३० साउन, काठमाडौं । संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल विरुद्ध अविश्वासके प्रस्ताव दर्ता करयके तयारीमे रहल नेपाली कांग्रेसक वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्षधर काल्हि भिन्सरधरि रुकयबला छथि ।
महामन्त्री कृष्णप्रसाद सिटौला सहितक नेतासबहक आग्रहमे सहमतिके लेल आइ दिनभरि पहल करय लागल देउवा पक्षक एक शीर्ष नेता बतौलनि ।
अहिसँ आगु देउवा पक्ष आइ बेरियामे संसदीय दलक नेता पौडेल विरुद्ध अविश्वासके प्रस्ताव दर्ता करयके तयारी केने छल । अपनासँग भेल सहमति अनुसार संसदीय दलक नेता नहि बनाकऽ सभापति सुशील कोइराला प्रधानमन्त्रीके उम्मेदबार होबयसँ रोकय चाहने देउवाके आरोप छलनि ।
पदाधिकारी मनोनयनसम्वन्धी प्रस्ताव पारित करबैत काल देउवाके दलका नेता बनाबयके, सह महामन्त्री आ मनोनयन करय बाँकी पाँच मे सँ २ केन्द्रीय सदस्य देउवा पक्षसँ करयके सहमति भेल छल । सहमति कार्यान्वयन करय आग्रह करैत काल सभापति दलक नेता रामचन्द्र पौडेलसँग सहमति करय आ नहि हाएत त प्रक्रियागत रुपमे आबय कहलासँ अविश्वासके प्रस्ताव दर्ता करय परल हुनकासबहक कहब छन्हि ।
No comments:
Post a Comment