Tuesday, November 01, 2011

'प्रधानमन्त्रीक भारत भ्रमणसँ सम्बन्ध मजबुत'


काठमाडौ, कार्तिक १५ । भारतीय राजदुत जयन्त प्रसाद प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके भारत भ्रमणसँ दु पक्षीय सम्बन्ध मजबुत बनाबय सहयोग केने बतौलनि अछि ।

भारतीय प्रधानमन्त्री मनमोहन सिंह नेपालक शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणक कामके निष्कर्षमे पहुँचाबय तथा राष्ट्रिय सहमति निर्माणक लेल सकय जतेक सहयोग करयके आश्वासन देने राजदुत प्रसाद जानकारी देलनि अछि ।

नेपालमे आवश्यक भौतिक पूर्वाधार निर्माणक लेल प्राविधिक अध्ययनसब भऽ रहल जानकारी दैत ओ जल्दिए भारतीय रेल सेवाके पहुँच नेपालके सिमाधरि पहुँचाबयके तयारी भऽ रहल  बतौलनि ।

चीनसँग नेपालक सम्बन्ध केहनो रहत तऽ ओइ सँ भारतसँगके सम्बन्धके कोनो असर नहि परत राजदुत प्रसादक कहब छलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन