नयाँ दिल्ली, भादव ९ । लोकसभाके कार्यसूचीमें लोकपाल पऽ चर्चाके शामिल नहि केलापर लोकपाल विधेयक पर असमंजसके स्थिति अखनो बनले अछि ।
संसदीय कार्यमंत्री पवन बंसल सँसदके कार्यवाही शुरु होबयसँ पहिनेहि कहलनि जे संसदके कार्यसूचीमें अइके चर्च नहि अछि ।
किछुए काल पहिने लोकसभा अध्यक्ष मीरा कुमार कहलिह जे लोकपालके विभिन्न बिषय पर चर्चा करय लेल आठ सदस्यके दिससँ जानकारी आएल अछि ।
ओ बतौलिह जे कांग्रेसके ४ सदस्य, जगदंबिका पाल, संदीप दीक्षित, विजय बहुगुणा आ भक्त चरण दास धारा 193 के अनुसार चर्चाके लेल नोटिस देलनि अछि ।
लोकसभा अध्यक्ष अहि बिषयमे अपना फ़ैसला जल्दिए देब बतौलिह । धारा 193 के अनुसार भेल बहसके मतविभाजन नहि भऽ सकैत अछि ।
No comments:
Post a Comment