Thursday, November 17, 2011

महानगरीय प्रहरी दिवस विविध कार्यक्रम कऽ मनाओल जाऽ रहल


१ अगहन, काठमाडौँ । छैठम् महानगरीय प्रहरी आयुक्त कार्यालय स्थापना दिवस आइ राजधानीमे विभिन्न कार्यक्रमसब कऽ मनाओल जाऽ रहल अछि ।

दिवसक अवसरमे ट्राफिक सप्ताह अन्तर्गत आइ पुलिस राजधानीमे पैदल आ मोटरसाइल र्‍याली निकाललक अछि । महानगरीय प्रहरी आयुक्तके कार्यालय रानीपोखरीसँ सुरु भेल र्‍याली बागबजार, पुतलीसक, पद्मोदय मोड, सिंहदरबार पश्चिम गेट, भद्रकाली, सहिदगेट, सुन्धारा, नयाँसडक, इन्द्रचोक, असन, भोटाहिटी होइत पुनः आयुक्त कार्यलय आगु पहुँच कऽ विशेष कार्यक्रममे परिणत भेल छल ।

राजधानीके अपराध नियन्त्रण आ सुरक्षा व्यवस्थामे सुधार करयके उद्यैश्यसँ २०६२ साल अगहन १ गते अजुके दिन महानगरीय प्रहरी आयुक्त कार्यलयके स्थापना कएलगेल छल । ओहि यादमे हरेक वर्ष अजुके दिन इ दिवस मनाओल जाइत अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन