Saturday, January 07, 2012

ट्रक आ जिप ठोकराएलासँ सातके मृत्यु, पाँच घाइल


२३ पुस, दाङ । पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत दाङके भलुवाङ-चन्द्रौटा सडक खण्डमे ट्रक आ जिप एक आसपमे ठोकराएलासँ भेल दुर्घटनामे एक बालक सहित सात गोटेके मृत्यु भेल  अछि ।

मृत्यु होवयबलामे जिप चालक दाङ चैलाही-९ वनगाउँके धनीराम चौधरी, चैलाही-२ के अशोक योगी, वायह ठामक बालक अन्दाजी तीन वर्षक निरजल केसी, कान्तु चौधरी, रवि चौधरी, मालती गौतम आ सिसनिया-४ के पालु गुप्ता रहल इलाका प्रहरी कार्यालय भालुवाङ जनौलक अछि ।

मृतक सब जिपमे सवार रहल आ ६ गोटेके घटनास्थलेमे तथा बालक केसीके इलाजक लेल नेपालगञ्ज लऽ जाएके क्रममे बाटेमे मृत्यु भेल अछि । दुर्घटनामे अन्य पाँच गोटे घाइल सेहो भेल अछि । घाइल मेसँ दु गोटेके अवस्था गम्भीर अछि । सबके प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र लमहीमे प्रारम्भिक इलाज कऽ कऽ थप इलाजक लेल नेपालगञ्ज पठाओलगेल अछि ।

वीरगञ्जसँ बर्दियादिस जाऽ रहल ना ३ ख ६०९२ नम्बरक ट्रक आ लमहीसँ कपिलवस्तुके कृष्णनगर दिस आबिरहल ना १ ज १३९४ नम्बरक जिप कालाकाटे गोवरडिहा गाविस-१ टहडा नामक स्थानमे एक आपसमे ठोकरा कऽ  दुर्घटना भेल पुलिस जनौलक अछि ।



No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन