Saturday, July 23, 2011

एम्बुलेन्स दुर्घटनामे ४ घाइल


उदयपुर, श्रावण ७ - सिरहाक लहान बजारसँ बेमारी लेबए जाऽ रहल एकटा एम्बुलेन्स आई भोरे उदयपुरके भलायडाडाँ -३ अंधेरी नदीमे दुर्घटना भेलासँ ४ गोटे घाहिल भेल अछि।

नेपाल रेडक्रस सोसाईटी लाहान शाखाके बा ५ प ७८७० नम्बरक एम्बुलेन्स दुर्घटना भेलासँ एम्बुलेन्समे सबार ४ गोटे घाहिल भेल पुलिस जनओलक अछि। घाहिल मध्ये लहानके ३२ बर्षिय निर्मला दहाल आ चालक हरीनारायण यादबके अबस्था गम्भिर अछि। दहालके दहिना पायर टुटिगेल आ चालक यादबके शरीरमे चोट लागल जनाओलगेल अछि। अन्य दु गोटेके नाम खुजए नई सकल अछि।

घाहिल दहालके ईलाजकलेल काठमाण्डौ पठाओलगेल अछि तऽ चालक यादबके लहान नर्सिङहोममे ईलाज भऽ रहल अछि।

माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसार सुरु


७ साउन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीके केन्द्रीय समितिक बैसार अखन बैसल अछि । ओइसँ आगु स्थायी समितिके बैसार बैसल छल ।

पार्टी कार्यालय पेरिसडाँडामे जारी केन्द्रीय समितिके बैसारसँ कार्यविभाजनबारे पदाधिकारीसबबीच भेल सैद्धान्तिक सहमतिके अन्तिम रुप देल जाएत बताओलगेल अछि ।

पदाधिकारीसबबीच तत्कालके लेल संसदीय दलक नेता प्रचण्ड  कायम राखयके, उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराईके संसदीय वोर्ड, मोहन बैद्य किरणके संगठन तथा अनुशासन विभाग आ महासचिव रामबहादुर थापा बादलके सैन्य विभागके जिम्मा देबयके सहमति भेल अछि । सहमतिसँगै माओवादीभितरके विवाद तत्कालके लेल अन्त्य हाएत बताओलगेल अछि ।

अहिना, आजुक केन्द्रीय समितिके बैसारमे उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाशक नेतृत्वमे नयाँ टिमके वर्तमान सरकारमे पठाबयबारे निर्णय करत श्रोत जनौलक अछि ।

बैसारमे शान्ति आ संविधानबारे अध्यक्ष प्रचण्डक तत्कालिन कार्ययोजनासम्वन्धी राजनीतिक प्रस्ताव उपर सेहो बिमर्श होयबाक एक नेता जानकारी देलक अछि ।

जनविरोधी शक्तिके जनता साफ क देत : राष्ट्रपति

सुन्दरीजल(काठमाडौ), श्रावण ७ - राष्ट्रपति डा. रामबरणयादब राष्ट्रके समबृद्धि, एकता आ जनचाहना बिपरीत जाएबला कोनो शक्तिके जनता साफ कऽ देत दाबा कएलनि। 

बिपि संग्रहालयके भ्रमणमे सुन्दरीजल पंहुचल राष्ट्रपति यादब जनताक बलमे २-४ दिन शक्तिमे देखाइ देलाकबादो जे राष्ट्र आ जनताक ईच्छा अनुसार मिल कऽ जाऽ नई सकल ओकरा जनता ठिक करत ई ईतिहांस प्रमाणीत कएने बात अछि बतओलनि।

बिपि २०३३ सालमे मेलमिलापके निति आगा घुसका कऽ तत्कालिन राजा महेन्द्र शाह संग राष्ट्र आ जनताक ईच्छा अनुसार सम्झौता कएने कहि राष्ट्रपति यादब राजनितिक दलके नेतासभसंग समयमे देशक समस्याके सम्बोधन करक सुझाब देलनि।

पार्टीसभके मिल कऽ जाए पडत , आपसि सहमति आ सहकार्य कऽ कऽ मात्रे राष्ट्रके आर्थिक तथा समाजिक रुपान्तरण हाएत ओ कहलनि। ३० म् बिपि स्मृति दिबसके अबसर मे अचानक राष्ट्रपति ओतह पंहचल छलथि।

ओलम्पिक कमिटीके गतिविधिमे रोक लगाओल जाएत खेलकुद मन्त्रीक चेतावनी


काठमाडौं, श्रावण ७ । यूवा तथा खेलकुद मन्त्री हितबहादुर तामाङ विवादित दु ओलम्पिक कमिटी मिल क नहि आओत त गतिविधिमे रोक लगा देबयके चेतावनी देलनि अछि ।

रिपोर्टर्स क्लबके साक्षात्कारमे आइ मन्त्री तामाङ  विवादित दु ओलम्पिक कमिटीके मिल क सहमतिके प्रस्ताव लाबय निर्देशन देने छी निर्देशनके अबहेलना हाएत त ओलम्पिक कमिटिके गतिविधिमे रोक लगाबय जका मन्त्रिपरिषदमे प्रस्ताव ल जाक निर्णय कराएब ।

मन्त्री तामाङ राष्ट्रके बेइज्जत होबयजका ओलम्पिक कमिटीके गतिविधि भ रहल दाबी करैत राष्ट्रके कानून अनुसार समाधान नहि खोजि क कानून उल्लंघन करत त कारबाही करब स्पष्ट केलनि ।

साक्षात्कारमे राष्ट्रिय खेलकुद परिषदके सदस्य सचिव यूवराज लामा सेहो विवादित दु ओलम्पिक कमिटीके विवाद समाधान करयके संयुक्त उपाय लाबय सुझाव द चुकल कहैत विवाद नहि मिलाओत त हस्तक्षेप क क खेलकुद ऐन अनुसार कारवाही करयके चेतावनी देलनि । ओलम्पिक कमिटीके विवादसँ नेपालके अन्तर्राष्ट्रिय रुपमे बेइज्जत केने कहैत अपन भूमिका निक सँ निर्वाह नहि करत त नहि छोडब स्पष्ट केलनि ।

माओवादी कलहके प्रभाव शान्तिप्रक्रियामे प्रधानमन्त्री


७ साउन, काठमाडौँ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल एकीकृत नेकपा माओवादी भितरके आन्तरिक कलहके कारण शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणक काज ओझराहटमे परल दाबी कएलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल एकीकृत नेकपा माओवादी भितरके आन्तरिक कलहके कारण शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणक काज ओझराहटमे परल दाबी कएलनि अछि । नेपाल कम्युनिष्ट पार्टीक संस्थापक महासचिव पुष्पलाल श्रेष्ठक ३४ हम् स्मृति दिवसक अवसरमे किर्तिपुरके चम्पादेवीमे रहल श्रेष्ठक पूर्णकदके प्रतिमामे माल्यार्पण केलाबाद बजैत कलह जल्दिए समाप्त करय शीर्ष माओवादी नेतृत्वके सुझाव देलनि । देशके आगु उपश्थित जटिलतासबके समाधानक लेल राष्ट्रिय सहमतिके विकल्प नहि रहल दोहरबैत खनाल सहमति हाएत त अपने कोनो समय पद छोडय तयार रहल स्पष्ट केलनि ।

वायह कार्यक्रममे एमालेक वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल कमयुनिष्ट आ नेपाली कांग्रेसके नहि मिलयधरि राष्ट्र गति लेबय नहि सकत बतौलनि । देशमे उग्रवाम्पन्थी तत्व हावी भेलासँ राजनीति दिशाहीन भेल नेपालक दाबी छल ।

गिरिजाबाबु आहाँके पार्टी भितरे कनाओत कहैत रहथिन दाहाल


काठमाडौं, श्रावण ७ - माओवादी अध्यक्ष पुष्पमल दाहाल पार्टीभितर अपनाके मुश्किलमे पारने स्वीकार केलनि अछि । ओ केहनो समस्यामा आओत तैयो अन्ततः पार्टी  एकजुट रहत बतौलनि ।

गिरिजाबाबु हमरा बेर बेर कहैत रहथिन जे आहाँ जेना बाजि रहल छी अहि कारणसँ कि आहाँके भौतिक रुपमे समाप्त क देत नहि त आहाँके  पार्टीभितर कना क छोडत दाहाल आइ भिन्सर राजधानीमे ओ बात याद करैत कहलनि ।

प्रगतिशील नागरिक समाज आयोजना केने कार्यक्रममे अध्यक्ष दाहाल माआवादीभितर अखन गाईजात्रा हाएत तैयो अन्ततः मिले क आगु  बढ्ब  बतौलनि ।

दाहाल अखनो देशी विदेशी शक्तिसब माओवादीके फुटाबय चाहने बतौलनि ।

प्रधानमन्त्री कार्यालय आ युथ क्याम्पमे गोली चललासँ ८७ गोटेके मृत्यु


काठमाडौं, श्रावण ७ -।नर्बेके राजधानि ओस्लो स्थित प्रधानमन्त्रि कार्यालयमे आई भिन्सर भेल बिष्फोटमे ७ गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ राजधनी बाहर युथ क्याम्पमे बन्दुकधारीके आक्रमणमे ८० गोटेके मृत्यु भेल अछि।

बिस्फोटके समयमे प्रधानमन्त्रि जेन्स स्टोल टेनबर्ग कार्यालयमे उपस्थित नई छलथि । प्रधानमन्त्रि कार्यालयके बाहर एकटा कारमे बम राखलगेल अनुमान कएलगेल अछि।

संदिग्ध आक्रमणकारी बेहरीङ ब्रिविकके पुलिस नियन्त्रणमे लेने अछि। बिष्फोट कराओलगेल क्षेत्रमे प्रधानमन्त्रि कार्यालयके संगहि अर्थ मन्त्रालय आ एकटा पत्रिकाके कार्यालय छल । पुलिस पोशाकमे रहल ब्यक्ति राजधानि बाहर रहल लेबर पार्टीके युथ क्याम्पमे  अन्दाधुन फायरीङ कएने अन्तराष्ट्रिय संचार माध्यम जनओलक अछि।

facebook Page Like

  • मनोरँजन