२० पुस, काठमाडौँ । सेना समायोजन विशेष समितिके सचिवालयमे प्रतिनिधित्व कएनिहार माओवादी दिसके सदस्य बैसारमे उपस्थित नहि भेलासँ माओवादी लडाकूके स्वेच्छिक अवकाश सम्बन्धी खाका तयार होवय अबेर भेल अछि ।
माओवादीके जारी केन्द्रीय समितिक बैसारमे कारण सचिवालयमे प्रतिनिधित्व कएनिहार माओवादी केन्द्रीय सदस्य चन्द्रप्रकाश खनाल, कुलप्रसाद केसी आ लडाकू कमाण्डर तेजप्रकाश ओली बैसारमे उपस्थित नहि भेलाक कारण अवकाशके सम्बन्धमे प्रशासनिक गृहकार्य करय नहि सकल सचिवालय स्रोत जनौलक अछि । सचिवालयके बैसारमे ओसब उपस्थित नहि भेलासँ अन्तिम निर्णय करय अबेर भऽ रहल अछि ।
No comments:
Post a Comment