Friday, October 21, 2011

अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक एक टोली महोत्तरीमे


जलेश्वर, कात्तिक ४ गते । जिल्ला विकास समिति महोत्तरीमे भेल व्यापक भ्रष्टाचारक छानवीन करय अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक एक टोली महोत्तरीमे आई छानविन शुरु केलक अछि ।

अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक सहसचिव उपेन्द्र पौडेलक संयोजकत्वमे आएल ६ सदस्यीय टोली जिविस महोत्तरीमे भेल भ्रष्टाचारक छानवीन शुरु केलक अछि ।

जिल्ला विकास समितिसँ सञ्चालित विभिन्न योजनासब कागजमे सम्पन्न भेल, योजनाके निर्णय प्रक्रिया, कार्यान्वयन प्रक्रिया आ स्टीमेट अनुसार काम नहि भेल तथा सरकारी अनुदान दुरुपयोग भेल कहैत अख्तियारमे एक दर्जनसँ बेसी उजुरी विभिन्न संघसंस्था आ नागरिक समाज देलाबाद ओइके छानविन टोली शुरु केलक अछि ।
ओ संघसंस्थासब जिविसके प्राविधिक, कर्मचारी आ किछ दलिय संयन्त्रके नेतासब कागजमै ग्रामिण विद्युतिकरण, पुलपुलेसा, एक दर्जनसँ बेसी ग्रामिण सडक, खानेपानी तथा सरसफाई, एलजीसिडीपी, पिछडावर्ग, मुस्लिम उत्थानवर्ग सहितक योजनासब सम्पन्न कऽ रकम अनियमितता केने कहैत छानविनक लेल अख्तियारमे उजुरी देने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन