Friday, September 23, 2011

पाकिस्तान देलक अमरीकाके चेतावनी


पाकिस्तान , आसिन ६ । पाकिस्तानक विदेश मंत्री हिना रब्बानी खर जँ सार्वजानिक रुपसँ पाकिस्तान पऽ आरोप लगबैत रहत तऽ ओ एकटा साथी गूमाओत कहैत अमेरिकाके चेतावनी देलनि अछि ।

ओ न्यूयॉर्कमें पाकिस्तानी टीवी चैनल जियो न्यूज़सँ बातचीत करैत कहलिह जे, “ अमेरिका पाकिस्तान आ पाकिस्तानी जनताके अलग-अलग करय नहि सकैय । जँ ओहन भेल तऽ एकर  ज़िम्मेदारी अमेरिकाके लेबय परत । ओ कहलिह जे पाकिस्तानके सार्वजानिक रुपसँ अपमानित काएल जाएत तऽ बर्दाश्त नहि कएल जाएत ।

संयुक्त राष्ट्रके महासभामें पाकिस्तानक नेतृत्व करय पहुँचल हिना रब्बानी खर  अमरीकाके दिससँ पाकिस्तान पर लगाओल गेल  सभ आरोपके गलत ठहरौलिह अछि ।

ज्ञातब्य जे अमरीका  पाकिस्तान सरकार पर आरोप लगौने छल जे चरमपंथी गुट हक़्क़ानी नेटवर्कसँ पाकिस्तानके सम्बन्ध अछि आ २ हफ़्ता पहिने काबुल पऽ भेल हमलाके जानकारी ओकरा छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन