५ साउन, एजेन्सी । अमरीका इस्लामी ग्रुप अल शबाब के नियंत्रण वाला सोमालियाके अकालग्रस्त इलाक़ामें सहायता पठाबय लेल तयार अछि मुदा अमेरिका चाहैत अछि जे विद्रोही, सहायता सामग्रीके वितरणमें दखल नहीं दौक ।
अमरीकी अल शबाबके आतंकवादी ग्रुप मानैत अछि कियाक त बितल साल ओ सोमालियाके ओइ पैघ इलाक़ामें सहायता रोकि देने छल जतय ओकर नियंत्रण छल ।
संयुक्त राष्ट्र दक्षिणी सोमालियाके २ टा इलाक़ाके अकालग्रस्त घोषित केने अछि । अइ दुनु इलाक़ामें 50 सालसँ बेसी समयके बाद ऐहन सूखा पड़ल अछि ।
यूएस एजेंसी फ़ॉर इंटरनेशनल डेवलपमेंट के एक वरिष्ठ अधिकारी डोनाल्ड स्टीनबर्ग कहलनि जे सहायता स अल शबाबके लाभ नहि भेटबाक चाही ।
No comments:
Post a Comment