तिर्थराज भुसाल
४ पुष काठमाडौं । नेपाल पब्लिक क्याम्पस संघ, पब्लिक क्याम्पस प्राध्यापक संघ आ शिक्षा मन्त्रालयबीच पब्लिक क्यम्पसके समस्या समाधान करयके सहमति भेल अछि ।
शिक्षा मन्त्री दीनानाथ शर्मा, शिक्षा सचिव किशोर थापा आ नेपाल पब्लिक क्याम्पस संघ आ पब्लिक क्याम्पस प्राध्यापक संघक पदाधिकारीबीच एहन सहमति भेल अछि । राति अवेरधरि भेल वार्तामे नेपाल पब्लिक क्याम्पस संघक ३ गोटे प्रतिनीधि ,पब्लिक क्याम्पस प्राध्यापक संघक ३ गोटे आ शिक्षा मन्त्रालयके ३ गोटे प्रतिनीधिके पहलमे आइसँ पब्लिक क्याम्पसके समस्याक विषयमे बिमर्श कऽ समस्या समाधान करयके सहमति भेल नेपाल पब्लिक क्याम्पस संघक अध्यक्ष बैकुण्ठ न्यौपाने जानकारी देलनि ।
गठित वार्ता टोली आइएसँ काम सुरु केने अध्यक्ष न्योपाने बतौलनि ।
No comments:
Post a Comment