Tuesday, November 22, 2011

ताल्चा विमानस्थलमे मकालु एयरके विमान दुर्घटना


६ अगहन, जनकपुरधाम । मुगुके ताल्चा विमानस्थलमे मकालु एयरके विमान दुर्घटना भेल अछि । नेपालगञ्जसँ उडल विमान काल्हि बेरियामे  ३ बाजिकऽ १५ मिनेटमे ताल्चा विमानस्थलमे अबतरण करयके क्रममे धावनमार्गमे र्घटनाग्रस्त भेल अछि ।

दुर्घटनामे परि क्याप्टेन पिजे शाह सहित ६ गोटे घाइल भेल अछि । हुनकासबके इलाजक लेल मकालु एयरके दोसर विमानसँ नेपालगञ्ल पठाओलगेल अछि ।

अन्य यात्रु  सकुशल रहल पुलिस जनौलक अछि । विमान धावन मार्गमे उनटला बाद आगी लागल छल । विमानमे लागल आगि सुरक्षाकर्मी नियन्त्रणमे लेने बताओलगेल अछि ।

३ वर्ष आगु स्थापना भेल मकालु एयर नेपालगञ्जके आधार मानि कऽ मध्यपश्चिम तथा सुदुर पश्चिमके जिल्लासबमे यात्रु तथा कार्गो लबैत लऽ जाइत अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन