१९ साउन, भक्तपुर । नेपाल मजदुर किसान पार्टीक अध्यक्ष नारायणमान विजुक्छे भारतीय आईएनजीओ संविधान तयार क चुकल दावी कएलनि अछि ।
रक्त सञ्चार क्लब भक्तपुर आइ आयोजना केने कार्यक्रममे अध्यक्ष विजुक्छे प्रमुख तीन दल सविधान निमार्णसँ बेसी सरकार बनाबय आ खसाबयमे लागल आरोप लगौलनि ।
दलसब सरकार बनाबय आ खसाबय लगलासँ संविधानसभाके पछिला बेर थपलगेल समयमे सविधानक एकीकृत मस्यौदा नहि आओत बतौलनि ।
नेमकिपा अध्यक्ष विजुक्छे मन्त्रिपरिषद् विस्तार केनाइ प्रधानमन्त्रीके अधिकार भेल कहैत अईके बारेमे टिप्पणी केनाई आवश्यक नहि रहल बतौलनि ।
हरेक बर्ष नेपाली सेनामे दश हजार नयाँ भर्ति होईत अएलासँ वितल किछ बर्षसँ रुकलासँ देशके लेल खतरा भेल बतौलनि ।
सेना समायोजन तत्काल होबय परत कहैत ओ लडाकूके समुहगत प्रवेश नहि भ सेनाके मापदण्ड आ योग्यताके आधारमे प्रवेश कराबय परत बतौलनि ।
देशके राजनीतिक अवस्था आ सघीयतासँ देश टुक्रा होबय सकत कहैत नेमपिकाके अध्यक्ष विजुक्छे एक मधेश एक प्रदेशसँ देश विखण्डन हाएत ठोकुवा कएलनि ।
No comments:
Post a Comment