Friday, November 18, 2011

चौथो डिभिजनमे वर्गीकरण प्रक्रिया सुरु


परासी, अगहन २ । नवलपरासीमे रहल माओवादी लडाकुके चारिम डिभिजन अन्तरगतके लडाकुसबहक समायोजन प्रक्रियाके लेल बर्गीकरण आइ भिन्सर ८ बजेसँ सुरु  भेल अछि । शिबिरमे खटल बिशेष समिति अपन सब काम काल्हिए पुरा कऽ चुकलासँ भिन्सरेसँ बर्गीकरण पक्रिया सुरु कएलगेल जनौलक अछि  ।

बिशेष समितिक सदस्य सदानन्दन् कुर्मीके नेतृत्वक टोली लडाकुके बर्गीकरणके लेल पाँच बिधिसब अबलम्बन केने अछि । पहिल टेवलमे अद्याबधिक करयके, दोसरमे प्रारम्भिक जानकारी करयके , तेसरमे सूचना संप्रेषण करयके, चारिममे परामर्श करयके आ  पाँचम इच्छा अनुसारक समायोजन प्रक्रिया चुनयके जका बर्गीकरण कार्य आगु बढाबयके कुर्मी बतौलनि ।

१८ गोटे सर्बेक्षण अधिकृत आ १२ गोटे कम्प्युटर अपरेटर सहित बर्गीकरण प्रक्रिया शुरु करयके कार्यके चारिम डिभिजनमे तयारी पुरा भेल अछि । नवलपरासीके लडाकूका शिबिरमे ३५ गोटे अपाङ्ग सहित तीन सय घाईल सेहो रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन