Friday, March 04, 2011

जिम्बाबे आ बँगलादेश हारल

जनकपुर, फागुन २० । I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत भारतक अहमदाबादमे सम्पन्न भेल खेलमे जिम्बाबेके न्युजिलैण्ड १० बिकेटसँ हरओलक अछि।टिस जित कऽ पहिने बैटिङ करैत जिम्बाबे ४६ ओभर २ बलमे सम्पूरण बिकेटके क्षतिपर १ सय ६२ रनक लक्ष्य न्युजिलैण्ड समक्ष प्रस्तुत केलक अछि ।
१ सय ६३ रनक लक्ष्य लऽ मैदानमे उतरल न्युजिलैण्ड टिम ३३ ओभर ३ बल खेलैत बिना बिकेटके क्षतिपर मैच जितलक अछि।
न्युजिलैण्ड दिससँ बैटिङ करैत गुपटिल ८६ आ मैक्कुलम ७६ रनक योगदान देलन्हि अछि।
तहिना , आजुक दोसर खेल

I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत मिरपुरमे सम्पन्न भेल बँगलादेशके weast indies ९ बिकेटसँ हरओलक अछि।पहिने टस जित बैटिङ कएने बगंलादेश सम्पूर्ण बिकेटके क्षतिपर ५८ रन मात्र बनओने छल।५९ रनक लक्ष्य लऽ मैदानमे उतरल weast indies १२ ओभर २ बल खेलैत १ बिकेटके नोक्सानपर मैच जितलक अछि।

एयर बसद्धारा निगमके बैना रकम फिर्ता


काठमाडौँ, फागुन २० । फ्रान्सेली कम्पनी एयर बस जहाज खरिद करयके लेल नेपाल वायु सेवा निगमके देने बैना रकम फिर्ता केलक अछि।
एयर बस आइ नियमके खातामे ७ लाख ५० हजार ९ सय ९२ अमेरिकी डलर फिर्ता केने निगमके प्रवक्ता राजु केसी जानकारी देलन्हि अछि। हुनक अनुसार एयर बस हिमालयन बैंकमे रहल खातामे बैना रकम फिर्ता पठौलक अछि।
एहिबिच निगमक अध्यक्ष सुगतरत्न कंसाकार ६ करोड धरौटीमे रिहा भेल छथि । प्राइम कमर्सियल बैक जनामत देलाकबाद कंसाकार आइ रिहा भेल विशेष अदालतक रजिष्टार धिरबहादुर चन्द जानकारी देलन्हि अछि। मुद्धाके पेशी रबि दिनके लेल तोकलगेल अछि। १६ गते ६ करोड धरौटी वुझाबए नइ सकलाबाद कंसाकारके जेल चलान काएलगेल छल ।
कंसाकार दु टा विमान खरिदके लेल एयर बसके बैना पठओने छलथि । बैना पठबैतकाल प्रक्रिया नइ पहुचल तथा भ्रष्टाचारी भेल कहैत संसदके सार्वजनिक लेखा समिति विमान खरिदमे रोक लगओने अछि तऽ अख्तियार दुरपयोग अनुसन्धान आयोग विशेष अदालतमे मुद्धा दायर केने अछि।

किसुनजीक स्वास्थ्य अवस्था अन्यन्त नाजुक


काठमाण्डू, फागुन २० । राजधानीक नर्भिक अस्पतालमे इलाज करारहल पूर्वप्रधानमन्त्री एवं नेपाली कांग्रेसक संस्थापक नेता कृष्णप्रसाद भट्टराईक स्वास्थ्य अवस्था अत्यन्त गम्भीर अछि ।

भट्टराईके महत्वपूर्ण अंगसभ शिथिल बनैत गेल अछि तऽ पिसाव सेहो बन्द भेल अछि । इलाजमे संलग्न चिकित्सक डाक्टर भरत रावलके अनुसार हुनका देलगेल सभ दबाइ निस्प्रभावित भेल अछि । मुदा चिकित्सकसभ भट्टराईके बचाबय हरसम्भव प्रयास कऽ रहल छथि । भट्टराईके काल्हि सँ एक्सटर्न भेन्टिलेटर सपोर्ट सिस्टममे राखल गेल अछि ।

८७ वर्षीय पूर्वप्रधानमन्त्री भट्टराईके स्वास्थ्य अवस्था विगरलाक बाद हुनक समर्थक तथा शुभचिन्तक सभक अस्पतालमे भिड लागल अछि । कांग्रेस सभापति सुशील कोइराला माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराई सहित अस्पताल पहुँच भट्टराईके स्वस्थ्य अवस्थाक समबन्धमे जानकारी लेलनि अछि ।

विक्रम संवत १९८१ पुष कृष्ण अष्टमीके दिन जन्म भेल भट्टराई सन् १९४२ के भारत छोड आन्दोलन सँ राजनीतिमे प्रवेश कएने छलथि । भट्टराई नेपाल पत्रकार महासंघके पहिल सभापति तथा प्रतिनिधी सभाके पहिल सभामुख सेहो भेल रहथि ।

वि. सं. २०३४ साल कात्तिक सँ लगातार १४ वर्षधरि कांग्रेसके कार्यवाहक सभापति सेहो रहल भट्टराई २०४८ साल फागुनके सुरुमे झापामे भेल महाधिवेशन सँ सभापति सेहो बनलथि । २०४६ सालके जनआन्दोलनक बाद बनल अन्तरिम सरकारके प्रधामन्त्री बनल छलथि । भट्टराई पछिला समय सँ कांग्रेसमे निश्क्रिय बनल छलथि ।

ट्रक आ मोटर साइकल ठोकराएलास एक गोटेके मृत्यु

भरतपुर , फागुन २० । आइ भिन्सर चितवनके भरतपुर स्थित चौबिसकोठीस हाकिमचोक दिस जा रहल ग १ ख १२४७ नम्बरक ट्रक आ विपरित दिशस आबि रहल लु ७ प ५३१० नम्बरके मोटरसाइकल एक आपसमे ठोकरेलासँ मोटरसाइकल चालक २४ बर्षक दिपक नेपालके मृत्यु भेल अछि।

दुर्घटनामे मोटरसाइकलमे सवार दोसर एक गोटे पैदल यात्रु घाइल सेहो भेल अछि। घाइलके स्थानीय अस्पतालमे ईलाज भऽरहल पुलिस जनओलक अछि।

तेंतीस साल बाद पाँच करोड़ रुपयाके मुआवज़ा


एजेन्सी, फागुन २० । दिल्ली उच्च न्यायालय भारतीय पर्यटक विकास निगम I T D C के लापरवाहीके दोषी ठहरबैत एक ऑस्ट्रेलियाई महिला सूज़न ली बीयरके करिब पाँच करोड़ रुपयाके हर्जाना देबयके निर्देश देलक अछि ।

पानिमे हेलयके शौखिन सूज़नके 33 साल पहिने अपन परिवारके साथ दिल्लीमें छुट्टी मनाबय समय एकटा फ़ाइव स्टार होटलके स्विमिंग पूलमें हेलय काल हुनकर पैर पिछुरिक खसलनि जाहिके कारण माथमे गँभीर चोट लागल रहनि ।

चोटक कारण सूज़नके डाँरस नीचला भाग सुन्न भगेल जाहिके बाद हुनका व्हील चेयरके सहारा लेबय परलनि ।
अहि घटनामे सुजनके अपने गल्ती रहितो अदालत होटलके जिम्मेबार बतौलक अछि ।

अदालत I T D C के सूज़नके एक करोड़ 82 लाख रुपैयाके मुआवज़ा देबयके आदेश देलक अछि । जाहिके 1982 स हिसाब कक एखनधरि ६ प्रतिशतके ब्याज दरस आब ई रक़म ४ करोड़ 90 लाख रुपैया होइत अछि ।

आजुक खेल समाचार

जनकपुर, फागुन २० । I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत भारतक अहमदाबादमे भ रहल जिम्बाबे आ न्युजिलैण्ड बिचक खेलमे जिम्बाबे न्युजिलैण्ड समक्ष जितयके लेल १६३ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।
जिम्बाबे अपन पहिल खेलमे सम्पुर्ण बिकेटक क्षतिमे ४६‍‍,२ ओभरमे १६२ रन मात्र बना सकल ।

प्रतिउत्तरमे उतरल न्युजिलैण्ड टिम समाचार तयार करयधरि,,,,,,,,,,,,,,,,ओभर खेलैत,,,,,,,,,,,,,,,,,,,,बिकेटक क्षतिमे,,,,,,,,,,,,,,,,,रन बनाक खेल रहल अछि ।
अहिना , आजुक दोसर

I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत मिरपुरमे भ रहल बँगलादेश आ वेस्ट ईन्डिज बिचक खेलमे बँगलादेश टस जित क पहिल ब्याटिड क रहल अछि ।
बँगलादेश समाचार तयार करयधरि ,,,,,,,,,,,,,,,,,,ओभर खेलैत,,,,,,,,,,,,,,,,बिकेटक क्षतिमे,,,,,,,,,,,,,,,,,रन बनाक खेल रहल अछि ।

चीनके रक्षा बजेट आब 90 अरब डॉलरस ऊपर


एजेन्सी, फागुन २० । चीन अपन रक्षा बजेटमें 12 प्रतिशतस बेसीके वृद्धि करय जा रहल अछि । नब्बे अरब डॉलरके इ बजेटस पडोसी देशसबहक चिन्ता बढादेने अछि ।

चीन सरकारक एक प्रवक्ता कहलनि जे चीनके रक्षा बजेट दोसर देशक तुलनामे कम अछि मुदा बहुत गोटेके कहब अछि जे चीनके वास्तविक रक्षा बजेट अई तथ्याङस बहुत बेसि अछि ।

जापानके मुख्य कैबिनेट सचिव यूकी एडनाके कहब अछि जे, “चीनके सैन्य आधुनिकीकरण कार्यक्रम आ ओइमे पारदर्शिताके कमी चिंताके विषय अछि ।”

चीन आ जापानके सम्बन्ध साउथ चाइना समुन्द्रके द्वीप पऽ अधिकारके मामलाके कारणस तनावपूर्ण अछि । ओ ओ क्षेत्र अछि जतय तेल आ गैसके खानी होबयके संभावना अछि ।

चीन आधुनिक लड़ाकू विमान आ मिसाइल सिस्टमके निर्माण क रहल अछि मुदा ओकर कहब अछि जे इ सभ आधुनिकीकरण कार्यक्रम शांतिपूर्ण उद्देश्यके लेल अछि ।

चीन 2010 में अपन रक्षा बजेटमें 7.5 प्रतिशतके बृद्धि केने छल ।

विश्वके पहिल रोबोट मैराथन - बिज्ञान

ओना त आँहा कतेकौ बेर सुनने हाएब जे कोनो शहरमें मैराथन भरहल छैक मुदा जापानमें भेल मैराथन अइसबस किछ हटि कऽ अछि ।

बात इ अछि जे इ कोनो आदमिके नै भ रोबोटके मैराथन अछि । २ टाँग बला रोबोटके लेल पहिल बेर एहन दौडके आयोजन कएलगेल अछि ।

बात इ अछि जे ई दौड ४ दिन में पुरा हाएत । जाहिमे ट्रैकके 423 चक्कर लगाबयके अछि । पाँच एंड्रॉयड स्टार्ट लाइन पार कर चुकल अछि ।

ऑपरेटर रोबोटके बैटरी आ मोटर बदैल सकैत अछि मुदा दौड़त-दौड़त इ खसि परैत अछि त रोबोटके अपने उठय पडैत अछि ।

ई दौड़ ओसाका शहरके स्थानीय अधिकारि आ एकटा रोबोट फ़र्म आयोजना केने अछि । हिनकासबके लगैत छन्हि जे आबबला दिनमें इ एकटा अंतरराष्ट्रीय आयोजना बनि जाएत ।

रोबोटके 42 किलोमीटरके दौड़ देखबाक लेल पैघ सँख्यामे लोकसब पहुंच रहल अछि । छोट-छोट खिलौना साइज़के ई रोबोट हाथ हिलाकऽ लोकसबके स्वागत करैत अछि ।

आयोजकके उम्मीद अछि कि रेस सबस तेज़ रोबोट नहीं, बल्कि ओ रोबोट जीतत जे ओकर पार्टपुर्जाके होबयबला नोक्सानके सबस बेसी सहि सकत ।

१५ दिनक मिथिला माध्यमिकि परिक्रमा शुरु

जनकपुर, फागुन २० । १५ दिनक मिथिला माध्यमिकि परिक्रमाके जनकपुरमे आईस बिधिबत रुपमे शुरुवात भेल अछि ।
फागुन कृष्ण पक्षक आमाबस तिथिस प्रारम्भ होबयबला ई माध्यमिकि परिक्रमा १५ दिनधरि चलत । आई श्री मिथिला बिहारी जीक डोला कचुरीस प्रस्थान क जनकपुर आबिरहल अछि । आई साँझ जनकपुरक हनुमान गढीमे ओ डोलाके बिश्राम कराओल जाएत । ओकर बाद डोला काल्हि भारतक कल्णाके लेल प्रस्थान करत ।

अहिना, फागुन २२ गते गिरिजा स्थान, २३ गते मटिहानी, २४ गते जलेश्वर , २५ गते मडई, २६ गते ध्रुबकुण्ड, २७ गते कन्चनबन, २८ गते पर्बता, २९ गते धनुषाधाम, ३० गते सतोषर मे डोलाके परिक्रमा करबैत बिश्राम कराओल जाएत । तहिना, चैत १ गते औरही, २ गते करुणा, ३ गते फेउर कलना होईत बिसौलमे बिश्राम करत । ४ गते ओ परिक्रमा जनकपुर पहुँचलाक बाद ५ गते भिन्सरमे जनकपुरक अन्तरगृह परिक्रमा क परिक्रमाके समापन काएल जाएत ।
अहि परिक्रमामे नेपाल भारतक दुर दुरस आएल साधु सन्त तथा श्रद्धालु भक्तजनसबहक पैघ सँख्यामे सहभागिता रहैत अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन