२३ अगहन पाकिस्तान । पाकिस्तानी राष्ट्रपति आसिफ अली जरदारीके ‘हल्का ब्रेन हैमरेज’के कारण मस्तिष्कमें रक्तस्राव भेलनि आ चेहरा पर लकवा भऽ गेल छन्हि ।
आइ जारी एक चिकित्सा रिपोर्टमें इ जानकारी देलगेल अछि । श्रोतक अनुसार राष्ट्रपतिके हालत अखन ठिक अछि आ ओ खतरासँ बाहर छथि । जरदारीके चिकित्सकके अनुसार जरदारीके अखन आओर इलाजक आबश्यक्ता अछि ।जरदारीके आगुके इलाजक लेल विमानसँ लंदन पठाओल जाएत ।
श्रोतक अनुसार जरदारी मंगलदिन मस्तिष्क घातके कारण ‘राष्ट्रपति भवनमें खसल रहथि ।’
No comments:
Post a Comment