Tuesday, July 26, 2011

मंडल हत्यामे संलग्न १ गोटे आरोपीके जिप्रका धनुषा कएलक सार्बजनिक


साउन १०, जनकपुरधाम । धनुषाक झटियाहि ४ मे गोलि चला क हत्या केने आरोपमे आइ जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा १ गोटेके सार्बजनिक कएलक अछि।

बिगत साउन ६ गते धनुषा जिल्लाक झटियाहि गाबिस वार्ड नम्बर -४ स्थित श्री मिथिला तिलक नन्द कुमारी कार्कि माबिमे ब्यबस्थापन समिति आ अभिभावक बिचक बैसारक क्रममे भेल बिबादमे गोलि चला क ४५ बर्षक राम ईकबाल मंडलके हत्या केने १ गोटेके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

एहि घटनामे संलग्न रहल आरोपमे पुलिस धनुषाक मखनाहा वार्ड नम्बर -९ लबटोलि रहनिहार २२ बर्षक सुनिल कुमार यादबके गिरफ्तार कऽ आई पत्रकार सम्मेलन मार्फत सार्बजनिक कएलक अछि।  

गिरफ्तार अभियुक्त यादबक अनुसन्धानके क्रममे यादब १५ बर्षक उमेरमे- गोईत समुहमे प्रबेश कएने ,३-४ बर्ष पहिने खरियानी स्थित एकटा ईन्जिनियरके ८ लाख रुपैया फिरौति लऽ कऽ छोडने सहितक लुटपाट चन्दा असुलि , अपहरण जेहन काजसभमे संलग्न रहल जिप्रका धनुषा जनओलक अछि।

तहिना एहि घटनामे संलग्न रहल दोसर अभियुक्त सुशिल कुमार साह फरार रहल आ ओकर खोज तलास भऽ रहल पुलिस जनओलक अछि।

फरार अभियुक्त साहके घरसँ पुलिस बरामद कएने हाथ हथियार कटुवा पेस्तोल २ थान , १२ बोरके गोलि २४ राउन्ड, ३०३ राईफलके गोलि ३ राउन्ड , एसएलआरके गोलि ४ राउन्ड , ईन्सासके गोलि एक राउन्ड, छोटका पेस्तोलमे लागएबल म्याग्जिन १ थान आ ५ राउन्ड गोलि , खोका १ थान , बम २ थान, थ्रि फिफ्टिनके खोका १ थान आ दबिया २ थान पुलिस पत्रकार सम्मेलनमे सार्बजनिक कएलक अछि।

गिरफ्तार भेल यादबके जान मारक आरोपमे जन्म कैद आ हाथ हथियार खरखजाना अन्तर्गत ३ सँ ५ बर्षधरीके जेल सजाय आ ६० हजारसँ डेढ लाख धरि जरिबाना होबए सकबाक जिप्रका धनुषा जनओलक अछि।

एहिबिच बिद्यालय ब्यबस्थापन समितिक बैसारमे पुलिसके उपस्थितिमे ई घटना भेल कहि प्रहरी सहायक निरीक्षक कामेश्वर पाण्डे, प्रहरी जबान प्रमोद साह आ चन्द्र तमाङके निलम्बन कएलगेल अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन