१७ साउन, सुनसरी । एमाले नेता प्रदीप नेपाल अपन अध्यक्ष एवम् प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल बेर बेर निर्णय केलासँ हुनका पार्टीके सङ्गठित सदस्यसँ समेत हटाबय सकयके चेतावनी देलनि अछि ।
प्रेस चौतारी सुनसरी आइ सुनसरीमे आयोजना केने पत्रकार भेटघाटमे बजैत नेता नेपाल खनालसँ पार्टी विधान आ निर्णयके बेर बेर उलङ्घन भेलासँ केन्द्रीय समिति हुनकर सङ्गठित सदस्यता छिनय सकयके आधार तय भेल दाबी कएलनि । प्रधानमन्त्री खनाल अपन किछ आदमीके बलके आधारमे मात्रे पार्टीमे टिक क रहय सम्भव भेल नेपालक कहब छलनि ।
खनाल अपने मजबुत होबय पार्टी अनुशासन आयोगके समेत दुरुपयोग केने ओ बतौलनि । प्रधानमन्त्री खनाल माओवादी निर्णयके आधारमे चलैत एलासँ ओ माओवादीके प्रधानमन्त्री भेल आरोप नेपाल लगौलनि ।
No comments:
Post a Comment