काठमाडौ, पुस १८ । संविधानके मुख्य विवादित विषय शासकीय स्वरुपमे दलसबबीच सहमति होवय नहि सकल ।
प्रमुख तीन दलक शीर्ष नेतासबबीच आइ ओइ विषयमे भेल बिमर्शमे कांग्रेस साशकीय स्वरुपमे अपन पूर्व अडानसँ पाछु नहि हटल । अन्य दल सेहो अपन अपन अडानमे कायम रहलाबाद सहमति होवय नहि सकल । कांग्रेस राष्ट्रपति या प्रधानमन्त्री केउ प्रत्यक्ष निर्वाचनसँ चुनाए नहि चाहिके अपन पूराने अडानमे रहल अछि ।
अहिसँ आगु राष्ट्रपति प्रत्यक्ष निर्वाचनसँ तथा प्रधानमन्त्री संसदसँ निर्वाचित होवयबला प्रावधानमे उपसमितिमे सहमति भेल बताओलगेल अछि । बैसारमे कांग्रेस शान्ति प्रक्रिया आगु नहि बढलासँ आपत्ति जनौने अछि । दलसबबीच फेउर बिमर्श करय जका बैसार स्थगित कएलगेल अछि । तीन दलक बैसार सम्पन्न होइते नेतासब संवैधानिक समितिके बैसारमे भाग लेने छल ।
No comments:
Post a Comment