सप्तरी, ३० साउन । सप्तरी पुलिसक मोस्ट वान्टेडके सूचीमे रहल दु अभियुक्तके गिरफ्तार क ओकरासब उपर कार्वाही प्रक्रिया आगु बढाओलगेल अछि ।
बिभिन्न हत्या, अपहरण तथा लुटपाटके घटनासबमे संलग्न संयुक्त जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चाके सैन्य कमाण्डर दिलजले उपनामक उमेश राम आ ईन्जिनियर हरिनारायण देवके हत्यामे संलग्न गंगाराम यादवके सप्तरी पुलिस गिरफ्तार कऽ कार्वाही प्रक्रिया आगु बढौलक अछि । गोप्य सूचनाके आधारमे लम्बा प्रयासक बाद पुलिस राम आ यादवके हतियार सहित गिरफ्तार करय सफल भेल अछि ।
असार महिना एम्हर मात्रे बिभिन्न अपराधिक क्रियाकलापमे संलग्न ३१ गोटेके गिरफ्तार कऽ जिल्ला प्रहरी कार्यालय सप्तरी कार्वाही प्रक्रिया आगु बढौलक अछि । ओ अवधीमे कर्तब्य ज्यान ८, अपहरण १, हातहतियार तथा खरखजाना ७, चन्दा आतंक १, सार्वजनिक अपराध ९, लागु औषध आयात –निर्यातमे २ आ चोरी मुद्दामे ३ गोटे उपर कार्वाही भऽरहल अछि ।
No comments:
Post a Comment