काठमाडौ, अगहन २२ । माओवादी सचिव सीपी गजुरेल शिविरेमे नहि रहल लडाकुके नामसँ तलब–भत्ता लेनाइ अनियमितता भेल बतौलनि अछि । ओ अहि विषयमे तथ्यगत छानबिन करयके माँग कएलनि ।
पुनर्वर्गीकरणमे २ हजार ६ सय ७१ लडाकु अनुपस्थित भेलाबाद प्रतिपक्षी समेत अहि प्रकरणके कडा रुपमे उठबैत आएल अछि । गजुरेल माओवादी उपर अरबौ भ्रष्टाचारक आरोप लगबितो अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल कोनो प्रतिक्रिया नहि जनौने कहैत चिन्ता व्यक्त कएलनि ।
गजुरेल शिविरमे रहल लडाकुसँ प्रतिव्यक्ति एक हजार रुपैयाँ पार्टी उठौने अपना जानकारी नहि रहल बतौलनि ।
सचिव गजुरेल बहुपद सिर्जना कऽ क सेहो अध्यक्ष असगरे पार्टी चलौने आरोप लगौने । ‘शिविरके चाबी बुझाबयके, कब्जा सम्पत्ति फिर्ता, लडाकु पुनर्वर्गीकरण जेहन बिषयमे हमरासबसँग सल्लाह भेले नहि अछि ओ कहलनि, ‘सव कियो देखनही अछि, पार्टी अध्यक्ष असगरे चलाबि रहल छथि ।’
No comments:
Post a Comment