Friday, October 07, 2011

करेण्ट लागि कऽ दु गोटेके मृत्यु, तीन घाईल


२० आसिन, बारा । बाराके डुमरवाना गाविस-६ मे आइ भिन्सर ११ हजार भोल्टके विद्युतीय तार टुटि कऽ वस्तीमे खस्लाबाद करेन्ट लागि कऽ दु गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ  अन्य ३ गोटे घाइल भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे स्थानीय २९ वर्षक जानुका खडका आ २५ वर्षक गोपी लामिछाने रहल पुलिस जनौलक अछि । करेन्ट लागि कऽ गम्भीर घाइल भेल दुनुके वीरगञ्जस्थित नारायणी उपक्षेत्रीय अस्पतालमे पहुँचैबते चिकित्सक मृत घोषणा केने छल । करेन्ट लागि कऽ घाइल भेल स्थानीय कृष्णबहादुर बल , कमला बल आ ११ वर्षक बालक गणेश चौधरीके स्थानीय क्लिनिकमे इलाज भऽ रहल अछि ।

भिद्दसर पौने ९ बजे दिस ११ हजार भोल्टके तार टुटि कऽ घर आ बाटमे खस्लाबाद स्थानीयवासीके घरमे चलिरहल टि.भि., मोटर, पंखा सहितक विद्युतीय सामग्री जरि कऽ नष्ट भेल अछि । क्षतिके यकिन विवरण आबय बाँकी रहल बारा पुलिस जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन