काभ्रे, श्रावण ८ । जनआन्दोलन-२ के घाइल मुकेश कायस्थके जिवित सहिद घोषणा करयके हुनक परिवार सरकारसमक्ष अपन माँग राखिरहल समय प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल हुनका सरकार जिवित सहिद मानने बतौलनि अछि ।
मुकेशके स्वास्थ्य अवस्था बुझयलेल आइ भिन्सर हुकर घर पहुँचल खनाल मुकेश जिवित सहिद आ आन्दोलनके प्रेरणाके स्रोत रहल बतबैत सरकार हुनका लेल किछ करत आश्वासन समेत परिवारके देलनि ।
ओ अपन सरकार मुकेशके योगदानके कदर करैत परिवार लेने ऋण मिनाह,, हुनक देखभाल करय लेल एक गोटेके ब्यबस्था आ इलाजमे लागल दबाई खर्च सरकार देत बतौलनि ।
मुकेशके परिवार खनालसँग हुनका जिवित सहिद घोषणा क देबाक लेल माँग रखने अछि ।
जनआन्दोलन-२ के क्रममे २०६२ चैत्र २७ गते बनेपा तीनदोबाटोमे पुलिसक गोली माथमे लागि क घाइल भेलाबाद हुनका इलाजक लेल ११ महिना वीर अस्पताल आ सात महिना काठमाडौंके बाँसबारीस्थित न्यूरो सर्जरी अस्पतालमे इलाज कएलगेल छल ।
No comments:
Post a Comment