काठमाडौं, पुस २१ । माओवादी आ कांग्रेसक नेतासब यथास्थितिमे अबरुद्ध शान्ति प्रक्रियासँ गति नहि लेत चेतावनी देलक अछि ।
माओवादी नेता राष्ट्रपतीय शासन प्रणालीमे कांग्रेसके सहमत होवयके अडान रखने अछि कांग्रेस नेता माओवादी सात बुँदे सहमति कार्यान्वयन नहि करयधरि शान्ति प्रक्रिया गति नहि लेत बतौलनि ।
माओवादी पोलिट्ब्युरो सदस्य जनार्दन शर्मा सहमति भेल राष्ट्रपतीय शासन प्रणालीके कांग्रेस नहि स्वीकारय धरि शान्ति प्रक्रिया कोनो हालतमे आगु बढय नहि सकत चेतावनी देलनि ।
रिपोर्टर्स क्लबके साक्षात्कारमे शर्मा कार्यदलमे सहमति जनौने राष्ट्रपति आ प्रधानमन्त्रीमे कार्यकारी अधिकार रहयके मिश्रति शासन प्रणालीसँ कांग्रेस एकाएक पाछु हटलाबाद अपनासबके कांग्रेस संविधान निर्माणके पक्षमे नहि रहल आशंका लागल बतौलनि ।
कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य मिनेन्द्र रिजाल माओवादी सात बुँदे सहमति अनुसार नहि चलत तऽ ओकरासँगके सहकार्य नहि हाएत आ शान्ति प्रक्रिया सेहो आगु बढय नहि सकत चेतावनी दैत माओवादीके शान्ति आ संविधान या जनविद्रोह विषयमे आब स्पष्ट निर्णय लेवय परत बतौलनि ।
No comments:
Post a Comment