जलेश्वर, साउन ३२ । महोत्तरी जिल्ला प्रशासनमे धोका दऽ दोहोरो नागरिकता लेबय चाहयबला एक गोटेके आइ पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।
गिरफ्तार होबयबलामे महोत्तरी सहोडवा–५ के ज्ञानचन्द्र दास तत्माके बेटा जितेन्द्र दास तत्मा रहल जिल्ला प्रशासन कार्यालय नागरिकता फाँटक नायवसुब्बा रामचन्द्र साह जानकारी देलनि अछि ।
पहिनेके नागरिकतामे २०५१ अगहन १२ गतेके जन्म मिति रहितो फेउर जन्मदर्तामे २०४९ अगहन १२ बना कऽ नागरिकता लेबय चाहलास तत्माके तत्काले गिरफ्तार कऽ पुलिसक जिम्मा लगाओलगेल छल ।
तत्माके अनुसन्धानके दायरामे राखि कारवाहीके प्रक्रिया आगु बढाओलगेल प्रशासकिय अधिकृत राधेश्याम गिरी जानकारी देलनि ।
No comments:
Post a Comment