Wednesday, November 16, 2011

शैक्षिक योग्यताके सर्त सच्याब लडाकुके दबाब


३० कात्तिक, काठमाडौँ । सातबुँदे सहमतिमे उल्लेखित लडाकुके शैक्षिक अवस्थाके सर्तसँ बेसी योग्य आ सक्षम लडाकुसबके समायोजनमे जाएसँ वञ्चित केलाबाद समायोजनके पक्षमे रहल लडाकु कमाण्डरसब आक्रोशित भेल अछि ।

सातबुँदे सहमतिमे लडाकुके शैक्षिक अवस्थामे एकतह कम रहत उल्लेख होइतो माओवादी सेनामे प्रवेश करैतकाल ओ तह पास भेल होबयके उल्लेख अछि । मुदा, अधिकांश लडाकु कमाण्डरसब शान्तिप्रक्रियामे औलाबाद मात्रे एसएलसी पास केने अछि । शान्तिप्रक्रियामे औलाबाद ओसब हासिल केने शिक्षासँ समायोजनमे जाएमे सहयोग नहि पहुँचय भेलाबाद सक्षम  आ सेनामे जाए चाहयबला लडाकु सेहो निराश भेल कमाण्डरसब बतौलक अछि ।

एक डिभिजन कमाण्डर कहलनि जे-कम्पनी कमाण्डरसँ उपरके बहुते साथीसब अधिकृत तहमे जाए योग्य छथि मुदा हुनकासबहक शैक्षिक अवस्थासँ समायोजनमे जाए सकयके अवस्था नहि अछि ।सातबुँदे सहमति करैत काल माओवादी नेतृत्व सावधानी नहि अपनौने कारण समायोजनमे नहि जाए वैद्य पक्ष केने आह्वानमे बल पहुँचल ओ कमाण्डरके कहब अछि । शैक्षिक अवस्थाके सर्तमे पुनर्विचार नहि कएल गेल तऽ केउ लडाकु समयोजनमे नहि जाएत हुनकासबहक दाबी अछि । सातबुँदेमे देखलगेल अस्पष्टता निवारण कऽ देबाक लेल  डिभिजन कमाण्डरसब माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड आ प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईसँग भेट केने छलथि । किछ दिन आगु भेल भेटमे प्रचण्ड एखुनक शैक्षिक योग्यता गणना हाएत बतौने छलथि । मुदा, सम्झौतामे माओवादी सेनामे प्रवेश करैत कालके शैक्षिक अवस्था गणना होयबाक उल्लेख अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन