विराटनगर, श्रावण ४ । मोरङ जिल्ला प्रशासनमे धर्ना द काज अवरोध करय चाहने ५० स बेसी गोटे कर्मचारीके आइ पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।
सरकार बजेटमार्फत वृद्धि केने तलबप्रति असन्तुष्टि जनबैत आन्दोलनमे उतरल कर्मचारीसब प्रशासन कार्यालयके मूलद्वारमे बसि क सेवाग्राहीके प्रवेश करय नहि द कार्यालयके काममे अवरोध पहुँचाबय चाहला पर पुलिस नियन्त्रणमा लेने अछि । कर्मचारीसब जुलुससहित प्रशासन कार्यालय पहुँचल छल । पुलिस हुनकासबके गिरफतार क खेलकुदके कभर्ड हलमे रखने अछि ।
No comments:
Post a Comment