२० भादव, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई अपना नेतृत्वमे सरकार बनला बाद जनता आंशिक राहत महसुस केने बतौलनि अछि ।
आइ सिन्धुली सदरमुकाम सिन्धुलीमाढीमे आयोजित कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री भट्टराई कहलनि जे-’इ सरकार बनला बाद भगजोगनी अन्हारमे रास्ता देखबैत जका जनता किछ राहत महसुस केने अछि ।’ ओ आमजनताके समसुस होबय जका जल्दिए राहत कार्यक्रम लाबयके तयारी भऽरहल जानकारी देलनि ।
शान्ति आ संविधान निर्माण सरकारक पहिल प्राथमिकता रहल कहैत ओ सरकारमे सहभागि भ शान्ति आ संविधान निर्माण प्रकृयामे सहयोग करय दलसबसँ आहृवान कएलनि ।
No comments:
Post a Comment