Monday, October 10, 2011

पोलैंडके प्रधानमंत्री केलनि जीतके दावा


२३ आसिन पोलैंड । पोलैंडके प्रधानमंत्री डोनल्ड टस्क  आम चुनावमें जीत अपन हाएत दावा कएलनि अछि । एक्ज़िट पोल सँ भेटल संकेतके अनुसार हुनकर सत्ताधारी सिविक प्लैटफ़ॉर्म पार्टी बाक़ी दल सँ आगु अछि ।

जँ एहन भेल तऽ साम्यवादके समाप्तिके बाद इ पहिल बेर सत्ताधारी गठबंधन सत्तामें फेउर सँ आओत ।

पोलैंड यूरोपके एकमात्र देश अछि । जतय आर्थिक मंदीके समस्या नहि पड़ल अछि । अनुमानके अनुसार ओकर अर्थव्यवस्था बाँक़ी यूरोपीय देशसँ तेज़ गती सँ बढ़त।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन