Friday, December 02, 2011

क्रिकेट संघक निर्वाचन पुष ३ मे हाएत


१६ अगहन, काठमाडौं । नेपाल क्रिकेट संघ क्यानके निर्वाचन आगामी पुष ३ गते होबय लागल अछि । क्यानके बोर्ड वैसारसँ राष्ट्रिय खेलकुद परिषद राखेपके निर्देशन बमोजिम पुष ३ गते निर्वाचन करयके निर्णय केने महासचिव अशोक नाथ प्याकुर्‍याल जानकारी देलनि ।

सन् १९४६ मे स्थापित नेपालेके सबसँ पूरान खेलकुद संघ क्यान अखनधरि तदर्थ समितिमे चलैत आएल छल । राखेप बेर बेर निर्वाचन करय निर्देशन दैतो कार्यान्वयन नहि भेलाबाद विनयराज पाण्डेके नेतृत्वमे रहल समितिके पूनर्गठन करैत माओवादी केन्द्रीय सदस्य टंक आङबुहाङके लाओल गेल अछि । आङबुहाङ नेतृत्वके चुनाव कराबयके मूख्य कार्यभार देलगेल अछि ।

बैसार राखेप स्वीकृत केने संशोधित विधान पारित केलक अछि । क्यानके बोर्ड वैसारसँ नेपाल क्रिकेट संघ क्रिकेट खेलाडी कल्याणकारी कोषस्थापना करयके निर्णय केलक अछि ।

क्रिकेट खेलाडीसबहक क्षमता अभिवृद्धि आ उच्च मनोबलके लेल हालधरि क्रिकेट खेलाडीसब निभा रहल भूमिकाके कदर एवं सम्मान करैत कल्याणकारी कोष स्थापना करयके निर्णय कएलगेल महासचिव प्याकुर्‍याल बतौलनि  

वर्गीकरणमे परल पाँचम डिभिजनके लडाकुसबके कार्ड वितरण


१६ अगहन रोल्पा । वर्गीकरणमे परल पाँचम डिभिजन दहवन रोल्पाके लडाकुसबके आइसँ कार्ड वितरण सुरु कएलगेल अछि ।

लगातारक लोडसेडिङ आ इमेल इन्टरनेटमे समस्या अएलासँ वर्गीकरण सम्पन्न भेल ४ दिनबाद मात्र कार्ड वितरण करय शुरु भेल अछि । भिन्सर कार्ड छपाई भेलाबाद पाँचम डिभिजन दहवनके डिभिजन सह कमाण्डर राजवहादुर वुढा अविनाशके हस्तान्तरण कएलगेल सर्वेक्षण टोलीके सूचना अधिकृत जिवन रावत वतौलनि । १ हजार २ सय ८४ गोटे समायोजनके लाल आ ९ सय ४४ गोटे स्वेच्छिक अवकाशके हरियर कार्ड डिभिजन सह कमाण्डर अविनाशके हस्तान्तरण कएलगेल रावत वतौलनि ।

पाँचम डिभिजनमे विशेष समिति सचिवालय सदस्य एवं शसस्त्र प्रहरीके डिआईजी सिंह वहादुर श्रेष्ठक नेतृत्वमे २४ गोटेके टोली दहवन पहुँचल छल । सर्वेक्षण टोली डिभिजन मुख्यालयके कार्ड हस्तान्तरण करिते डिभिजन सहकमाण्डर अविनाश आइए ४ टा सहायक शिविरके विग्रेड कमाण्डर मार्फत लडाकुसबके वितरण कएलनि अछि । पाँचम डिभिजन दहवन रोल्पामे २ हजार ४ सय ३८ गोटे लडाकुसबके अन्मिन प्रमाणित करितो २ हजार २ सय २८ गोटे मात्रे पुनर्वर्गीकरणमे सहभागि भेल छल । पाँचम डिभिजन दहवन अन्र्तगत ज्वार स्मृति विग्रेड गैरीगाउँ तिला, सुनिल स्मृति विग्रेड दहवन, मंगलसेन स्मृति विग्रेड मसिना उघाँ, दिर्घ स्मृति विग्रेड संग्राम दाङ रहल छल ।

यौ राजेश हमल जी आब तऽ छोरि दियौ


रेल्वे कर्मचारी उपर हातपात


१६ अगहन जनकपुरधाम । नेपालक एक मात्र रेल्वेके कर्मचारीसब उपर रेल्वेके महाप्रबन्धक सुरेश प्रसाद यादव भाडाके गुण्डा लगा कऽ गारि बेइज्जत करयके सँगहि पिटपाट करवौने मधेशी श्रमिक फोरम नेपाल रेल्वे इकाइ समिति जनकपुर आरोप लगौलक अछि ।

समिति आ नेपाल यातायात मजदुर सँघ द्धारा आइ जारी सँयुक्त  बिज्ञप्तिमे काल्हि साँझ बिना कोनो जानकारी देने रेल्वे महाप्रबन्धक यादव बाहरके दश बारह गोटेके आनि कार्यालयके ताला तोरने आ रेल्वेके दर्ता चलानी किताब लऽ गेल जनाओल गेल अछि ।

बिज्ञप्तिमे महाप्रबन्धक यादव बितल ५ महिनासँ दैनिक एक समय मात्र रेल्वे सेवा सँचालन करय सकल आरोप लगाओल गेल अछि । अहिना बितल माघ महिनामे रेल्वे मर्मत सुधारके लेल मन्त्रालयसँ ३ करोड ९३ लाख रुपैया निकासा होइतो ओ रकमके पारदर्शिता नहि क अनियमितता केने आ रेल्वेके धराशायी बनाबयके काज कऽ रेल बन्द कराबयके अबस्थामे पहुँचौने आरोप सेहो लगाओल गेल अछि । तहिना मन्त्रालयसँ भेल आदेश बिपरित कम्पनीके आर्थिक भार थपय जकाँ गोप्य रुपमे कर्मचारी भर्ना करय लगलासँ रोकय लेल किछ दिन आगु स्थानिय प्रशासनके जानकारी करा कऽ रेल्वे युनियनके  पदाधिकारी तथा कर्मचारीसब महाप्रबन्धकके कार्यकक्षमे तालाबन्दी केने ओ बिज्ञप्तिमे जनाओलगेल अछि ।    


लडाकु वर्गीकरण सम्पन्न भेल


काठमाडौ, अगहन १६ । समायोजन, पुनःस्थापना  आ स्वैच्छिक अवकाश चुनयबला माओवादी लडाकुके वर्गीकरण प्रक्रिया सम्पन्न भेल अछि ।

लडाकुके ६ मुख्य शिविरमे मंगलदिन वर्गीकरण सम्पन्न भेल छल तऽ कैलालीके तालबन्दस्थित सातम शिविरमे बितल साँझ वर्गीकरण सम्पन्न भेल ओहिठामक सर्भेक्षण टोलीक प्रमुख विशेष समिति मातहतके सचिवालय सदस्य गोपालसिंह बोहरा जानकारी देलनि ।

वर्गीकरण प्रक्रियामे जम्मा १६ हजार ९ सय ३१ लडाकु सहभागी भेल सचिवालय संयोजक बालानन्द शर्मा जानकारी देलनि । अनमिनसँ प्रमाणित लडाकुके संख्या १९ हजार ६ सय २ छल । अहि हिसाबसँ २ हजार ६ सय ७१ लडाकु वर्गीकरण प्रक्रियामे अनुपस्थित छल ।

 सचिवालय सदस्य दीपकप्रकाश भट्टके अनुसार लडाकुके व्यक्तिगत विवरण भरयके क्रममे इन्टरनेट सुस्त भेलासँ कतेकौ लडाकुके दु बेरधरि दर्ता भेल होबय सकैत अछि । सब शिविरमे एहन दोहरा दर्ता ३०/४० के हाराहारीमे देखलगेल अछि । काठमाडौं घुरलाबादे दोहरा दर्ताके घटौलाबाद मात्रे वास्तविक विवरण आओत ।'

ओ कहलनि जे 'चितवनमे दर्ता लडाकु रोल्पामे जाऽ  वर्गीकरणमे सहभागी भेल होबय सकैत अछि याह कारण सबसँ अखन बास्तबिक सँख्या कहनाइ सही नहि हाएत । स्रोतक अनुसार काठमाण्डौमे फेउरसँ जाँच कएलापर करिब तीन हजारके हाराहारीमे लडाकु अनुपस्थित देखल जाएत अनुमान कएल गेल अछि ।

आगामी जेठमे संविधान जारी करयके कार्यतालिका सार्वजनिक


काठमाडौ, अगहन १६ । संविधानसभा विवाद समाधान उपसमितिक आजुक बैसारसँ आगामी  जेठ ८ सँ १४ गते भितर संविधान जारी करय जका तेह्रबुँदे कार्यतालिका प्रस्ताव केलक अछि । ओ प्रस्ताव संबैधानिक समिति पारित केलाबाद संविधानसभामे पठाओल जाएत ।

संसदसँ संविधानसभाक म्याद ६ महिना बढौलाबाद वायह समयभितर संविधान जारी करय जका कार्यतालिका प्रस्ताव कएलगेल अछि ।

कार्यतालिका अनुसार राज्य पुनःसंरचनासँग सम्बन्धित विषयबाहेक अन्य विवादमे विवाद समाधान उपसमिति आगामी पुस १५ गतेभितर सहमति कायम कऽ लेबयके आ उपसमिति देने प्रतिवेदन उपर संवैधानिक समिति पुस २० गतेधरिमे बिमर्श कऽ निर्णय करत ।

अहिना संवैधानिक समितिमे कोनो विषयमे सहमति होबय नहि सकत तऽ ओ विषय संविधानसभामे पेस कऽ संविधानसभा नियमावलीके प्रक्रियासँ आगामी पुस २०२५ गतेधरिमे पुरा करयके आ राज्य पुनःसंरचनासँग सम्बन्धित विषय बाहेकके अन्य विषयके पहिल मस्यौदा पुस २६ सँ माघ १५ गतेधरि तयार करयके कार्यतालिका बनौने छल ।

दु महिनाके कार्यअवधि रहल राज्य पुनःसंरचना आयोग सरकारके पेस करयके प्रतिवेदन सरकार माघ १५ गतेधरि संविधानसभामे पेस करयके तथा ओ आयोगके सुझाव समेतके आधारमे संविधानसभाके राज्य पुनःसंरचना समितिके प्रतिवेदनके माघ मसान्तभितर अन्तिमरुप देबय जका राजनीतिक दलसब संविधान लेखनके कार्यतालिका तयार केने अछि ।

संवैधानिक समिति राज्य पुनःसंरचनासँग सम्बन्धित विषय समेत समेट कऽ संविधानक पहिल मस्यौदा आगामी फागुन १ सँ १५ गतेधरि तयार करयके, फागुन २२ गतेभितर पहिल मस्यौदा उपर सभामे सैद्धान्तिक बिमर्श कऽ पारित करयके आ राजपत्रमे प्रकाशन करयके कार्यतालिका अछि ।

पहिल मस्यौदाक बिषयमे संविधानसभा, जनमत सङ्कलन आ समन्वय समिति आमजनताक रायसुझावके लेल फागुन २३ गतेसँ चैत १५ गतेधरि प्रचारप्रसार करयके आ सुझाव ग्रहण करय जका कार्यतालिका विवाद समाधान उपसमितिक बैसारसँ प्रस्ताव केलक अछि ।

 अहिना आगामी  जेठ ८ सँ १४ गतेभितर पारित संविधानमे सब सदस्यके हस्ताक्षर करयके, अध्यक्षके प्रमाणित करयके आ राष्ट्रपतिसमक्ष पेस कऽ संविधान जारी केने घोषणा करयके समयतालिका प्रस्ताव कइलगेल अछि ।

निगमके सामान चोरी बारे छानविन करय लेखाके निर्देशन


काठमाडौ, अगहन १६ । व्यवस्थापिका संसदके लेखा समिति नेपाल वायु सेवा निगमके सामान चोरीके घटना बारे छानविन कऽ दोषीके कारवाही करय सरकारके निर्देशन देलक अछि ।

पार्किङ कएलेगेल स्थानसँ निगमके सामान चोरी भेल घट्नाप्रति समिति गम्भीर चाँखि देखौलक अछि । ओ घट्ना बारे पर्यटन मन्त्री लोकेन्द्र विष्ट सहित निगमक पदाधिकारीसबसंग समिति आइ जानकारी लेलक अछि । सामान चोरीके कारण निगमके नियमित उडान समेत प्रभावित भेल आ ओइ कारण निगमके करोडौं रुपैयाँके घाटा लागल अछि ।

बेर बेर निगमके सामान चोरी भेल अछि । निगमके फ्लाई अवे किट,पहिया सहितक  सामग्री पार्किङ कएले स्थानसँ हेराएल छल ।

दक्षिण भारतीय नायिका कावरी झा


















‘नक्कली लडाकुके नाममे राज्यकोष दुरुपयोग’


पाल्पा, अगहन १६ नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य शेखर कोइराला माओवादी लडाकुक नामम राज्यकोष दुरुपयोग केने आरोप लगौलनि अछि । पाल्पाम आइ भिन्सर संचारकर्मीसंग बात करैत ओ  माओवादी सबके ठकि कऽ संस्थागत भ्रष्टाचार केने बतौलनि

नेपाली कांग्रेस क्षेत्र न १ गुल्मी आयोजना केने आमसभाके लेल पहुँचल कोइराला ६ हजार ५ सयसँ बेसी समायोजन होबय नहि सकत बतौलनि सम्झौता भऽ गेल अछि आ ओइसँ बेसी होबय नहि सकत ओ कहलनि , ‘माओवादी अध्यक्ष प्रचण्डके ९ हजारके बात लौनाइ गलत ि ओ अखन बर्गीकरणम समावेश नहि ेल तीनहजार लडाकु नक्कली भेल बतौलनि

माओवादी राज्यकोषसँ खनधरि १ अर्व ५० करोडसँ बेसी दुरुपयोग केने तबैत माओवादी अनमिनके समेत अपनादिस केने आरोप लगौलनि । माओवादी राष्ट्रिय/अन्तर्राष्ट्रिय रुपम सबके ठकि कऽ लडाकु संख्या बढौने प्रमाणित भेलासँ अहिके छानबिन होबय परत ओ बतौलनि

कोइराला शान्ति प्रक्रिया पुरा भेलबाद नेपाली कांग्रेस नेतृत्वक सरकार संविधानक घोषणा करत बतौलनि माओवादी हतियार लडाकुसँ अलग भऽ गेलाबाद मात्र नेपाली कांग्रेस सरकारम जाएके विषयम सोचय सकत  विचार व्यक्त कएलनि कांग्रेसमे अखन देखलगेल विवाद संसदीय दलक नेता के अछि विषयम केन्द्रित रह दावी करैत विवादक अन्त्य जल्दिए होबयमे जोड देलनि

facebook Page Like

  • मनोरँजन