२८ चैत, तनहूँ । राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव राजनीतिक दलसभहक खिचातानीसँ शान्ति आ संविधान निमार्ण प्रक्रिया बीचेमे रुकय सकयके चिन्ता व्यक्त कएलनि अछि ।
‘दलसभ एक नहि हाएत त जनआन्दोलनके उपलब्धि संस्थागत नहि काएल जा सकैय’ ओ कहलनि जे-’संविधान निमार्ण आ शान्ति प्रक्रियाके निश्कर्षमे पहुँचाबय दलसभ सहमतिके विन्दुमे पहँचयके विकल्प नहि अछि ।’ तोकल समयमे संविधान जारी नहि होबय सकल त देशमे गम्भीर संकट आबयके चेतावनी ओ देलनि ।
तनहुँके चुदीरम्घामे आयोजना कएलगेल प्रथम भानु महोत्सवके आइ उद्घाटन करैत यादव दलसभके सत्तासँ सेहो संविधान निर्माण आ शान्ति प्रक्रियाप्रति गम्भीर होबय आग्रह कएलनि । दलसभहक कार्यशैलीप्रति असन्तुष्ट रहल राष्ट्रपति डा. यादव एखुनक अवस्था लम्बा समयधरि रहत त देशके अस्तित्वे संकटमे परय सकयके चेतावनी देलनि ।
कार्यक्रममे कांग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल जनताके वलिदानीसँ स्थापित लोकतन्त्रके मजबुत बनाबय जेठ १४ भितर संविधान निर्माण करयके धारणा रखने छलथि । सँगहि लोकतन्त्रके खिलाफमे जाएबला कोनो राजनीतिक दलके जनता साथ नहि देत ताहि लेल माओवादी लोकतान्त्रिक शासन पद्वतिके स्वीकार करय परत बतौलनि ।
No comments:
Post a Comment