Friday, December 30, 2011

बारह बिग्हाके जमिन कम कऽ रहल प्रति तमलोपाक ध्यानाकर्षण


१५ पुष जनकपुरधाम । जनकपुरक बारह बिग्हा मैदानके मर्मत काजक क्रममे पुर्व दिससँ करिब डेढ बिग्हा अलग कऽ बाट बनावय लागल प्रति तराइ मधेश लोकतान्त्रिक पार्टी ध्यानाकर्षण भेल जनौलक अछि ।

तमलोपा धनुषा आइ एक बिज्ञप्ति जारी कऽ बारह बिग्हा मैदानके पुर्वदिससँ बाट बनावयके नाममे करिब डेढ बिग्हा जमिन अलग केलासँ बारह बिग्हा छोट हाएत जनौलक अछि । भारत सरकारक सहयोगमे बारह बिग्हाके सँरक्षण हेत निर्माण भऽ रहल कार्यसब स्वागत योग्य रहितो जमिन कम कऽ भौतिक सँरचनाके बिगाडयबला काज अशोभनिय रहल जारी बिज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।

अहि काजके अबिलम्ब बन्द करयके आग्रह करैत पार्टी नहि बन्द भेल तऽ बिरोधक कार्यक्रम करय बाध्य हाएब चेतावनी देलगेल अछि । पार्टी बिकासके बिरोधी नहि रहल मुदा बारह बिग्हाके सँरक्षण करबाक नाममे जमिन कम करबाक काज निक नहि रहल जारी बिज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन