२ भादव, काठमाडौं । सोनके भाउ तोलाके ५२ हजारसँ उपर पहुँचल अछि ।
इ एखनधरिके सबसँ उच्च भाउ अछि । आइ सोन तोलाके ५२ हजार २ सय ५० रुपैंयामे कारोबार भेल नेपाल सुनचाँदी व्यवसायी संघ जनौलक अछि ।
काल्हि ५० हजार ७ सय रुपैयाँ तोलामे किनबेच भेल प्रतितोला सोन एकेबेर १५ सय ५० रुपैयाँ बढि कऽ ५२ हजार २ सय ५० रुपैंया पहुँचल अछि ।
विश्व शेयर बजारमे तीव्र गिरावटके संगे लगानीकर्ता सोन खरिदमे आकषिर्त भेलासँ फेउर भाउ बढल सुनचाँदी व्यवसायी संघक अध्यक्ष तेजरत्न शाक्य बतौलनि अछि ।
भाउ बढलाबाद सोनक कारोबार बहुते कम भेल अछि । सोनके भाउ ५० हजार पार केलाबाद २५ प्रतिशत मात्रे कारोबार भेल शाक्य बतौलनि ।
No comments:
Post a Comment