सर्लाही, कार्तिक ६ । सर्लाही खण्डमे परयबला पूर्व–पश्चिम राजमार्गके कर्मैयामे बितल साँझ भेल दुर्घटनामे परि गम्भीर घाइल भेल दु गोटेके इलाजक क्रममे राति मृत्यु भेल अछि ।
पश्चिमबाट पूर्वदिस जाऽ रहल ज १ प ३१२४ नम्बरक मोटरसाइकल विपरित दिससँ आबिरहल ना ४ ख ३७१७ नम्बरक बससंग ठोकराकऽ दुर्घटना भेल छल ।
गम्भीर घाइल भेल मोटरसाइकलमे सवार मूर्तिया गाबिस–८ के मौजेधोवी बैठा आ राजकुमार श्रेष्ठक इलाजक क्रममे वीरगंजमे मृत्यु भेल जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय जनौलक अछि । ठक्कर देबयबला बस आ चालकके पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
No comments:
Post a Comment