Tuesday, March 29, 2011

धनुषा आ सर्लाही सँ १६ गोटे पुलिसक नियन्त्रणमे


जनकपुर, चैत १५ । एसएलसीमे आइ  धनुषा आ सर्लाहीके बिभिन्न परिक्षा केन्द्र सँ १६ गोटेके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।
जाहि अन्तर्गत धनुषाके बहुर्वासँ १, बेल्हिसँ २, यदुकोहासँ २, खजुरीसँ २ गोटे क कुल ७ गोटे नकली परीक्षार्थीके  पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
अहिना, बिभिन्न परिक्षा केन्द्रमे अमर्यादित काज केने कहैत आइ ५ टा विधार्थीके  निष्कासित सेहो कएलगेल अछि । अहिना, न्यू आईडियल स्कुल जनकपुर केन्द्रसँ नकली निरीक्षक निर्मला देवीके पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
एहन ब्यक्तिसभ उपर एखन धरि ३९ गोटे उपर सार्वजनिक अपराधक मुद्दा दर्ता कराओलगेल जिला प्रहरी कार्यालय धनुषा जानकारी देलक अछि ।
ओम्हर, प्रवेशिका एसएलसी परीक्षा  अन्तर्गत आइ भेल विज्ञान विषयक परीक्षाके क्रममे अमर्यादित एवं अनियमित काज केने आरोपमे सर्लाहीसँ सेहो ९ गोटेके गिरफ्तार कएलगेल अछि ।
 जिल्लाके विभिन्न ६ टा परीक्षा केन्द्रसँ ६ गोटे नक्कली विद्यार्थी २ गोटे  चिट चोराबयबला शिक्षक आ १ गोटे सुरक्षाकर्मी उपर अभद्र व्यवहार करयबला व्यक्तिके गिरफ्तार कएलगेल प्रहरी उपरीक्षक पूर्णचन्द्र जोशी बतौलनि ।
इ सहित सर्लाहीमे आइ पाँचम दिन धरिमे एसएलसी परीक्षामे अनियमित एवं अमर्यादित काज केने आरोपमे ९२ गोटे गिरफ्तार भेल अछि त सोमदिनधरिमे ५४ गोटे उपर सार्वजनिक अपराध ऐन अन्तर्गत म्याद थप कऽक कार्वाही प्रकृया आगु बढाओलगेल बताओलगेल अछि  

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन