Sunday, February 20, 2011

लीबियामें प्रदर्शनकारि उपर भीषण फ़ाय़रिंग, बहराइनमें प्रदर्शन

८ फागुन, लीबिया । लीबियामें सैनासब बेनग़ाज़ी शहरमें सरकार विरोधी प्रदर्शनकारि उपर मशीन-गन आ अत्याधुनिक हथियारस फ़ायरिंग केलक अछि । अहि घटनामें बच्चा समेत बहुत गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
मिस्र आ ट्यूनिशियामें भीषण विरोध प्रदर्शन आ सत्ता परिवर्तनके बाद, बितल किछ दिनमे लीबिया, बहराइन आ यमनमें सेहो सरकार विरोधी प्रदर्शन भरहल अछि ।.
बहराइनमें हज़ारों प्रदर्शनकारी फेउरस राजधानी मानामाके पर्ल चौबटिया प कब्ज़ा केलक अछि.।
ब्रिटनी विदेश मंत्री विलियम हेग लीबियाके बेनग़ाज़ी शहरमें फ़ायरिंग आ हिंसाके सामान्य बतोलनि अछि आ टर्की लीबियामें भरहल घटनाके 'भयानक' बतोलक अछि ।.
लीबियामें बितल करिब 41 सालस कर्नल गद्दाफ़ी सत्तामें छथि ।. मिस्रमें ११ फ़रवरीके सत्ता परिवर्तनके बादस लीबियामें लोकतंत्रके समर्थनमें प्रदर्शन ज़ोर पकड़ने अछि ।
लीबियाके राजधानी त्रिपोलीस करिब 1000 किलोमीटर दूर स्थित बेनगाज़ीमें अफ़रा-तफ़री आ अराजकताके माहौल अछि ।
सैनासब घरक छतस प्रदर्शनकारी उपर गोली चलारहल बताओलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन