Saturday, April 09, 2011

जेठ १४ गते संविधान नहि बनतः संवैधानिक समितिक सदस्यसभ


२६ चैत, काठमाडौं । संविधान निर्माण करयके प्रमुख जिम्मेवारी पौअने संवैधानिक समितिक सदस्यसभ आगामी जेठ १४ गते कोनो हालतमे संविधान जारी होबय नहि सकत ठोकुवा केलनि अछि । आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे समितिका सदस्यसभ संवैधानिक समितिक सदस्यसभ एहन ठोकुवा केलनि अछि ।
कांग्रेस सभासद सुप्रभा घिमिरे जेठ १४ गते नयाँ संविधान जारी होबयके सम्भावना नहि रहल कहैत दलसभमे ईच्छाशक्ति हाएत त ओ समयधरि संविधानके मस्यौदा बना कऽ संविधानसभाके म्याद थपयके धारणा रखलिह ।
एकीकृत नेकपा माओवादीक नेता देवेन्द्र पौडेल सुनिल एखुनक अवस्थामे संविधान जारी होबय नहि सकत बतौलनि । तैयो ओ जेठ १४ मे कोनो हालतमे संविधान जारी होबय परत  धारणा रखलनि ।
दलित जनजाती पार्टीक सभासद विश्वेन्द्र पासवान जेठ १४ गते कोनो हालतमे संविधान जारी होबय नहि सकत ठोकुवा केलनि । ओ अपनासबहक माँग संबोधन नहि हाएत त संवैधानिक समिति, संविधानसभा आ ब्यवस्थापिका संसदके बैसार बैसय नहि देबयके चेतावनी देलनि । ओ संसदके बैसारमे प्रस्तुत होबयबला समावेशी विधेयकके विरोधमे संसदक बैसार समेत अवरुद्ध करयके चेतावनी देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन