१९ साउन, सप्तरी । नेपाली कांग्रेसक महामन्त्री प्रकाशमान सिंह पार्टीके संसदीय दलक नेता परिवर्तनके लेल वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्षधर केने हस्ताक्षर संकलन बेमौसमके बाजा रहल बतौलनि अछि ।
प्रेस युनियन सप्तरीद्वारा आइ राजविराजमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे महामन्त्री सिंह हस्ताक्षर संकलन अभियानके अपने पार्टीके संगठित रुपमे आगु बढाबयमे अवरोधके रुपमे लेने बतौलनि ।
ओ कांग्रेससँ प्रधानमन्त्री बनयके सपना देख क संसदीय दलक नेता बनय हस्ताक्षर संकलन केनाई बेटा हाएत कहिया कहिया सर्ट सियाउ अखन जेहन भेल कहैत टिप्पणी कएलनि ।
महामन्त्री सिंह विशेष समितिके बैसारमे अनुपस्थित भ माओवादी शान्तिप्रक्रियाके आगु बढाबय नहि चाहने आरोप लगौलनि ।
पाँचबुँदे सहमतिके संसद समेत अनुमोदन क चुकल अवस्थामे मन्त्रिपरिषद पुनर्गठन केनाई संसदीय अभ्यास आ मान्यताविपरित रहल कहैत ओ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालके एको मिनेट कुर्सीमे बैसनाईके औचित्य नहि रहल दावी कएलनि ।
No comments:
Post a Comment