Friday, August 12, 2011

कांग्रेसद्वारा सरकारक नेतृत्व दावी


२७ साउन, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेस आब बनयबला सरकारक नेतृत्व अपनेके भेटय चाही दावी प्रस्तुत केलक अछि ।

प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँग आइ करिब डेढ घण्टाधरि भेल भेटवार्ताके क्रममे कांग्रेस सभापति सुशील कोइराला एहन दावी कएलनि अछि । अस्वस्थ रहल प्रधानमन्त्री खनालसँ भेट्य कोइराला प्रधानमन्त्रीके सरकारी निवास बालुवाटार पहुँचल छलथि । प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार सूर्य थापा शान्तिप्रक्रिया जारी रहयधरि अपन दलक नेतृत्वमे सरकार हाएत त सहज हाएत कहैत कोइराला ओइके लेल सहयोग करय प्रधानमन्त्री खनाल समक्ष आग्रह कएने जानकारी देलनि । थापाके अनुसार प्रत्युत्तरमे प्रधानमन्त्री माओवादी या कांग्रेसक नेतृत्वमे सरकार बनय परत से घोषणा अखने केनाइ उपयुक्त नहि हाएत कहैत ओइके निर्णय बिमर्शके माध्यमसँ करयके विचार रखने छलथि ।

सभापति कोइराला संविधानसभा निर्वाचनके बाद तीन माओवादी एक बेर आ एमाले दु बेर धरि सरकारक नेतृत्व क चुकलासँ आबके पालो अपन रहल जिकिर कएने छलथि ।

अहिबीच राजनीतिक गति अवरोध तोडय बिषयमे बिमर्श करय प्रमुख तीन दल माओवादी, कांग्रेस आ एमालेक शीर्षस्थ नेतासबहक बैसार आइए बेरियामे बैसय लागल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन