इनरुवा, पुस १९ । गैर नेपालीके नागरिकताके लेल सिफारिस केने अभियोगमे गिरफ्तार भेल अपन सहकर्मीके रिहाईके माँग करैत कर्मचारी संघ/संगठनसब सुनसरीके सम्पूर्ण सरकारी कार्यालयसब बन्द करौलक अछि ।
क्षेत्रिय माटि प्रयोगशाला झुम्काके माटि बिज्ञ नुनुलाल उरावके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि । ओ भारतक आसाम आ नागाल्याण्डमे पृथकतावादी सशस्त्र आन्दोलन करैत आएल दिमा आलम दाओग(जे)के कमाण्डर इन चिफ निरन्जन होजाइके नेपाली नागरिकताके लेल सिफारिस केने छल ।
कर्मचारीके पाँच टा कर्मचारी संगठन आइसँ सुनसरीके सब सरकारी कार्यालय अनिश्चतकालके लेल बन्द करौने अछि । उरावके बिना सर्त रिहाइके माँग करैत कर्मचारी संगठनसब सरकारी कार्यालयसब बन्द करौलक अछि । कार्यालयसब ठप्प भेलाबाद सेवाग्राहीसब समस्यामे परल अछि । उरावके पुलिस बितल पुस ७ गते गिरफ्तार केने छल । नेपाल निजामति कर्मचारी युनियन, नेपाल निजामति कर्मचारी संगठन, नेपाल मधेशी निजामति कर्मचारी मन्च, राष्ट्रिय कर्मचारी संगठन आ स्वतन्त्र कर्मचारी मिलन केन्द्र संयुक्त रुपमे कार्यालय बन्द करौने अछि ।
कर्मचारीसब अहिसँ आगु पुस ८ गते एक दिन सेहो उरावके रिहाइ मँगैत जिल्लाके सरकारी कार्यालयसब बन्द करौने छल । प्रमुख जिल्ला अधिकारी लक्ष्मणकुमार थापा बेर बेर कर्मचारी उरावके रिहा करयके आश्वासन दैतो हालधरि रिहा नहि केलासँ बाध्य भऽ क अनिश्चितकालके लेल सरकारी कार्यालय बन्दक आहृवान करय परल कर्मचारी संगठनसब जनौलक अछि । पुलिस अहिसँ आगुए होजाइके नक्कली वावु बनयबला धरान ८ के जगतवहादुर राइ आ तात्कालिन वाड सदस्य सन्तोष लामा तामाङगके नियन्त्रणमे लऽ अनुसन्धान कऽ रहल अछि । उराव नागरिकताके अनुसुचीमे होजाइके सिफारिस केने कारण अनुसन्धानके लेल गिरफ्तार केने पुलिसक कहब अछि ।
०६३ साल अगहन २८ गते होजाइ इलाका प्रशासन कार्यालय धरान सुनसरीसँ जगतवहादुर राइके बेटा बनि कऽ धरान ८ स्थायी ठेगाना देखा कऽ निर्मल राइके नाममे होजाइ बंसजके आधारमे नेपाली नागरिकता लेने छल । हुनक नागरिकता नम्बर ३२५५६ रहल अछि ।
No comments:
Post a Comment