Friday, August 12, 2011

माथवरक हत्यामे संलग्न तीन गोटेके पुलिस केलक सार्वजनीक


साउन २७ जनकपुरधाम । वितल ४ दिन पहिने धनुषाक कुवा गाममे हत्या भेल माथवर मुखियाक हत्यामे संलग्न रहल कहैत हिरासतमे रहल तीन गोटेके पुलिस आई सार्वजनीक कएलक अछि।
जिला प्रहरी कार्यालय धनुषा आई पत्रकार सम्मेलन कऽकऽ तीनु गोटेके सार्वजनीक कएलक अछि।
मूखियाक हत्यामे संलग्नताक आरोप लागल मलंगवा नगरपालिका वार्ड नम्बर १० क २२ वर्षक मुकेश पण्डित, कुवा रहन्हिहार २३ वर्षक धर्मनाथ खत्वे आ धनुषाक अन्दुपट्टी कटरैत वार्ड नम्बर ८ हाल बिन्धि वार्ड नम्बर २ मे  रहिरहल ३४ वर्षक श्रिचन मूखियाके पुलिस आई सार्वजनीक कएलक अछि।
पण्डीतके स्थानीयवासीके सहयोगसँ पुलिस घटना स्थलसँ फरार होइत काल गिरफ्तार कएने छल । तहिना मुखियाके घटनाके किछु देर बाद पुलिस घरेसँ गिरफ्तार कएने छल।
मुखिया उपर गोली चलओन्हिहार पण्डित अखिल तराई मुक्ति मोर्चासँ आवद्ध रहल पत्रकार सम्मेलनमे प्रहरी उपरिक्षक हरीबहादुर पाल जानकारी देलन्हि अछि।
उपरीक्षक पालक अनुसार मुखिया आ मोर्चाक पृथ्वी सिंहबीच आपसि मद‍तभेदके कारण मुखियाक हत्या कएलगेल अछि ।
संगठन विस्तारमे अवरोध पहुँचा रहल कहैत मुखियाके हत्या कएलगेल एखन धरिके अनुसन्धानसँ बुझबामे आएल  पाल बतओलन्हि।
तहिना पुलिसक हिरासतमे रहल मुखिया आ खत्वे घटनाके बाद पँडितके संरक्षण दऽकऽ भगाबके योजना बनओने पालक कहब छलन्हि।
अभियुक्तसभसँ पुछताछके क्रममे मुखियाक हत्या करक योजना बितल २-३ महिनासँ बनाओल जा रहल छल आ एहि विषयमे अन्तिम विमर्श सीमावर्ति उमगाँव स्थित महादेव स्थान पर कएलगेल पाल जानकारी देलन्हि।
मुखियाक हत्यामे संलग्न अन्य अभियुक्तसभक विषयमे अनुसन्धान जारी रहल पाल बतओलन्हि अछि।
वितल २३ गते अपन घरसँ निकलके क्रममे मुखियाके दिनदहाडे गोली प्रहार कऽ हत्या कएलगेल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन