३० आसिन लिबिया । कर्नल मुअम्मर गद्दाफ़ीके समर्थन करयबला सीरियाके एक टेलीविज़न स्टेशन गद्दाफ़ीके बेटा खामिसके मृत्यु भेल पुष्टि केलक अछि ।
सीरियाके अराई टीवीके कहब अछि जे ख़ामिस २९ अगस्तके महीनामें अंतरिम परिषदके सैनिकके सँग तारहूना शहरमें भेल भिडन्तमे मारल गेल छल ।
अंतरिम परिषद ख़ामिसके अगस्त महीनामें मृत्यु भेल पहिनेही बतौने छल मुदा एकर पुष्टि होबय नहि सकल छल ।.
ख़ामिसके सँग हुनकर एकटा रिश्तेदार मोहम्मद अब्दुल्ला अल सानूसीके सेहो तारहूनाके भिडन्तमे मृत्यु भेल छल ।
No comments:
Post a Comment