Saturday, December 24, 2011

विवाद समाधान उपसमितिक बैसार निष्कर्षबिहिन


९ पुष काठमाण्डौ । संबैधानिक समिति अन्तर्गतके विवाद समाधान उपसमितिके  आजुक बैसार विना निष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि ।

संविधानमे असंसोधनिय धारा आ प्रस्तावनाके बिषयमे बिमर्श होइतो बात मिलय नहि सकल माओवादी नेता देव गुरुङ जानकारी देलनि । गुरुङके अनुसार संविधानके प्रस्तावनामे जनयुद्ध राखयके कि नहि राखयके बिषयमे  सहमति जुटय नहि सकल अछि । ओ  संविधानके प्रस्तावनासँ जनयुद्ध हटावयके बिषयमे अपनेसब सहमत होवय नहि सकल बतौलनि ।

अहिसँ आगु देव गुरुङ अनुपस्थित एकटा बैसारमे उपसमितिक संयोजक एवम माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड संविधानक प्रस्तावनामे जनयुद्धके बदला सशस्त्र संघर्ष राखय सहमत भेल छल । बैसारक बाद पत्रकारसंग नेता गुरुङ अखनधरि माओवादी नरम भेलाक कारण सहमति भेलासँ आब काङ्ग्रेस आ एमालेके सेहो नरम होवय परत बतौलनि । ओ माओवादीके आत्मसमपर्ण करा कऽ संविधान लिखल नहि जाऽ सकैय उल्लेख कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन