम सँ कम १२ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

एक अज्ञात हतियारधारी समुह एकटा बसक यात्रु पर चलौने अन्धाधुन्ध गोली लागि १२ गोटेके मृत्यु भेल अछि । मृत्यु भेलमे बेसी गोटे शिया मुसलमानके लोग रहल बताओल जा रहल अछि । ओ समुह पहिने एकटा बसके रोकि कऽ सब यात्रुके निचा उतारने छल आ बादमे अन्धाधुन्ध गोली चलौने छल । अहि घटनाके सामुदायिक हिँसास जोडि कऽ देखल जा रहल अछि ।

आबयबला फिल्म : रास्कल्स


दुर्घटनामे दु गोटेके मृत्यु, ८ घाइल


१७ आसिन, काठमाडौँ । नेपालगञ्ज-कोहलपुर सडकखण्ड अन्तर्गत बाँकेके कारकाँदोमे आइ भिन्सर  सशस्त्र प्रहरीके गाडी आ निजी जिप एक आपसमे ठोकरएलासँ एक गोटेके मत्यु भेल अछि तऽ अन्य सात गोटे घाईल भेल अछि ।

दुर्घटनामे बाँके बनकटुवा-९ सम्झनाचोकके २५ वर्षक रेशम खत्रीके मृत्यु भेल अछि । नेपालगन्जसँ कोहलपुर जाऽ रहल सशस्त्र प्रहरीके बा १ झ ६९३१ नम्बरक गाडी आ कोहलपुरसँ बागेश्वरी मन्दिरके दर्शनके लेल जाऽ रह लु १ ज १५७ नम्बरक निजी जिप एक आपसमे ठोकरा कऽ दुर्घटना भेल अछि । घाईल मेसँ किछके भेरी अञ्चल अस्पताल आ किछके शिक्षण अस्पताल नेपालगञ्जमे इलाज भऽ रहल अछि ।

ओम्हर सर्लाहीके नवलपुरमे यात्रु बस टायरगाडीके ठक्कर देलासँ शासापुर-४ के सबनमलाल रायके मृत्यु भेल  पुलिस जनौलक अछि । काठमाडौँसँ कटारीदिस जाऽ रहल ना ३ ख ७०६ नम्बरक बस रायके पुर्वपश्चिम राजमार्गके नवलपुरमे ठक्कर देने छल ।

ठक्करसँ गम्भीर घाइल भेल रायके इलाजक  क्रममे मृत्यु भेल अछि । ठक्कर देनिहार बस आ चालकके नियन्त्रणमे लेल गेल जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय सिरहा जनौलक अछि ।

अहिना चितवनके कविलास-२ चौधकिलोमे बितल राति गाडीके ठक्करसँ एक गोटे घाईल भेल अछि । नम्बर खुजय नहि सकल गाडीके ठक्करसँ अन्दाजी २५ वर्षक सीता तामाङ घाइल भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवन जनौलक अछि । घाइल तामाङके भरतपुर मेडिकल कलेजमे इलाज भऽ रहल अछि ।

मधेशके भड्काबयके प्रयास भऽ रहलः गच्छदार


विराटनगर, आश्विन १७ । माओवादी आ मधेसी मोर्चाके गठबन्धन राष्ट्रहीत विपरीत भेल अभिब्यक्ती देबयबला एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल आ माओवादी नेता मोहन वैद्य किरण मधेसके भड्काबय चाहने आरोप उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार लगौलनि अछि ।

गठबन्धके राष्ट्रहीत विपरीत कहयबलासब अराजक आ अराजनीतिक रहल बतबैत गच्छदार ओइ सँ मधेसक भावनामे चोट पहुँचल बतौलनि ।

मन्त्रीपरिषदक बैसारसँ राष्ट्रिय सहमतिके आधारमे आगु बढ्यके निर्णय समेत केने ओ बतौलनि । ओइके लेल नेपाली काँग्रेस आ एमालेसँ आग्रह केने ओ बतौलनि । ओ दुनु पार्टीसंग शान्ति आ संविधान निर्माणक लेल सरकारमे सहभागि होबयके विकल्प नहि रहल सेहो बतौलनि ।

शान्ति स्थापनाके लेल दशैं भितरे ठोस गृहकार्य कऽ दशैं पाछुए शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबयके योजना रहल सेहो गच्छदार प्रष्ट केलनि । ओ कहलनि जे सेना समायोजनके मोडालिटीमे सहमति भेलाबाद समायोजनके शुरुवात हाएत । नेपाली सेनाके समावेशी बनाबय मधेसक १० हजार युवाके सेनामे भर्ति करयके सहमति भेल जानकारी दैत गच्छदार एके बेर नहि भऽ बेर बेर कऽ ओ पूर्ति कएल जाएत बतौलनि । ओ कहलनि अहिठाम १० हजारके बात नहि अछि । सरकार प्रक्रिया सुरु करत तऽ ओ प्रक्रिया ५ हजार या ३ हजारसँ सेहो होबय सकत।

पूर्वके विभिन्न शक्तीपीठसबमे भ्रमण, पूजाअर्चना आ कार्यकर्ता विच भेटघाट कार्यक्रम समाप्त कऽ गच्छदार काल्हि राजधानी घुरताह ।


दशमीक आइ अष्टमीक दिन बलि प्रदान कएल जाएत


१७ आसिन जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आइ अष्टमी दिन जनकपुर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न स्थानमे आइ महागौरीके पुजा पाठ भऽ रहल अछि ।

पुजा करय लेल आइ भिन्सरेसँ बिभिन्न शक्तिपिठ, उच्चैठ तथा दुर्गा मन्दिरसबमे श्रद्धालुसबहक भिड देखल गेल अछि । आइ जनकपुरक राजदेवी मन्दिरमे पुजा करय तथा प्रसाद चढाबय लेल आधा रातिएसँ श्रद्धालुसब लाइनमे लागल देखल गेल अछि । आन सालक अपेक्षा अहिबेर जनकपुरक राजदेवी मन्दिरमे श्रद्धालुसबहक बेसी भिड देखल गेल अछि । एम्हर महिलासबके खोँचि भरय लेल सेहो पँघ भिड देखल गेल अछि ।

शक्ति स्वरुपा माता महागौरीके बिभिन्न मठ मन्दिर तथा गाम गामसँ शहरधरि पुजा कएल जा रहल अछि । आजुक दिन दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो माता महागौरीके बिभिन्न मन्त्रोच्चारण सहित पुजा पाठ केलनि अछि ।

अहिना आइ साँझमे निशा पुजा कएल जाएत । तत्पश्चात निशा पुजाके बाद दुर्गा मन्दिरसबमे खसीके बली देल जाएत । जनकपुरक राजदेवी मन्दिरमे आइ साँझ पौने ७ बजे स बलि देल जाएत स्थानिय महाबिर युवा कमिटी जनौलक अछि ।  बली प्रदान करय लेल आन साल २ टा ठेहाके बब्यबस्था रहितो खसी चढाबयबलासबके बेसी भिडके ध्यानमे रखैत अहिबेर ४ टा ठेहाके ब्यबस्था कएल गेल अछि । एक मिनेटमे ५० टा सँ बेसी खसी चढाओल जाएत बताओल गेल अछि । खसी चढाबय लेल पडोसी देश भारतसँ सेहो पैघ सँख्यामे श्रद्धालुसब प्रत्येक साल आबिरहल पुजा कमिटी जानकारी देलक अछि । बितल साल करिब साढे १२ हजार बलि प्रदान भेलासँ अहिबेर करिब १५ हजारधरि बली राजदेवी मन्दिरमे चढय सकयके अनुमान कएल गेल अछि ।

दशमीमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर बौधी माताक मन्दिर  सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । भिडभाडके ध्यानमे रखैत बिभिन्न स्थानमे सुरक्षा ब्यबबस्था सेहो कडा बनाओल गेल अछि ।

राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न  ९ टा स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन