५ पुस, काठमाण्डौ । आइसँ शुरु भेल दैनिक १० घण्टे लोडसेडिङसँगै सरकार ओइके कम करब कहैत महंग थर्मल प्लान्ट जडान करयके प्रकृया सुरु करय लागल अछि । उर्जा संकट समाधानक लेल कहैत उर्जा मन्त्रालय थर्मल प्लान्ट जडानके प्रस्ताव प्रधानमन्त्रीसमक्ष पेश कएलाबाद प्रधानमन्त्री आबश्यक प्रकृया आगु बढाबय निर्देशन देलनि अछि ।
भारतसँ किन कऽ लाओलगेल डिजेलसँ उत्पादन होवयबला एहन बिजुलीके मूल्य प्रतियुनिट २२ रुपैयाँ परत बिज्ञसबहक अनुमान अछि । लोडसेडिङके विकल्प आ उर्जा संकट समाधानक लेल कहैत उर्जा मन्त्रालय २ सय मेगावाटके थर्मल प्लान्ट बनावयके तयारी केने अछि । स्थापना आ संचालन कऽ बर्षमे करिव २० अर्ब रुपैयाँ खर्च होवयबला इ प्लान्ट रखलासँ लोडसेडिङ दैनिक ६ घण्टामे सीमित कएल जाऽ सकैय मन्त्रालयके तर्क अछि ।
प्लान्ट स्थापनाक लेल विस्तृत कार्ययोजना बना कऽ तत्काल निजी क्षेत्रके आहृवान करय प्रधानमन्त्री कहलनि अछि ।
No comments:
Post a Comment