Monday, September 19, 2011

भूकम्पमे परि नेपाल, भारत आ तिब्बतमे कऽ ५१ गोटेके मृत्यु


२ आसिन, काठमाडौं । बितल साँझ आएल शक्तिशाली भूकम्पके कारण मृत्यु होबयबलाके सँख्या  ५१ पहुँचल अछि । नेपालमे ९ भारतमे ३५ आ तिब्बतमे ७ गोटेके  मृत्यु भेल बताओल जा रहल अछि ।

भूकम्पके कारण भक्तपुर, झापा, संखुवासभा आ धनकुटामे कऽ ७ गोटेके मृत्यु भेल पुष्टि भेल अछि ।

भूकम्पके कारण २४ गोटे गम्भीर आ ७७ गोटे सामान्य घाइल भेल अछि तऽ १ सय ६८ घरमे पूर्ण रुपमे तथा १ सय ४६ घरमे आशिंक रुपमे क्षति भेल अछि । घाइल मेसँ राजधानीके वीर अस्पतालमे दु दर्जन, ललितपुरके बी एण्ड बी अस्पतालमे ५, ठमेलस्थित मनमोहन मेमोरियल अस्पतालमे ३, ओम अस्पतालमे २ आ पाटन अस्पतालमे १ गोटेके इलाज भऽ रहल पुलिस जनौलक अछि ।

भूकम्पसँ भारतक सिक्किममे २३ आ भारतक अन्य राज्यमे १२ तथा तिब्बतमे ७ गोटेके मृत्यु भेल अछि । भारतीय सञ्चार माध्यमसब सिक्किममे मृत्यु होबयबला सबहक संख्या बढिरहल बतौलक अछि । बितल साँझ ६ बाजि कऽ २६ मिनेटमे भारतक सिक्किम केन्द्रबिन्दु बनाऽ ६ दशमलव ८ रिक्टर स्केलके भूकम्प आएल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन