Monday, August 01, 2011

जनकपुरमे आई प्रदर्शन


साउन १६, जनकपुरधाम । नेपाल रेलवेके ब्रोडगेज विस्तार करक क्रममे जमिन अधिग्रहण बिभेदपूर्ण तरिकासँ कएल जा रहल कहैत जनकपुरमे आई प्रदर्शन कएलगेल अछि।
नेपाल रेल्वे पिडित संघर्ष समिति बिभेदपूर्ण तरिकासँ जमिन अधिग्रहण कएल जा रहल कहैत नगर क्षेत्रमे विरोध प्रदर्शन करक संगहि जिला प्रशासन कार्यालय धनुषामे १० सुत्रीय माँग रखैत ज्ञापन पत्र प्रस्तुत कएलक अछि।
रेलवे विस्तारके क्रममे एखनुक रेलवे स्टेशनसँ पूर्व जमिन अधिग्रहण करक काज अन्तर्गत नाप नक्सा भऽचुकल मुदा स्टेसनसँ पश्चिम किछु राजनैतीक दलक नेता,उधोगी, व्यापारीसभक राजनैतीक पहुँचके कारण ओहि क्षेत्रक जमिन अधिग्रहण नइ कऽबिभेदपूर्ण नीति अपनाओल जा रहल संघर्ष समितिक अध्यक्ष विजय कुमार चौधरी आरोप लगओलन्हि अछि।
एखनि प्रस्तावित कएलगेल रेल्वे स्टेशनके लम्बाई पूर्वमे जालईद नदी धरि कायम करैत पूर्व,पश्चिम,दक्षिण, उत्तरमे समान रुपसँ जमीन अधिग्रहण करक,पिडितसभके नगरपालिका क्षेत्रमे पुनर्वासके व्यवस्था करक,अधिग्रहणमे परल घर जमिनके चलन चल्तिसँ दोब्बर मुआवजा उपलब्ध कराबक संघर्ष समितिके माँग अछि।
घर परिवार विहिन रेलवे पिडितके घरपरिवारसँ एक आदमीके रेलवेमे रोजगारीके व्यवस्था,मुआवजा निर्धारण समितिमे संघर्ष समितिक सदस्यके प्रतिनिधित्व सहितक माँग  संघर्ष समिति प्रस्तुत कएलक अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन